यूरोप मे मिथिलाक सपूतक सम्मान
मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड केर बसैठ पंचायत क चनपुरा गांवक मूल निवासी स्व. भवनाथ चौधरीक सपूत शिक्षाविद आ अनेकानेक शिक्षण संस्थानक प्रव र्त्तक संत कुमार चौधरी ( 55 साल) कें यूरोपियन यूनियनक सदस्य देश लिथुआनियाक केंद्रीय विश्वविद्यालय एलेक्जेंड्रा स्टलगिन्सकीस यूनिवर्सिटी मानद डी लिट ( डॉक्टरेट डिग्री) क उपाधि प्रदान केलकनि अछि. मिथिलाक ई सपूत अप्पन अद्भुत आ अद्वितीय क्षमता आ प्रतिभाक बलबूता पर विदेश मे सम्मानित भ' मात्र गाम आ जिले के नहि अपितु सम्पूर्ण भारतवर्ष केर गरदनि गर्व स' ऊँच क' देलनि. लिथुआनिया केर राजधानी काउनो आर मे 23 अक्टूबर क' एक शासकीय समारोह मे हुनका ई उपाधि प्रदान कैल गेल. हुनक जनसंपर्क अधिकारी मनोरंजन मीडिया कें ई जानकारी देलनि आ कहलनि जे भारत मे शिक्षा, अभियांत्रिकी आ कृषि क्षेत्र के प्रसार कें संग- संग आन- आन देश में सेहो उच्च शिक्षाक अवसर कें धेआन मे रखैत एकर विस्तार में सहयोगात्मक रुखक कारण स' हुनका ई सम्मान देल गेलन्हि अछि. ज्ञात हो कि प्रबंधन, शिक्षा, कृषि, इंजीनियरिंग, चिकित्सा स' जूडल देश मे बहुतो एहेन प्रख्यात शिक्षण संस्थानक ई स्थापना क' चुकल छथि. अपन गृह जिला मधुबनी मे हिनका द्वारा संचालित डिग्री कालेज, शंकर नेत्रालय, कृषि संस्थानक संग राजस्थान, एनसीआर दिल्ली, उड़ीसा, एमपी, यूपी, महाराष्ट्र सहित आन राज मे सेहो हिनका द्वारा संचालित शिक्षण संस्थान अछि. यूरोपियन संघ स' मानद डी लिटक उपाधि प्राप्त करय बला श्री चौधरी चारिम भारतीय छथि. पछिला बरख प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह एहि सम्मान स' सम्मानित कैल गेल छलाह.
3 comments:
Sonu Babu bahut neek.
Regards,
Vibhay Jha
www.VKJha.in
dhanyabad Vibhay jee... hum apnek aabhari chhi je apne hamesha apan sahyog aa viyastam samay me sa samy nikali ahi tham jankaari sab uplabdh karabait rahait chhi.
Ji Apnek abhaar...
Post a Comment