
अहि सुविधाक लाभ लेवक लेल रेल यात्री के आइआरसीटीसीक वेबसाइट पर रजिस्ट्रेश करेनाई आवश्यक रहत . आरडीएस एकाउंट में कम-स-कम डेढ़ हजार रुपया जमा करय पड़त . ई राशि नेट बैंकिंग या क्रेडिट कार्डक द्वरा जमा जा सकैत अछि. अहिमें 250 रुपया रजिस्ट्रेशन फीस होयत, जे टिकट बुकिंगक लेल एकाउंट में क्रेडिट भ जायत. ई जमा खाताक जेना काज करत, जकरा टॉप-अप सेहो करावल जा सकैत अछि.
टिकट बुकिंगक लेल नेटबैंकिग आ क्रेडिट कार्डक ऑप्शन पहिलेक तरह रहत . जे लोग आरडीएस लेता, खाली हुनके इ सुविधा भेटत. टिकट बुक करावईक लेल आइआरसीटीसीक वेबसाइट पर जा क पहिले पैसेंजर संबंधी जानकारी दर्ज करै पड़त. तकर बाद नेट बैंकिंग आ क्रेडिट कार्डक जरिये पेमैंटक ऑप्शन भेटत.
No comments:
Post a Comment