"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, December 28, 2011

बिहार के बेटी त्रिनिदाद एंड टोबैगो के पहिल महिला प्रधानमंत्री

बिहार के गौरवशाली अतीत के अध्याय में एक और पन्ना जुड़ गेल। उत्तरी अमेरिका के कैरेबियाई द्वीप समूह के देश त्रिनिदाद एंड टोबैगो के प्रधानमंत्री कमला प्रसाद बिसेसर बिहार के बेटी छियाथ। ओ अपन पूर्वज के गांव आवाई के इच्छा जाहिर केलैथ हे। ओतय के सरकार स प्राप्त अनुरोध पत्र पर बिहार सरकार बक्सर के जिला अधिकारी अजय यादव को इटाढ़ी प्रखंड के भेलूपुर गांव के निरीक्षण करे लेल कहला। ओ वृहस्पति दिन ओतय के दौरा क प्रधानमंत्री के दौरे के रूपरेखा तैयार करतैथ।
26 मई, 2010 क त्रिनिदाद एंड टोबैगो के पहिल महिला प्रधानमंत्री बन्लैथ। अहि के बाद बाद ओ अपन पूर्वज द्वारा संजोक राखल स्टीमर के टिकट के आधार पर पुश्तैनी गांव के पता लगावाई के लेल शोध करेलैथ। हुनक पूर्वज के ओ टिकट वर्ष 1889 में असम के कोनो तट स जरी कायल गेल छल। ओतय स कमला के पूर्वज काम करे के लेल ब्रिटिश हुकूमत द्वारा कैरेबियाई द्वीप समूह भेजल गेल छाला। छानबीन भेल त कड़ी भेलूपुर गांव से जुरल भेटल । शोध के मुताबिक गांव में स्वर्गीय भवानी स्वरूप पंडित के दू टा पुत्र रामजतन पंडित व रामलखन पंडित छलैन। रामलखन के परिवार अविभाजित बंगाल के असम में जा क बैस गेल छलैथ। ओतय स रामलखन के परिवार परदेस चली गेला। कमला रामलखन के वंशज छियाथ। वंश स जुड़ल एक महिला के प्रधानमंत्री बने के खबर स पूरा गांव खुद के गौरवान्वित महसूस क रहल अछि। कमला जयपुर में 5 स 11 जनवरी तक चलै वाला एक राजकीय कार्यक्रम में भाग लई लेल भारत आवी रहल छैथ ।अहि दौरान हुनक गाव दौरा के कार्यक्रम भ सकैत छैन ।
साभार:- दैनिक जागरण

Saturday, December 24, 2011

बिहार शताब्दी वर्षक लोगो जारी

बिहार शताब्दी वर्षक लोगो शिक्षा मंत्री पीके शाही बुधदिन जारी कॆला.अहि लोगो में पीपल के पात‌ पर 100 लिखल अछि.
इ बिहार के 100 वर्ष पूरा भॆला पर जारी कायल गॆला. श्री शाही कहलनि कि पीपल कॆ हरियर पात‌ हरियाली कॆ प्रतीक अछि आ इ गौतम बुद्ध स सॆहॊ जुड़ल अछि. लोगो में ‘हमारा बिहार’ लिखल अछि.
शिक्षा विभाग के प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहलनि कि इ लोगो सरकारी स्टेशनरी में शामिल रहत‌...

खुब पढि रहल छियाईथ बॆटी मुदा घटि रहल अछि आबदी

2011 में बिहार के अंतरविरोध भरल तसवीर उभरी क सामने आयल. मार्च में जनगणना के जे रिपोर्ट सामने आयल ओही स बिहार के एक टा नव तस्वीर उभरी क सामने आयल. अहि में उजागर कायल गेल कि बिहार में नहीं केवल बेटि के आबादी घटी अछि, बल्कि छह वर्ष तक के आयु वर्ग के बच्चि के आबादी सेहो एक दशक में कम भॆला.
दॊसर दिश‌,एक सकारात्मक तसवीर उभरी क सामनॆ आयल बिहार में महिला खूब पढ़-लिख रहल अछि. एक दशक में महिला साक्षरता के क्षेत्र में 20.11 फ़ीसदी कॆ छलांग लगॆलक अछि. जनगणना, 2011 के औपबंधिक आंकङा इ दर्शा रहल अछि कि हमर‌ समाज बेटि के प्रति संवेदनशील नहीं भॆला.
ग्रामीण क्षेत्र कॆ तुलना में शहर में बेटि कॆ आबादी में चिंताजनक गिरावट भॆला. शहरों में संस्थागत प्रसव, प्रसव पूर्व देखभाल आ मेडिकल उपकरण कॆ सुविधा के बावजूद ऐहॆन‌ स्थिति अछि. महिलाओं में साक्षरता कॆ दर 33.12 फीसदी (2001) स बढि क‌ 53.33 फीसदी (2011) मॆ भ गॆल‌.
शहर के मुकाबला ग्रामीण क्षेत्र में महिला साक्षरता दर में ज्यादा वृद्धि भॆल अछि. एकर‌ सीधा अर्थ अछि कि सुविधा भॆटई के बाद गांव की बेटि खूब पढ़-लिख रहल अछि. महिला साक्षरता दर में लंबा छलांग के लॆल‌ राष्ट्रपति बिहार सरकार कॆ सितंबर माह में सम्मानित सॆहॊ कॆलनि. बिहार देश भर में महिला व पुरुष साक्षरता दर में अंतर कॆ कम करै में उल्लेखनीय सफलता दर्ज कॆलक अछि.

Thursday, December 22, 2011

पटना मैराथन में समूचा बिहार विकास के नव दौर में दौरत

पटना में पहिल बेर फुल मैराथन आयोजित हुआ जा रहल अछी. ४१ किलोमीटर के पटना मैराथन में विदेशी प्रतिभागी सेहो भाग लेता. इ मैराथन दौर बिहार के सौंवी वर्षगांठ पर आयोजित हुव वाला कार्यक्रम में प्रमुख आकर्षण रहत.राज्य के मानव संसाधन विकास मंत्रालय पटना के मैराथन के अनुमति देत एकरा कार्यक्रम के कैलेंडर में जगह देलक अछी. दुनिया के प्रसिद्ध मैराथन के तरह बिहार के इ पहिल मैराथन के वर्ल्ड आइकन बनाव के तैयारी भ रहल अछी. पटना मैराथन के संकल्पना के जनक बिहार के किछ एहेन युवा छैथ जे अपन बिहार नै अपन देश दूर दुनिया के विभिन्न हिस्सा में प्रतिष्ठित पद पर आसीन छैथ.बिहार के इ युवा पटना मैराथन के न्यूयार्क, लन्दन, शिकागो जेहेन दुनिया के श्रेष्ठ मैराथन के श्रेणी में लावा चाहैत छैथ. पटना मैराथन में धर्म, रंग, संस्कृति, और गरीबी अमीरी के भेदभाव भुला का सब एक संग दौरता.इ एक एहेन मैराथन होयत जाही स पूरा दुनिया पटना के याद राखत.पटना मैराथन के अहि संकल्पना के पूरा श्रय अमेरिका में कार्यरत बिहार के सपूत अतुल कुमार के छैन. १९ फरवरी क आयोजित अहि एतिहासिक मैराथन दौर में पटना के संग समूचा बिहार विकास के नव दौर में दौरत.

वाचस्पति स्मारक बिहार के सांस्कृतिक तीर्थ बनत

नौवीं सदी में संस्कृत के महान विद्वान वाचस्पति मिश्र के गांव अंधराठाढ़ी प्रखंड अन्तर्गत ठाढ़ी में वाचस्पति स्मारक भवन के निर्माण कायल जायत। वाचस्पति मिश्र भामती महाकाव्य के रचना केने छलैथ। गांव के लोग स्मारक के लेल स्वेच्छा स 2 एकड़ 36 डिसमिल जमीन उपलब्ध करेला हां। अहू योजना की स्वीकृति सोमदिन भेट गेल। पर्यटन विभाग अहि स्थल के पर्यटन केन्द्र के रूप में विकसित करे के स्वीकृति प्रदान कय देलक।अहि के लेल भवन के निर्माण होयत। du लाख के लागत स संग्रहालय के निर्माण सेहो होयत। मिथिला चित्रकला संस्थान व वाचस्पति स्मारक बिहार के सांस्कृतिक तीर्थ बनत जे बिहार के विरासत के संरक्षण में सहायक होयत। बैठक में कला,संस्कृति व पर्यटन विभाग के सचिव सेहो उपस्थित छला।

आब मिथिला पेंटिंग में डिप्लोमा व डिग्री कोर्स

मिथिला पेंटिंग में एकवर्षीय डिप्लोमा आ दूवर्षीय डिग्री कोर्स शुरू कायल जायत। अहिक लेल मधुबनी में मिथिला चित्रशाला संस्थान के स्थापना होयत। अहि पर करीब छह करोड़ रूपया व्यय के अनुमान अछि। संस्थान के लेल 3.10 एकड़ भूमि के व्यवस्था मधुबनी नगर परिषद द्वारा कायल गेला।
विधान परिषद के सभापति ताराकांत झा के कक्ष में सोमदिन कला,संस्कृति व खेल मंत्री सुखदा पाण्डेय व पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू के संग भेल बैठक में योजना के स्वीकृति प्रदान कायल गेल। सभापति कहलैनी कि संस्थान में मिथिला पेंटिंग के प्रशिक्षण देल जायत। संस्थान में 50 प्रतिशत सीट महिला के लेल आरक्षित रहत। परिसर में निदेशक स ल क शिक्षक सबहक लेल आवास आ छात्र -छात्रा के लेल छात्रावास के निर्माण होयत । संस्थान के लेल शिक्षक के नियुक्ति होयत। भवन निर्माण के लेल विशेष परियोजना प्रतिवेदन तैयार कायल जायत।
श्री ताराकांत झा कहलैनी की डिप्लोमा व डिग्रीधारि के रोजगार के कमी नहीं होयत। सभापति संस्थान के बेहतर बनाबा के लेल जापान स पत्राचार सेहो केले हां।

पटना में मेट्रो रेलक ग्लोबल टेंडर शीघ्र


केन्द्र सरकार भले पटनावासि के मेट्रो या मोनो रेल की सेवा मुहैया करावा स कतरा रहल हुआ मुदा राज्य सरकार मेट्रो रेल के प्रयास तेज क देलक अछि। मेट्रो के स्थल निरीक्षण क लेल बहुत जल्द ग्लोबल टेंडर निकलत।
नगर विकास आ आवास विभाग के प्रधान सचिव शशिशेखर शर्मा एतय तक कहलें की -अगिला दू -तीन दिन में स्थल निरीक्षण के लेल ग्लोबल टेंडर निकाला जायत।अहि के लेल विभागीय स्तर पर सारा तैयारि पूरा भ चुकल अछि। मेट्रो या मोनो रेल स जुरल सवाल पर ओ कहलें कि तकनीकी विशेषज्ञ और टेक्नोलाजी के जरिये स्थलक निरीक्षण भेला क बाद इ तय होयत कि राजधानी में मेट्रो रेल सुगमता स चल सकैत अछि या मोनो रेल? इ विशेषज्ञ बातेता कि इ रेल राजधानी में कतय कतय स भ का गुजरत? ओ कहलें कि मेट्रो रेल संबंधी स्थल निरीक्षण पर 5-6 करोड़ रुपया के व्यय हुवा के अनुमान अछि।
एक सवाल के जवाब में ओ कहलें कि राज्य में बहुमंजिला इमारत के निर्माण के मद्देनजर नगर विकास आ आवास विभाग 'बिल्डिंग बायलाज' के अंतिम रूप देवा में जुटल अछि। अपार्टमेंट एक्ट पहिले बनी चुकल अछि।

Monday, December 12, 2011

अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन गुवाहाटी में

आठवां अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 22 आ 23 दिसंबर क असोम के राजधानी गुवाहाटी में होयत। इ जानकारी सम्मेलन के महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू देलानी। विद्यापति सेवा संस्थान के प्रधान कार्यालय में सोमवार क प्रेस-वार्ताक दौरान ओ कहलें कि 2003 में मैथिली के संविधान क आठवीं अनुसूची में शामिल केलाक बाद हर साल मैथिली अधिकार दिवस के उपलक्ष्य में इ आयोजन होयत अछि। अहि सम्मलेन माध्यम स मैथिली संवैधानिक मान्यता प्राप्त भाषाओं की माला गूंथने में जुटल अछि। अहि बेर सेहो 24 भाषा के साहित्यकारों के सम्मानित कैल जायत। दरभंगा स मैथिली के साहित्यकार डॉ. महेंद्र नारायण राम, हिन्दी के डॉ. प्रभाकर पाठक, संस्कृत के डॉ. शशिनाथ झा सम्मानित हेता। एलएनएमयू के वीसी डॉ. एसपी सिंह आ आकाशवाणी के कार्यक्रम अधिशासी डॉ. प्रभात नारायण झा विशेष रूप स अभिनंदित हेता। डॉ. बैजू कहालैने कि देश-विदेश स प्रतिनिधि अहि सम्मलेन में भाग लेता। मैथिली के संवैधानिक मान्यता दिलवा वाला भाजपा के प्रदेश अध्यक्ष पद्मश्री डॉ. सी.पी. ठाकुर, मंत्री अश्रि्वनी चौबे व विजय कुमार चौधरी, सांसद कीर्ति आजाद व महेश्वर हजारी, विधायक संजय सरावगी, विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी, पूर्व सांसद सुखदेव पासवान, आइजी आर.के. मिश्र सम्मेलन में विशेष रूप स आमंत्रित छैथ। सम्मेलन में मिथिला-मैथिली के सर्वागीण विकास पर विमर्श के संग कवि-सम्मेलन, विचार-गोष्ठी आ सांस्कृतिक कार्यक्रम होयत।

Pride of Mithila(मिथिलाक गौरव)

Friday, December 9, 2011

आइटी सेक्टर क लेल जमीन चिह्नित, लोक आबथु

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रदेश में आइटी के विस्तारक पर्याप्त गुंजाइश बताबैत कहला कि हम अहि सेक्टरक लेल जमीन चिह्नित कय लेलौ, लोग आव आ अहि क्षेत्र में निबेश करू। ओ कहला कि हार्डवेयर व साफ्टवेयर के क्षेत्र में निवेशकों के तमाम सुविधाएं मुहैया करायल जायत। ओ केंद्र के आइटी वेस्ट मैनेजमेंट कानून बनाबे के सलाह देला। ओ वृहस्पति दिन केंद्रीय संचार व सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालय आ राज्य सूचना व प्रौद्योगिकी विभाग द्वारा आयोजित 'सिटिजन सेंट्रिक ई-गर्वमेंट स्टेट कंसल्टेशन वर्कशाप' के उद्घाटन करैत उक्त बात कहला।
मुख्यमंत्री कहला कि सरकारक बेहतर परफारमेंसक लेल इ-गवर्नेस जरूरी अछि। प्रदेश में कानून-व्यवस्था के स्थिति बढ़िया अछि, निवेशक मन बनायें सरकार हुनका हर सुविधा दै क लेल तैयार अछि।
श्री कुमार ने कहला कि 2005 में जहन हुनक सरकार बनल छल, ओही समय मुख्यमंत्री सचिवालय में रेमिंग्टन के एक पुराना टाइपराइटर छल। मगर दू साल में एतेक प्रगति भेल कि इ-गवर्नेस में सर्वश्रेष्ठ उपलब्धि के लेल भारत सरकार बिहार को पुरस्कृत केलक। कार्यक्रम क अध्यक्षता विज्ञान एवं प्रावैधिकी मंत्री शाहिद अली खां केला।
इ-गवर्नेस के क्षेत्र में नव उपलब्धिय के रेखांकित करैत मुख्यमंत्री कहला कि सूचना के अधिकार के संदर्भ में हम देश में पहिल बेर सूचना प्रौद्योगिक के इस्तेमाल केलौ अछि। मुख्यमंत्री सचिवालय में जानकारी केंद्र पर एक लाख शिकायतें फोन पर दर्ज भेल। वित्त विभाग क अधीन कोषागार कंप्यूटरीकृत भ चुकल अछि आ ओतय स तमाम जानकारी आनलाइन प्राप्त कायल जा सकैत अछि।
सेवा के अधिकार एक्ट के संदर्भ में मुख्यमंत्री कहला कि 50 लाख स बेसी लोगों अखन तक अहि के लाभ उठा चुकल छैथ।अहिमे 32 लाख मामला जाति प्रमाण पत्र,आय प्रमाण पत्र व आवासीय प्रमाण पत्र स संबंधित अछि। 1 दिसंबर स आनलाइन आवेदन के व्यवस्था सेहो कैल गेल अछि।

शीघ्र होयत उच्चैठ शक्ति पीठक विकास


बिहार विधानसभा में गुरुवार को गैर सरकारी संकल्प के दौरान विधायक विनोद नारायण झा ने महाकवि कालीदास जन्म स्थान उच्चैठ डीह को पर्यटन स्थल घोषित किए जाने की मांग की है। विधायक ने कहा है कि उच्चैठ में कालीदास के नाम खतियान व जमाबंदी भी है। परन्तु कालीदास का जन्म मध्य प्रदेश के उज्जैन में माना जाता है जो गलत है। बिहार सरकार के पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिन्टू ने विधायक श्री झा के प्रश्न का जवाब देते हुए कहा कि डीडीसी मधुबनी से प्रतिवेदन मांगा जा रहा है। उसके बाद चरणबद्ध तरीके से पर्यटकीय दृष्टकोण से विकसित किया जाएगा। श्री झा के द्वारा विधानसभा में कालीदास की जन्मस्थल उच्चैठ का मामला उठाए जाने से यहां के प्रबुद्ध नागरिकों में हर्ष व्याप्त है।

Wednesday, December 7, 2011

राष्ट्रीय साहित्य सेमीनार मे भाग लेती सहरसा के स्वाती

सहरसा:- साहित्य अकादमी द्वारा पुद्दुचेरी(पांडिचेरी) मे आयोजित आधुनिक मैथिली साहित्यक प्रभाव क्षेत्र मे नारी तत्व विषय पर आयोजित संगोष्ठी मे सहरसा के स्वाती शाकंभरी भाग लेती। स्वाती 18 दिसंबर क पंचम सत्र मे मैथिलानीक कंठ अर्थात मैथली गीतक भंडार विषय पर अपन आलेख पढती। अहि स पहिने सेहो स्वाती कलकता मे आयोजित जवाहर लाल नेहरु राष्ट्रीय सांइस मेला मे सहरसा के प्रतिनिधित्व क चुकल छाइथ।

Saturday, December 3, 2011

मिथिला पेंटिंग वाला मधुबनी बनल आतंक क़े मोड्यूल


वर्षो पहिने कोनो निर्दोष व्यक्ति क़े हत्या क़े सजा मिथिला क़े कतेको गाम एखनो पावि रहल अछि .फला गाम क' नाम बुढ पुरान एखनो भोरे भोर नहि लैत छैथ .मिथिला में बनैया ,भुतही ,खुर्लुची सनक अनेको गामक उपनाम भेट जायत .लेकिन ओही अहिंसक मिथिला क़े मधुबनी जिला आई आतंक आ हिंसक अपराध क़े कारणे मधुबनी मोड्यूल क़े नाम सं जानल जायत अछि .पिछला पांच वर्ष में देश में भेल लगभग तमाम आतंकवादी घटना क़े तार मधुबनी सं जुडल अछि . अहि जिला क़े दर्जनों अपराधी इंडियन मुजाहिद्दीन आ लश्करे तोइबा सं संबध रखबाक कारणे पुलिस हिरासत में छैथ .मधुबनी पेंटिंग क़े नाम सं मशहूर ई जिला, मिथिलाक सरलता,विद्वता आ सांस्कृतिक विरासत क़े कारने सुविख्यात छळ .लेकिन अचानक आतंकवादी मोड्यूल क़े नाम सं किएक कुख्यात भेल ई पैघ सवाल अछि .लेकिन विचारनीय प्रश्न ई जरूर अछि जे मिथिला में हिंसक प्रवृति अपन जगह बना रहल अछि .
राजधानी दिल्ली स्थित जामा मस्जिद हमला आ पुणे स्थित जर्मन बेकरी बम धमाका मामला में सकरी ,गनवैर क़े गयूर अहमद आ शोइब क़े गिरफ़्तारी इंडियन मुजाहिदीन क़े तार मधुबनी सं जोड़ी देलक अछि .२००६ सं भारत में भेल दर्जनों आतंकवादी हमला में सीधे मधुबनी मोड्यूल क़े हाथ मानल जायत अछि .२००६ में मुंबई पुलिस बासोपट्टी निवासी मोहम्मद कमाल अंसारी क' गिरफ़्तारी मुंबई सिरिअल ब्लास्ट क़े आरोप में भेल छळ .२००७ में रामपुर सी आर पी ऍफ़ कैंप पर हमला क़े आरोप में सकरी ,गनवैर निवासी मोहम्मद साबुद्दीन क़े गिरफ्तारी सामने आयल .२००८ में यु पी पुलिस जयनगर निवासी पप्पू खान क़े दिल्ली सीरियल बोम्ब ब्लास्ट क़े आरोप में गिरफ्तार केने छळ .२००९ में बासोपट्टी क़े एक शिक्षक ओमर मदनी क़े दिल्ली पुलिस लश्करे तोइबा क़े ओवर ग्रौंड सदस्य क़े आरोप में केने छळ .जाहिर अछि ई तमाम गिरफ़्तारी पुलिस भारी छान -बीन आ मजबूत ख़ुफ़िया आधार पर केने छळ .ई गिरफ़्तारी आतंकवाद सं एक खास वर्ग क़े लगाव सं नहि जोड़ल जा सकैत अछि .अपितु भारत -नेपाल क़े बीच अनियंत्रित बोर्डर आ भ्रष्ट प्रशासन गरीब आ पिछडल लोक क़े रातो रात अकूत सम्पति बनेबाक फ़ॉर्मूला पेश कय रहल अछि .नेपाल में सक्रिय आई एस आई क़े एजेंट टका पैसा क़े प्रलोभन दय मधुबनी क़े ब्रीडिंग ग्रौंड बना रहल अछि .
बिहार -नेपाल क' ६२५ कि मी क़े खुल्ला बोर्डर राति हो या दिन बगैर कोनो बाधा क़े सबके लेल सुलभ अछि .जाहिमे जयनगर (मधुबनी )सं रक्सौल क़े बीच १२६ कि मी दुरी आई एस आई क़े गतिविधि क़े केंद्र बनल अछि .४१.६ ४ लाख आवादी वाला मधुबनी जिला जनसंख्या क़े लिहाज सं बिहारक तेसर पैघ जिला मानल जायत अछि .जतय लगभग ८ लाख लोक गरीबी रेखा सं नीचा गुजर करैत छैथ . ९४ प्रतिशत लोक एखनो गाम में कृषि रोजगार पर आश्रित छैथ .यानी गरीबी क़े मामला अब्बल अहि बोर्डर जिला में आई एस डी कॉल क़े भारी तादाद ख़ुफ़िया महकमा क़े चौका देने अछि .साप्रदायिक सद्भावना मिथिला क़े अहि बोर्डर इलाका सदियों सं बरक़रार अछि .खेती बाड़ी सं जुडल लोकक बीच सामाजिक सरोकार कोनो क्षेत्र सं बेसी अछि .अभाव आ विपन्नता क़े बीच हसी मज़ाक अहि ठामक पूंजी अछि .लेकिन गाम सं भेल पलायन आ नेपाल में आई एस आई क़े बढल सरगर्मी शांत प्रिय मधुबनी यानी मधु क़े वन में जहर घोली रहल अछि .(Sabhar: mithilalok.com

बीपीएससी पीटी परीक्षाफल पर फैसला सुरक्षित

बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) द्वारा लेल गेल 53वीं से 55वीं पीटी परीक्षा के नतीजा क रद करे के मांग के मामला में वृसस्पति दिन हाइकोर्ट दुनु पक्ष के बहस सुनलाक बाद आदेश सुरक्षित राखी लेलानी।
कोर्ट आयोग स अहि समस्याक समाधान पूछने रहे। अगर आयोगक सुझाव मान लेल गेल त संभव अछी अहि पांच हजार और परीक्षार्थी सफल मानी लेल जायत। दरअसल, आयोग कट आफ मा‌र्क्स घटाबा पर तैयार भ गेल अछी। आयोग 141 अंक पर पुनर्मूल्यांकन करेक लेल तैयार अछी। अगर ऐना भ जाई त 915 सफल परीक्षार्थी त रहिये जायत , हिनक संख्या में और पांच हजार इजाफा भ जायत। ध्यान रहे कि 150 अंकों के परीक्षा में 8 प्रश्न गलत छल। 142 अंकों पर मूल्यांकन भेल छल। कोर्ट आयोग स दोबारा परीक्षा लेबा लेल कहने छल। फेर मूल्यांकनक मसला पर कमेटी बनल।
बहरहाल, काली न्यायाधीश अजय कुमार त्रिपाठी के बेंच सुनवाई करैत कहला कि दुनु पक्षक बहस के ध्यान में राखी क आदेश पारित कैल जायत। याचिकाकर्ता मनोज कुमार के ओर स बहस करैत अधिवक्ता मनन कुमार मिश्रा दलील देला कि आयोग 53वीं स 55वीं पीटी परीक्षा एक साथ करा लेलक, लेकिन रिजल्ट देबा में भारी अनियमितता बरतल गेल। जाही कारण हजारों परीक्षार्थि के भविष्य चौपट भ गेल आ इ यह छात्रक जिन्दगी स खिलवाड़ केनाइ भेल । उक्त परीक्षा में अनेक एहेन प्रश्न पूछल गेल जकर उत्तर च्वाइस में नहीं देल गेल छल।
उक्त परीक्षाक लेल 13 जनवरी 2011 क विज्ञापन निकलल गेल छल। परीक्षाफल में 14 हजार परीक्षार्थि के सफल घोषित कैल गेल छल। परीक्षाफल के रद करेक मांग के ल क दायर याचिका में 54 परीक्षार्थी शामिल छल।

Friday, December 2, 2011

भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही

दरभंगा : प्रमंडलीय मुख्यालयक सामने धरना स्थल आ आसपास के इलाका वृहस्पति दिन नारा स गूंज रहल छल 'भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही', 'लऽ कऽ रहबै मिथिला राज्य।' आंदोलनकारी मिथिला राज्य संघर्ष समिति के बैनर तले मिथिला राज्यक मांग के ल क जुटल छाला। अहि दौरान पूर्व मेयर आ राजद के वरिष्ठ नेता ओमप्रकाश खेड़िया के अध्यक्षता में सभा भेल। अहिमे समिति के अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' मिथिला राज्य के लेल राजनीतिक दल, समाजसेवि आ विभिन्न संगठन के एकजुट होई के आह्वान केलखिन। ओ सीएम नीतीश कुमार स मिथिला राज्यक प्रस्ताव पारित क केंद्र के भेजई के आग्रह केलखिन। मिथिला विकास परिषद, कोलकाताक अध्यक्ष अशोक झा आजादी के बाद स अहि क्षेत्र के उपेक्षा पर क्षोभ प्रकट करैत आंदोलन के तीखा बनाबाई पर जोर देलखिन। जिला पार्षद डॉ. रामप्रवेश पासवान कहलें की मिथिला के बहुत पहिले राज्यक दर्जा मिल जेबाक चाहि आ अहि समय चली रहल आंदोलन में सब मिथिलावासी एकजुट भ जेबाक चाही। कांग्रेस नेता रामनारायण झा, मिथिला धर्म रक्षार्थ संघर्ष समिति के अध्यक्ष डा. एसएस झा, विद्यापति सेवा संस्थान के कार्यकारी अध्यक्ष डॉ. बुचरू पासवान, प्रो. उदयशंकर मिश्र, मो. सैफुल्लाह, मुखिया विजय पासवान, अधिवक्ता सियाराम चौधरी, रेखा चौधरी, देवकांत राय, श्याम किशोर राम, चंद्रशेखर झा बूढ़ाभाइ अपन विचार रखालानी। अंत में राष्ट्रपति के नाम संबोधित ज्ञापन आयुक्त के सौपल गेल।

Thursday, December 1, 2011

मुजफ्फ़रपुर :12 दिसंबर स पारले बिस्कुटक उत्पादन शुरू भ जायत


मुजफ्फ़रपुर : बियाडा में 36 करोड़ के लागत स पारले जी बिस्कुट क प्लांट बनि क तैयार अछी. सब किछ ठीकठाक रहल त प्लांट में 12 दिसंबर स बिस्कुटक उत्पादन शुरू भ जायत. अहि प्लांट स लगभग पांच सौ लोग के रोजगार भेटी के उम्मीद अछी.
प्लांट के डायरेक्टर संजीव ठाकुर कहलैनी कि लावानिया फिनबिस्ट प्राइवेट लिमिटेड के नाम स बियाडा 20 अक्तूबर 2010 क 5.5 एकड़ जमीन के आवंटन केने छल. 16 नवंबर 2010 स प्लांट बनाबाई के कार्य शुरू भ गेल छल.
श्री ठाकुर कहलैनी कि लावानिया फिनविस्ट प्राइवेट लिमिटेड कंट्रैक्ट मैनुफेक्चरिंग (सीएम) यूनिट क रूप में काज करत . ओ कहलैनी कि कंपनी के उद्देश्य अछि 12 दिसंबर स बिस्कुटक उत्पादन शुरू क देल जाय.
संजीव ठाकुर कहलैनी कि पहिले पारले जी बिस्कुट गोरखपुर, बनारस व कानपुर में बनैत छल. आ ओतहि स नॉर्थ बिहार में आपूर्ति कायल जैत छल, लेकिन आब मुजफ्फरपुर स पारले जी बिस्कुटक निर्यात नॉर्थ बिहार में होयत.
दो हजार टन उत्पादन
पहिल चरण में एक लाइन चालू कायल जायत. जाहिमे महीना के दो हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होयत. अहि के बाद दू लाइन और चालू कैल जायत.ओ कहलैनी कि अगर तिनु लाइन चालू भ जायत त अहि प्लांट स पांच हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होयत.
श्री ठाकुर कहलैनी कि अहि ठाम स नेपाल तक सप्लाइ कैल जायत. जरूरत परला पर कोलकाता कोलकता सेहो भेजल जायत.

दरभंगा में आयोजित दू दिवसीय मिथिला महोत्सव के झलक


साभार शशि मोहन