"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, October 16, 2012

मधुबनी कांड महोब्बत मर्डर आ मिस्ट्री

मधुबनी कांड ने सोमदिन नाटकीय मोड़ लेलक । जनता क भारी हंगामा आ पुलिस फायरिंगक केंद्र में रहल प्रशांत झा आ प्रीति चौधरी के दिल्ली पुलिस महरौली क समीप स बरामद केलक। डीजीपी अभयानंद कालि सांझ संवाददाता सम्मेलन में अहि पूरा प्रकरणक विस्तार स जानकारी देलैनी। मधुबनी कांड पर विपक्ष कालि बिहार बंद करेने छला।
डीजीपी कहला कि शाम साढ़े चार बजे अहि सूचना पुष्ट भेल कि प्रशांत आ प्रीति दिल्ली क महरौली थाने में छैथ । अहिक बाद प्रशांत आ प्रीति स बातक पूरा मामला साफ भेल।
डीजीपी कहला कि प्रशांत स जहैनी प्रीतिक बारे में पूछल गेल त ओ कहलक कि हम प्रीति स विवाह करय चाहैत छि। प्रीति सेहो प्रशांतक संग रहैक बात कहली। प्रशांत बतेलक कि सात सितंबर क ओ मधुबनी स मुजफ्फरपुर गेल। मुजफ्फरपुर स रांची। रांची स जम्मू आ जम्मू स दार्जिलिंग और फेर दिल्ली आयल।
डीजीपी कहला कि मधुबनी पुलिस दिल्लीक महरौली थाना क अहि कांडक प्राथमिकी फैक्स केला हे। पहिले दुनुके जुवेनाइल कोर्ट में पेश कायल जायत। अहिक बाद मधुबनी आनल जायत।
 

No comments: