भाजपा मधुबनी कांडक प्रायश्चित करत । पार्टी, मातृ आ शिशु मृत्यु दर कम करैक लेल प्रदेश स्तर पर अभियान चलायत । पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष डा. सीपी ठाकुर कहला की अहि सिलसिला में गर्भवती महिलाक निबंधन करायल जायत।प्रेस कांफ्रेंस में मधुबनी कांडक विस्तार स जिक्र करैत बेनीपट्टीक भाजपा विधायक विनोद नारायण झा कहला कि पूरा प्रकरणक विस्तृत जांच हेबाक चाही। अचानक इलाका में सिरकटल लाशक बरामद भेनाई संदिग्ध अछि। अहि बातक तहकीकात हेबाक चाहि कि ककर बहकावा में प्रशांतक परिवार युवकक शव के किशोरक शवक रूप में पहचला? बेहद सुनियोजित ढंग स सरकारी कार्याल में आग लगायल गेल। प्रश्न ई अछि कि की लोग आगि लगावईक पूरा तैयारीक संग आंदोलन करय आयल छला? थाने आ प्रशासनिक कार्यालय में मौजूद सरकारी कागजात जरा देल गेल। भीड़ सबस पहिले हमला कैदी वैन पर केलक। अहि में मौजूद कैदि के भगा देल गेल। जाहिमे दूटा पाकिस्तानी नागरिक सेहो छल। जे फरार भ चौकल अछि। श्री झा पूरा मामला में विदेशी हाथक आशंका जतावैत कहला कि ई कांड बेहद खतरनाक संकेत द रहल अछि।
No comments:
Post a Comment