"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, October 15, 2012

मधुबनी कांडक विरोध में आई बिहार बंद रहल

मधुबनी कांडक विरोध में लेफ्ट पार्टियों द्वारा बजायल गेल बिहार बंदक दौरान आई कतेको जगह पर ट्रेनें रोकी देल गेल. संगही अनेको जगह स पथराव क खबर सेहो आयल अछि.लालू यादव आ रामविलास पासवान आई बंदक समर्थन में सडक पर उतरला. पासवान मधुबनी कांडक लेल नीतीश क जिम्मेदार ठहरावैत हुनक इस्तीफाक मांग केलैनी . अहि बंद क कांग्रेस आ लालूक पार्टी सेहो अपन समर्थन देलैनी.
सरकार बंदक दौरान उपद्रव फैलावै वाला स सख्ती स निबटईक निर्देश देलक अछि.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आई आला अधिकारिक संग बैठक क विधि व्यवस्थाक स्थितिक समीक्षा केलैनी आ बंदक दौरान चौकसी बरतईक निर्देश देलैनी. मुख्य सचिव अशोक कुमार सिन्हा कहला कि बंद क देखैत विधि व्यवस्थाक स्थितिक समीक्षा कायल गेल. बैठक में हुनका अलावा गृह विभाग के प्रधान सचिव आमिर सुबहानी, डीजीपी समेत आओर अधिकारी मौजूद छाला.
मधुबनी में भेल हिंसाक खिलाफ़ राज्य भरी में विपक्षी दलक दिश स आई बजायल गेल 'बिहार बंद'क राज्य भर में ख़ासा असर देखल जा रहल अछि. राज्यक प्रमुख शहर में अधिकांश व्यावसायिक आ शैक्षणिक संस्थान बंद अछि. ओतय कियक ठाम यातायात ठप अछि। दरभंगा, जहानाबाद, नालंदा, पटना आ मधुबनी ज़िला समेत आओर कतेको स्थान पर लोग रेल पटरि पर जमा भ गेल छला.
अहि कारण राज्यक अनेक रेलमार्ग पर ट्रेनक परिचालन रुक गेल. कतौ कतौ तोड़फोड़ घटना सेहो भेल. भारी संख्या में बंद समर्थक क गिरफ्तार कायल गेला .

बंदक समर्थन में पटना के डाकबंगला चौराहा पर पहुंचल आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव कहला, ''मधुबनी गोली कांड के लिए सीधे तौर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ज़िम्मेदार हैं. क्योंकि उन्हीं की शह पर वहां गोलियां चलाई गईं और दो छात्रों की हत्या कर दी गई. अब मुख्यमंत्री न्यायिक जांच कराने का ढोंग कर रहे हैं.''

बंदक दौरान आरजेडी नेता लालू प्रसाद यादव आ लोकजनशक्ति पार्टीक नेता रामविलास पासवान सेहो अपन गिरफ्तारी देलैनी.

 

No comments: