"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, October 16, 2012

प्रशांत कांड- मधुबनी विध्वंसक लेल के जिम्मेदार

प्रशांत आ प्रीति क दिल्ली में भेटैक खबर स पूरा मामला यू टर्न लेलक , मुदा आब प्रश्न अनुत्तरित अछि कि मामला एतेक आगा धरि किएक गेल। उग्र आंदोलनक आगि मधुबनी में विध्वंसक नव गाथा लिखलक अहिक लेल के जिम्मेदार छियाथ। अंत-अंत तक प्रशांतक मां विनीता देवी आ दादी क्षेमा देवी के द्वारा सिर कटल शवक दावेदारी मामलाक उलझावईक काज केलक। तर्कक जगह भावना में बहल लोग ककरो सुने लेल तैयार नहीं छल। और फेर ओ भेल जकर कल्पना तक कियो नहीं केने होयत।
दरअसल प्रशांत आ प्रीति क गायब भेलाक बाद स दुनु परिवार अहि मामला क शांति स सुलझावई क बदला एक दोसर के सबक सिखावईक लेल तैयारी में आमने-सामने छल। जहैनी की मामला स दुनु परिवार अनजान नहीं छल। 7 सितंबर क प्रशांतक गायब भेलाक अगिला दिन हुनक दादा चंदेश्वर झा नगर थाना में ओकर गुमशुदगीक सनहा दर्ज करोलैनी। ओतय 11 सितंबर क प्रीतिक पिता शिक्षाधिकारी जगतपति चौधरी नगर थाना में प्रीति क अपहरण के आरोप लगावैत प्रशांत आ ओकर दादा चंदेश्वर झा सहित आधा दर्जन लोगक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करेलैनी। अहि मामला में पुलिस प्रशांतक दादा सहित तीन आरोपि के गिरफ्तार क जेल भेज देलक। अहि बीच शिक्षक आ कर्मचारी संघ द्वारा कायल गेल चरणबद्ध आंदोलन सेहो अहि मामला के तूल देलक। अहि दबाव स घबराहट में आयल झा क परिजन जगतपति चौधरी आ संघक नेता के सबक सिखावैक लेल आतुर भ गेल। आ मौका सेहो भेट केलैनी। ककना पुलक निकट भेटल सिर कटा शव के पहचाने में झा परिवारक जिद पूर्ण जल्द बाजी देखेलक। प्रशांतक दादी अहि मामला में जगतपति चौधरी सहित संघक तीन नेता के अहि मामला में आरोपित कय पूरा प्रकरणक दिशा बदलैक कोशिश केलैनी। आ हुनकर इ कोशिश 15 अक्टूबरक शाम तक कामयाब रहल। प्रशांत आ प्रीति के भेटै स पाहिले तक पूरा शहर उक्त परिवारक विचारक संग छल। 12 दिनक बाद सिर कटल शवक कोनो दोसर दावेदार नहीं भेला स लोग झा परिवारक विचारस सहमत छल। दुनु परिवारक बीच बनल तनावक बीच आम लोगक भेटल जबरदस्त सहानुभूति ओही समय उग्र रूप धारण क ललक जहैनी प्रशांतक मां आ दादी कथित शवक लेल11 अक्टूबर क अनशन पर बैस रहली। हिनक समर्थन में सड़क पर उतरल छात्र आ युवकक भीड़ अविवेकी भ गेल। आ ताहिक बात मधुबनी स दिल्ली तक जे भेल ओ सबहक सामने अछि।

No comments: