"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, October 19, 2012

मधुबनी मे पत्रकार सबहक प्रति फूटल आक्रोश, ब्‍यूरोचीफ निलंबित

मधुबनी। प्रशांत-प्रिति मामला मे आब असली जनआक्रोश सामने आबि रहल अछि। मधुबनी क युवती सब आइ अफवाह पसारबा लेल एकटा स्‍थानीय दैनिक क खिलाफ सडक पर उतरि गेलतथि। कई सौ युवती जमा भ आइ शहरक मुख्‍य चौराहा पर दैनिक क प्रति जला देलथि आ स्थानीय प्रभारी क गिरफ्तारी क मांग केलथि। सड़क पर अखबार विरोधी नारा सेहो लगैत रहल। युवती सबहक एहि प्रकारक आक्रोश शहर पहिने कहियो नहि देखने छल, पूरा मीडिया युवतीक एहि आक्रोश पर स्‍तब्‍ध अछि। इ युवती सब कोनो संघ या दल क नेतृत्‍व मे इ आंदोलन नहि केलथि। अधिकतर युवती क कहब अछि जे प्रशांत आ प्रीति मामला मे किछु मीडियाकर्मी अपन स्‍वार्थपूर्ति लेल जानि कए अफवाह पसारि देलथि। जाहि मे एकटा स्‍थानीय अखबारक प्रभारी प्रमुख भूमिका मे छलाह। ओ आरोप लगेलथि जे एहन पत्रकार कए तत्‍काल हटा देल जाए आ साजिश रचबाक आरोप मे हुनका पुलिस शीघ्र गिरफ्तारी करै। हालांकि युवतीक आक्रोश आ आंदोलनक खबरि जहिना पटना पहुंचल, अखबार अपन मधुबनी प्रभारी कए तत्‍काल प्रभाव स निलंबित क देलक अछि आ कोनो प्रकार क समाचार लिखबा स रोकी देलक अछि।
दोसर दिस प्रीति क पिता सेहो आइ एकटा स्‍थानीय अखबार कए कानूनी नोटिस पठा एक सप्ताह क भीतर अपन स्‍थानीय संवाददाता पर कार्रवाई करबा लेल कहलथि अछि, नहि त प्रबंधन पर मुकदमा क धमकी देलथि अछि।
मीडिया क साख पर धब्‍बा आइ तखनो लागल जखन प्रशांत मामला मे तबादला क सजा स दुखी दरभंगा क पूर्व आईजी आरके मिश्रा कहला जे एहि पूरा मामला मे किछु मीडियाकर्मी आ किछु खास लोक क भूमिका सदिग्ध रहल अछि, जे हमर 26 साल क प्रशासनिक कैरियर पर दाग लगेबाक कोशिश केलथि अछि। सरकार एहि मामला क निष्पक्ष जांच करए, किया त इ मामला राज्य सरकार क संगहि प्रशासिनक महकमा कए बदनाम करबा स जुडल अछि। आरके मिश्रा क एहि बयान स कई मीडियाकर्मी सहित पुलिस विभाग क कईटा अधिकारी क नींद हराम भ गेल अछि ओतहि मीडिया संस्थान क साख खतरा मे त आबिये गेल अछि। ज्ञात हुए जे एकटा आईपीएस अधिकारी, पूर्व विधायक,एकटा वकील आ किछु पत्रकार क साजिश क शिकार बनल दरभंगा क पूर्व आईजी आरके मिश्रा कए तबादला करि देल गेल छल। श्री मिश्र आइ एडीजी आधुनिकरण क पद पर पुलिस मुख्यालय मे योगदान द देलथि।

साभार : ईसामाद 

No comments: