"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, October 29, 2012

यूरोप मे मिथिलाक सपूतक सम्मान

मधुबनी  जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड केर बसैठ पंचायत चनपुरा गांवक मूल निवासीस्व. भवनाथ चौधरीक सपूत शिक्षाविद अनेकानेक शिक्षण संस्थानक  प्रवर्त्तक संत कुमार चौधरी (55 साल) कें यूरोपियन यूनियनक सदस्य देश लिथुआनियाक केंद्रीय विश्वविद्यालय एलेक्जेंड्रा स्टलगिन्सकीस यूनिवर्सिटी मानदडी लिट (डॉक्टरेट डिग्री) क उपाधि प्रदान केलकनि अछि. मिथिलाक सपूत अप्पन अद्भुत अद्वितीय क्षमता प्रतिभाक बलबूता पर विदेश मे सम्मानित ' मात्र गाम जिलेके नहि अपितु सम्पूर्ण भारतवर्ष केरगरदनि गर्व ' ऊँच ' देलनि. लिथुआनियाकेर राजधानी काउनो आर मे 23 अक्टूबर' एक शासकीय समारोह मे हुनका उपाधि प्रदान कैल गेल. हुनकजनसंपर्क अधिकारी मनोरंजन मीडिया कें जानकारी देलनि कहलनि जे भारतमे शिक्षा, अभियांत्रिकी कृषि क्षेत्रके प्रसार कें संग-संग आन-आनदेश में सेहो उच्च शिक्षाक अवसर कें धेआनमे रखैत एकर विस्तार में सहयोगात्मक रुखक कारण ' हुनका सम्मान देल गेलन्हि अछि. ज्ञात हो कि प्रबंधन, शिक्षा, कृषि, इंजीनियरिंग, चिकित्सा 'जूडल देश मे बहुतो एहेन प्रख्यातशिक्षण संस्थानक स्थापना ' चुकलछथि.अपन गृह जिला मधुबनी मे हिनका द्वारा संचालित डिग्री कालेज, शंकर नेत्रालय,कृषि संस्थानक संग राजस्थान, एनसीआरदिल्ली, उड़ीसा, एमपी, यूपी, महाराष्ट्र सहित आन राज मे सेहो हिनका द्वारा संचालितशिक्षण संस्थान अछि. यूरोपियन संघ 'मानद डी लिटक उपाधि प्राप्तकरय बला श्री चौधरी चारिम भारतीयछथि. पछिला बरख प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह एहि सम्मान ' सम्मानित कैल गेल छलाह.
 

Saturday, October 27, 2012

बिहार में सरकारी शिक्षा भगवान भड़ोसे

जे बिहार हमेशा स ज्ञान के धरती रहल अछि शिक्षा जकर हमेशा स पहचान रहल अछि. जे धरती मंडन मिश्र , भामती सन विद्वान् के जन्म देलक जतय आदि काल स शिक्षा ग्रहण करैक लेल दुनियाक कोना कोना स लोग नालंदा विश्वविद्यालय आवैत छला. जे बिहारक अइयो समूचा पहचान शिक्षा लय क अछि. भारत में जतय मैरिट के गप्प होईत अछि ओतय बिहारी छात्र टॉप पर रहैत छाईथ. ओ चाहे संध लोकसेवा क परीक्षा हुआ या फेर बेंकिंग आ अन्य कोनो प्रतियोगिता परीक्षा बिहार क छात्रक संख्या सबस बेसी होईत अछि.
मुदा बिहारक एकटा कटु सच्च आओर अछि बिहार में साक्षरताक स्तर सबस कम अछि आ खास कय क महिला शिक्षा में त बिहार सबस निचा पायदान पर अछि. बिहार में महिलाक साक्षरता दर मात्र ४७% अछि ओतय पुरुष साक्षरता दर ६३.८% अछि जे भारत में सबस कम अछि. वर्तमान बिहार सरकार शिक्षा में सुधारक लेल किएक टा प्रयास केलक अपन पहिल शाशन काल में नितीश कुमार बिहार में रिक्त भेल शिक्षक पद पर लाखो के संख्या में शिक्षक नियुक्त केला. आ नियुक्ति के प्रक्रिया अखनो चली रहल अछि. मुदा जाही तरह स नियुक्ति भेल ओ बिलकुल गलत छल. पहिल चरण में जे नियुक्ति भेल ओकर भार गामक मुखिया के देल गेल आ शिक्षा मित्र के नाम पर स्कूल में एहेन लोग सब के बहाली भेल जकरा अपन नाम ढंग स लिखल नहीं होईत अछि. स्कूल सब में एहेन शिक्षक के कमी नहीं जिनका ढंग स जोड़ नहीं आबैत छैन. आ अहि शिक्षक के हाथ में बच्चाक भविष्य सौप देल गेल.
प्राथमिक शिक्षा उच्च शिक्षाक जड़ी होईत अछि मुदा बिहार में प्राथमिके नहीं माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक शिक्षा के जे हाल सरकार के गलत नीति बनेलक अछि एकर परिणाम आई नहीं आवै वाला किछ साल बाद देखाई देत. ओना वर्तमान में सेहो आहा देख सकैत छि आहां अपन गाँव के कोनो सरकारी स्कूल में जा क देखियो क्लास ५ के बच्चा के किताब पढें नहीं आबैत छैन. जोड़ घटाऊ त दूर २ स २० तक के पहाड़ा  नहीं आबैत छैन. बच्चा क्लास स बेसी क्लास स बाहर आ मास्टर गप्प लड़बैत या कुर्सी पर सुतल भेटता.
बिहार में प्राथमिक शिक्षा भगवाने भड़ोसे अछि. बिहारक सरकारी स्कूल में शिक्षा क स्तर पहिले स बेसी खराब भ गेला. आब स्कूल में पढ़ाई स बेसी राजनीति हुअ लागल ले. पहिले स्कूल में खाली मास्टर आ विद्यार्थी जाईत छला आ स्कूल में अध्यन या अध्यापन होईत छल मुदा आब स्कूल अहि सब स बहुत दूर भ गेल अछि आब स्कूल में अध्यन आ अध्यापन स बेसी चावल दाली के हिसाब बाड़ी स्कूल के मास्टर आ गामक मुखिया आ स्कूल के सचिव(बिहारक स्कूल में एकटा नव पोस्ट अछि जकर चुनाव मुखिया करैत अछि) करैत रहैत छाईथ. आ छात्र सेहो खिचड़ी के इन्ताजार में बर्तन बजावैत रहैत छैथ.
“ अहि बेर शिक्षक दिवस पर एकटा चैनल बिहारक एक टा स्कूल में गेल ओही स्कूल में टोटल १० टा शिक्षक छल आहंक ई सुनी आश्चर्य लागत स्कूल के १० टा में स एको टा शिक्षक के ई नहीं पता जे शिक्षक दिवस किनक जन्मदिन पर मनाओल जाईत अछि. ओही दसो में स एको टा के ई नहीं बुझल छलेनी जे सर्वपल्ली राधाकृषणण के छला. किनको ई तक नहीं पता जे भारत के राष्ट्रगान की अछि.” एहेन शिक्षक के हाथ में ज छात्रक भविष्य हुअ त बुझी सकैत छि जे भविष्य कतेक उज्जवल होयत.
शिक्षा के नाम पर हजारो कड़ोडो रूपया खर्च भ रहल अछि. अहिक बाबजूद बिहार में प्राथमिक शिक्षाक स्थति दयनीय अछि आ अहि दिश ककरो ध्यान नहीं जा रहल सरकारक गलत नीति स बच्चा क भविष्य खतरा में अछि. अगर समय रहैत अहि पर ध्यान नहीं देल गेल त बाद में फेर वेह स्थिति रहत अब पछताए होत का जब चिड़िया चुक गई खेत.

Saturday, October 20, 2012

एकटा रक्तवीज मरैत छैक हजारटा जन्म ल’ लेत छैक

माँ दुर्गे :माँ दुर्गा मिथिलाक अधिष्ठात्री देवीक पूजा मिथिलाक घर घर मे होयत छैक .मिथिला सभ दिन सं शक्तिक उपासक रहल अछि .जेहन वैदिक रीति सं मिथिला मे दुर्गा पूजा होयछ ओहन देस मे अन्यत्र कतौ नहि .दस दिन नियम पूर्वक ,वैदिक रीति सं पूजा अर्चना एहि ठाम देखय बाला होएत छैक .पहिल पूजा रेमन्त महराज सं प्रारम्भ होएत छैक .रेमन्त महराज अश्व वाहक रहथि। एहिना अन्य देवता सबहक पूजा होएत छनि .
दुर्गा शक्तिक प्रतीक छथि .
महिषासुर राक्षस क’ मारबाक लेल सभ देवता अपन अपन शक्ति दुर्गा क’ प्रदान करैत छथिन .महिषासुरक बद्ध दुर्गा माँ करैत छथि .एहि सं शिक्षा भेटैत अछि जे हमहू सभ कोनों कठिन काज करय में यदि हम सभ अपन अपन शक्ति एक ठाम क’ दियैक त’ ओ काज चुटकी बजा भ’ जायत .
मधु कैटभ दुनू भाई राक्षस छल .ओकर जन्म भगवान विष्णुक कानक मैल सं भेलैक आ दुनू बर बीर छल .भगवान नारायण एक हजार बरख ओहि दुनू सं लड़ैत रहलाह मुदा तैयो नहि जितलाह .अंत में मधु कैटभ हिनका पर प्रसन्न भेलनि आ कहलकनि ,यद्यपि तू हमर शत्रु छह तथापि तोहर युद्ध कौशल सं हम दुनू भाई प्रसन्न छी तै मांगय वरदान ,भगवान ओकर मृत्व कोना हेतैक ,वरदान में पुछलखिन आ ओ बता देलकनि आ जलक अंदर ओकर बद्ध केलनि .
निह्तार्थ ---मधु भेल राग आ कैटभ भेल द्वेष . राग द्वेष राक्षस रुपी कुबुद्धि छैक आ राग द्वेष क’ नाश करय लेल आतंरिक लड़ाई लड़य परैत छै आ जल रुपी प्रेम सं ओकरा मारल जायत छैक। जेकरा अंदर राग आ द्वेष छैक ओकरा अंदर मधु कैटभ रुपी दुष्टात्मा प्रवेश क’ गेल छैक। ओहि दुष्टात्मा क’ मारबाक लेल अंतरात्मा मे प्रेम ‘स्नेहक' अनबाक छैक . जे एहन नहि करैत अछि ओकरा शास्त्र पशु कहैत छैक .
रक्त वीज बद्ध :--शुम्भ निशुम्भ राक्षसक सेना मे रक्तवीज सभ सं पराक्रमी राक्षस छल . ओकरा वरदान छलैक जे ओकर एक बूंद रक्त अगर पृथिवी पर खसतैक त’ओहि सं एक हजार रक्तवीज जन्म लेतैक . चंड मुंड के मरलाक बाद रक्तवीज पुरा सेना ल’ माँ दुर्गा सं लड़बाक लेल आयल . माँ दुर्गा संग घोर युद्ध केलक। माँ जहिना रक्तवीज क’ मुरी कटथिन आ ओकर रक्त जहिना पृथिवी पर खसैक ओहिना हजारक हजार रक्तवीज उत्पन्न भ’ जाइक। माँ देखलनि ई ओना नहि मरत .एकर वीजे दूषित छैक। माँ चंडी –कालीक रूप धेलनि आ रक्तवीजक रक्त खप्पर मे पिबैत गेलीह . रक्त क’ जमीन पर खसहि नहि देलखिन एहि तरहे रक्तवीजक बद्ध भेलैक।
निःतार्थ ---रक्तवीज अंग्रेजीक जींस अर्थात डी एन ए सं सम्बंधित छैक। एतय संकेत भेटैत अछि जे पाप ,अधर्म जींस में प्रवेश क’ गेल छैक ओ कटने नहि कटैत छैक . ओ पापक पुनः जन्म भ’ जाइत छैक आ ओहि पाप क’ नास करबाक लेल समूल नष्ट करय परतैक। जींस में पाप रुपी सेल क’ नष्ट करक लेल कोनों वेक्सीनक जरुरत छैक . वैह वेक्सीन खप्परक काज करतैक।
एहि देस मे लाखक लाख रक्तवीज ठाढ़ छैक। एकटा रक्तवीज मरैत छैक हजारटा जन्म ल’ लेत छैक . एकरा सभ क’ वैह खप्परबाली माँ मारि सकैत छथि।
 
लेख : सत्यनारायण झा 
 

Friday, October 19, 2012

मधुबनी मे पत्रकार सबहक प्रति फूटल आक्रोश, ब्‍यूरोचीफ निलंबित

मधुबनी। प्रशांत-प्रिति मामला मे आब असली जनआक्रोश सामने आबि रहल अछि। मधुबनी क युवती सब आइ अफवाह पसारबा लेल एकटा स्‍थानीय दैनिक क खिलाफ सडक पर उतरि गेलतथि। कई सौ युवती जमा भ आइ शहरक मुख्‍य चौराहा पर दैनिक क प्रति जला देलथि आ स्थानीय प्रभारी क गिरफ्तारी क मांग केलथि। सड़क पर अखबार विरोधी नारा सेहो लगैत रहल। युवती सबहक एहि प्रकारक आक्रोश शहर पहिने कहियो नहि देखने छल, पूरा मीडिया युवतीक एहि आक्रोश पर स्‍तब्‍ध अछि। इ युवती सब कोनो संघ या दल क नेतृत्‍व मे इ आंदोलन नहि केलथि। अधिकतर युवती क कहब अछि जे प्रशांत आ प्रीति मामला मे किछु मीडियाकर्मी अपन स्‍वार्थपूर्ति लेल जानि कए अफवाह पसारि देलथि। जाहि मे एकटा स्‍थानीय अखबारक प्रभारी प्रमुख भूमिका मे छलाह। ओ आरोप लगेलथि जे एहन पत्रकार कए तत्‍काल हटा देल जाए आ साजिश रचबाक आरोप मे हुनका पुलिस शीघ्र गिरफ्तारी करै। हालांकि युवतीक आक्रोश आ आंदोलनक खबरि जहिना पटना पहुंचल, अखबार अपन मधुबनी प्रभारी कए तत्‍काल प्रभाव स निलंबित क देलक अछि आ कोनो प्रकार क समाचार लिखबा स रोकी देलक अछि।
दोसर दिस प्रीति क पिता सेहो आइ एकटा स्‍थानीय अखबार कए कानूनी नोटिस पठा एक सप्ताह क भीतर अपन स्‍थानीय संवाददाता पर कार्रवाई करबा लेल कहलथि अछि, नहि त प्रबंधन पर मुकदमा क धमकी देलथि अछि।
मीडिया क साख पर धब्‍बा आइ तखनो लागल जखन प्रशांत मामला मे तबादला क सजा स दुखी दरभंगा क पूर्व आईजी आरके मिश्रा कहला जे एहि पूरा मामला मे किछु मीडियाकर्मी आ किछु खास लोक क भूमिका सदिग्ध रहल अछि, जे हमर 26 साल क प्रशासनिक कैरियर पर दाग लगेबाक कोशिश केलथि अछि। सरकार एहि मामला क निष्पक्ष जांच करए, किया त इ मामला राज्य सरकार क संगहि प्रशासिनक महकमा कए बदनाम करबा स जुडल अछि। आरके मिश्रा क एहि बयान स कई मीडियाकर्मी सहित पुलिस विभाग क कईटा अधिकारी क नींद हराम भ गेल अछि ओतहि मीडिया संस्थान क साख खतरा मे त आबिये गेल अछि। ज्ञात हुए जे एकटा आईपीएस अधिकारी, पूर्व विधायक,एकटा वकील आ किछु पत्रकार क साजिश क शिकार बनल दरभंगा क पूर्व आईजी आरके मिश्रा कए तबादला करि देल गेल छल। श्री मिश्र आइ एडीजी आधुनिकरण क पद पर पुलिस मुख्यालय मे योगदान द देलथि।

साभार : ईसामाद 

Thursday, October 18, 2012

एक और राष्ट्रिय आन्दोलनक इतिहास रचत बिहार

मुंबई में सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारे बुधदिन कहलैनी कि जन लोकपाल आ भ्रष्टाचार मुक्त भारतक लेल जनवरी (2013) में पटना स लड़ाई शुरू होयत.
ओ कहला की, आब हम फैसला केलौ हे कि देशव्यापी दौरा जनवरी में ओही स्थान स शुरू होयत, जतय स जयप्रकाश नारायण अपन आंदोलनक शुरुआत केने छलैथ. श्री अन्ना कहला, हजारों युवा आंदोलन में शामिल होईक इच्छा व्यक्त केलैथ हे आ प्रौद्योगिकी नेटवर्कक मदद स ई संख्या करोड़ों में पहुंच जायत. हजारे कहलैनी कि हाल में मोतियाबिंदक ऑपरेशन होईक कारण हुनक देशव्यापी दौरा में विलंब भ रहल छैन.

परिवर्तन जनशक्तिक बिना नहीं: हजारे कहलैनी की , देश में परिवर्तनक समय आबि गेल अछि. पिछला 65 साल में राजनीतिक शक्ति स परिवर्तन संभव नहीं भेल. परिवर्तन जनशक्तिक बिना नहीं भ सकैत अछि. सरकार ककरो आओर स नहीं बल्कि, चुनावों में हारक डर स भयभीत अछि. परिवर्तनक लड़ाई लंबा होईत अछि.

Wednesday, October 17, 2012

सब गोटेक शारदीय नवरात्रा हार्दिक शुभकामना

प्रथमं शैलपुत्री च द्वितीयं ब्रह्माचारिणी।तृतीय चंद्रघण्टेति कुष्माण्डेति चतुर्थकम्।पंचमं स्कन्दमातेति षष्ठं कात्यायनीति च।सप्तमं कालरात्रि महागौरीति चाऽष्टम्।नवमं सिद्धिदात्री च नवदुर्गा प्रकीर्तिताः। आहा सब गोटेक शारदीय नवरात्रा हार्दिक शुभकामना।

शनि दिन दिल्ली में मैलोरंग द्वारा मंचन भेल नाटक आरिजनल काम







फोटो : प्रकाश झा

भाजपा मधुबनी कांड पर प्रायश्चित करत

भाजपा मधुबनी कांडक प्रायश्चित करत । पार्टी, मातृ आ शिशु मृत्यु दर कम करैक लेल प्रदेश स्तर पर अभियान चलायत । पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष डा. सीपी ठाकुर कहला की अहि सिलसिला में गर्भवती महिलाक निबंधन करायल जायत।
ओ कहला कि मधुबनी कांडक प्रायश्चित में पार्टी गर्भवती महिला आ नवजातक सुरक्षाक उपाय करत। अहिक लेल सरकार स गर्भवती महिलाक निबंधनक व्यवस्था करेयवाक लेल कहल जायत। अगर दू महिनाक भीतर सरकार व्यवस्था नहीं करत त इ काज पार्टी अपन स्तर स शुरू करत। पार्टी कार्यालय में अहिक लेल अलग स प्रकोष्ठ खोलल जायत। वर्तमान में बिहार मातृत्व मृत्यु आ शिशु मृत्यु दरक मामला में बहुत पाछा अछि। केरल में प्रसव के दौरान दस बच्चाक मौत होती अछि ओतय बिहार में एकर संख्या 47 अछि। कमोबेश येह हालत प्रसवक दौरान महिलाक मौतक सेहो अछि। अहिमे सुधार बहुत जरूरी अछि। गर्भवती महिलाक निबंधन करा हुनका लेल पौष्टिक भोजनक व्यवस्था करायल जायत। प्रसवक बाद अहि बातक ध्यान राखल जायत कि नवजात के छह माह तक सब जरूरी टीका आ पूरा पोषण देल जाए। ओ मधुबनी कांड के पैघ साजिश बतेला।

प्रेस कांफ्रेंस में मधुबनी कांडक विस्तार स जिक्र करैत बेनीपट्टीक भाजपा विधायक विनोद नारायण झा कहला कि पूरा प्रकरणक विस्तृत जांच हेबाक चाही। अचानक इलाका में सिरकटल लाशक बरामद भेनाई संदिग्ध अछि। अहि बातक तहकीकात हेबाक चाहि कि ककर बहकावा में प्रशांतक परिवार युवकक शव के किशोरक शवक रूप में पहचला? बेहद सुनियोजित ढंग स सरकारी कार्याल में आग लगायल गेल। प्रश्न ई अछि कि की लोग आगि लगावईक पूरा तैयारीक संग आंदोलन करय आयल छला? थाने आ प्रशासनिक कार्यालय में मौजूद सरकारी कागजात जरा देल गेल। भीड़ सबस पहिले हमला कैदी वैन पर केलक। अहि में मौजूद कैदि के भगा देल गेल। जाहिमे दूटा पाकिस्तानी नागरिक सेहो छल। जे फरार भ चौकल अछि। श्री झा पूरा मामला में विदेशी हाथक आशंका जतावैत कहला कि ई कांड बेहद खतरनाक संकेत द रहल अछि।

 

Tuesday, October 16, 2012

प्रशांत कांड- मधुबनी विध्वंसक लेल के जिम्मेदार

प्रशांत आ प्रीति क दिल्ली में भेटैक खबर स पूरा मामला यू टर्न लेलक , मुदा आब प्रश्न अनुत्तरित अछि कि मामला एतेक आगा धरि किएक गेल। उग्र आंदोलनक आगि मधुबनी में विध्वंसक नव गाथा लिखलक अहिक लेल के जिम्मेदार छियाथ। अंत-अंत तक प्रशांतक मां विनीता देवी आ दादी क्षेमा देवी के द्वारा सिर कटल शवक दावेदारी मामलाक उलझावईक काज केलक। तर्कक जगह भावना में बहल लोग ककरो सुने लेल तैयार नहीं छल। और फेर ओ भेल जकर कल्पना तक कियो नहीं केने होयत।
दरअसल प्रशांत आ प्रीति क गायब भेलाक बाद स दुनु परिवार अहि मामला क शांति स सुलझावई क बदला एक दोसर के सबक सिखावईक लेल तैयारी में आमने-सामने छल। जहैनी की मामला स दुनु परिवार अनजान नहीं छल। 7 सितंबर क प्रशांतक गायब भेलाक अगिला दिन हुनक दादा चंदेश्वर झा नगर थाना में ओकर गुमशुदगीक सनहा दर्ज करोलैनी। ओतय 11 सितंबर क प्रीतिक पिता शिक्षाधिकारी जगतपति चौधरी नगर थाना में प्रीति क अपहरण के आरोप लगावैत प्रशांत आ ओकर दादा चंदेश्वर झा सहित आधा दर्जन लोगक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करेलैनी। अहि मामला में पुलिस प्रशांतक दादा सहित तीन आरोपि के गिरफ्तार क जेल भेज देलक। अहि बीच शिक्षक आ कर्मचारी संघ द्वारा कायल गेल चरणबद्ध आंदोलन सेहो अहि मामला के तूल देलक। अहि दबाव स घबराहट में आयल झा क परिजन जगतपति चौधरी आ संघक नेता के सबक सिखावैक लेल आतुर भ गेल। आ मौका सेहो भेट केलैनी। ककना पुलक निकट भेटल सिर कटा शव के पहचाने में झा परिवारक जिद पूर्ण जल्द बाजी देखेलक। प्रशांतक दादी अहि मामला में जगतपति चौधरी सहित संघक तीन नेता के अहि मामला में आरोपित कय पूरा प्रकरणक दिशा बदलैक कोशिश केलैनी। आ हुनकर इ कोशिश 15 अक्टूबरक शाम तक कामयाब रहल। प्रशांत आ प्रीति के भेटै स पाहिले तक पूरा शहर उक्त परिवारक विचारक संग छल। 12 दिनक बाद सिर कटल शवक कोनो दोसर दावेदार नहीं भेला स लोग झा परिवारक विचारस सहमत छल। दुनु परिवारक बीच बनल तनावक बीच आम लोगक भेटल जबरदस्त सहानुभूति ओही समय उग्र रूप धारण क ललक जहैनी प्रशांतक मां आ दादी कथित शवक लेल11 अक्टूबर क अनशन पर बैस रहली। हिनक समर्थन में सड़क पर उतरल छात्र आ युवकक भीड़ अविवेकी भ गेल। आ ताहिक बात मधुबनी स दिल्ली तक जे भेल ओ सबहक सामने अछि।

मधुबनी कांड महोब्बत मर्डर आ मिस्ट्री

मधुबनी कांड ने सोमदिन नाटकीय मोड़ लेलक । जनता क भारी हंगामा आ पुलिस फायरिंगक केंद्र में रहल प्रशांत झा आ प्रीति चौधरी के दिल्ली पुलिस महरौली क समीप स बरामद केलक। डीजीपी अभयानंद कालि सांझ संवाददाता सम्मेलन में अहि पूरा प्रकरणक विस्तार स जानकारी देलैनी। मधुबनी कांड पर विपक्ष कालि बिहार बंद करेने छला।
डीजीपी कहला कि शाम साढ़े चार बजे अहि सूचना पुष्ट भेल कि प्रशांत आ प्रीति दिल्ली क महरौली थाने में छैथ । अहिक बाद प्रशांत आ प्रीति स बातक पूरा मामला साफ भेल।
डीजीपी कहला कि प्रशांत स जहैनी प्रीतिक बारे में पूछल गेल त ओ कहलक कि हम प्रीति स विवाह करय चाहैत छि। प्रीति सेहो प्रशांतक संग रहैक बात कहली। प्रशांत बतेलक कि सात सितंबर क ओ मधुबनी स मुजफ्फरपुर गेल। मुजफ्फरपुर स रांची। रांची स जम्मू आ जम्मू स दार्जिलिंग और फेर दिल्ली आयल।
डीजीपी कहला कि मधुबनी पुलिस दिल्लीक महरौली थाना क अहि कांडक प्राथमिकी फैक्स केला हे। पहिले दुनुके जुवेनाइल कोर्ट में पेश कायल जायत। अहिक बाद मधुबनी आनल जायत।
 

Monday, October 15, 2012

मधुबनी कांडक विरोध में आई बिहार बंद रहल

मधुबनी कांडक विरोध में लेफ्ट पार्टियों द्वारा बजायल गेल बिहार बंदक दौरान आई कतेको जगह पर ट्रेनें रोकी देल गेल. संगही अनेको जगह स पथराव क खबर सेहो आयल अछि.लालू यादव आ रामविलास पासवान आई बंदक समर्थन में सडक पर उतरला. पासवान मधुबनी कांडक लेल नीतीश क जिम्मेदार ठहरावैत हुनक इस्तीफाक मांग केलैनी . अहि बंद क कांग्रेस आ लालूक पार्टी सेहो अपन समर्थन देलैनी.
सरकार बंदक दौरान उपद्रव फैलावै वाला स सख्ती स निबटईक निर्देश देलक अछि.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आई आला अधिकारिक संग बैठक क विधि व्यवस्थाक स्थितिक समीक्षा केलैनी आ बंदक दौरान चौकसी बरतईक निर्देश देलैनी. मुख्य सचिव अशोक कुमार सिन्हा कहला कि बंद क देखैत विधि व्यवस्थाक स्थितिक समीक्षा कायल गेल. बैठक में हुनका अलावा गृह विभाग के प्रधान सचिव आमिर सुबहानी, डीजीपी समेत आओर अधिकारी मौजूद छाला.
मधुबनी में भेल हिंसाक खिलाफ़ राज्य भरी में विपक्षी दलक दिश स आई बजायल गेल 'बिहार बंद'क राज्य भर में ख़ासा असर देखल जा रहल अछि. राज्यक प्रमुख शहर में अधिकांश व्यावसायिक आ शैक्षणिक संस्थान बंद अछि. ओतय कियक ठाम यातायात ठप अछि। दरभंगा, जहानाबाद, नालंदा, पटना आ मधुबनी ज़िला समेत आओर कतेको स्थान पर लोग रेल पटरि पर जमा भ गेल छला.
अहि कारण राज्यक अनेक रेलमार्ग पर ट्रेनक परिचालन रुक गेल. कतौ कतौ तोड़फोड़ घटना सेहो भेल. भारी संख्या में बंद समर्थक क गिरफ्तार कायल गेला .

बंदक समर्थन में पटना के डाकबंगला चौराहा पर पहुंचल आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव कहला, ''मधुबनी गोली कांड के लिए सीधे तौर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ज़िम्मेदार हैं. क्योंकि उन्हीं की शह पर वहां गोलियां चलाई गईं और दो छात्रों की हत्या कर दी गई. अब मुख्यमंत्री न्यायिक जांच कराने का ढोंग कर रहे हैं.''

बंदक दौरान आरजेडी नेता लालू प्रसाद यादव आ लोकजनशक्ति पार्टीक नेता रामविलास पासवान सेहो अपन गिरफ्तारी देलैनी.

 

प्रशांत हत्याकांडक जाँचक लेल दिल्ली में भेल कैंडल मार्च



मधुबनी में प्रशांत हत्याकांड के लय क कालि दिल्ली में नवपल्लव आ मैथिल यूथ परिषदक संयुक्त आयोजन में कैंडल मार्च के कायल गेल। संसद मार्ग स कैंडल जला क जंतर मंतर पर JDU ऑफिस के सामने कैंडल राखी 2 मिनट के मौन धारण कैल गेल। आ मधुबनी में भेल घटना क जाँच आ दोषी क खिलाफ जल्द करवाई के मांग कायल गेल। IAC क नेता अरविन्द केजरीवाल सेहो अपन समर्थन दैत JDU ऑफिस लग पहुचला। आ अरविन्द जी अपन समर्थन दैत IAC क धरना में बैसल लोग सब के सेहो अपन मंच स कैंडल मार्च में भाग लै क आवाहन केलखिन। अहि कैंडल मार्च में श्री कृपा नाथ झा , भवेश नंदन, रामचंद्र झा नवपल्लव के सचिव भवन ठाकुर , अमरकांत झा , गोपाल जी गोपाल , मैथिल यूथ परिषद् के अध्यक्ष आनंद झा , मुकेश झा , वशंत झा आ पत्रकार आशीष झा आदि भाग लेला।
 

Saturday, October 13, 2012

जल उठल मधुबनी स्थिति आउट ऑफ कंट्रोल

बिहारक मधुबनी जिला जतय कालि  दिन के १२ बजे स आन्दोलनकारि जम क हंगामा केलक। मामला किछ अहि प्रकार अछि।
विगत १ महिना पहिले मधुबनी शहरक इंडियन पब्लिक स्कूलक १० वींक एक17 वर्षीय लड़का प्रशांत गायब भ गेल। हुनकर दादा मधुबनी थाना में एक सनहा दर्ज करोलैनी। ठीक ओहिक तीन दिन बाद मधुबनी क जिला शिक्षा पदाधिकारी जगतपति चौधरी अपन बेटी जे  इंडि
यन पब्लिक स्कूल क १० वींक छात्रा छली क अपहरणक मामला मधुबनी थाने में दर्ज करोलैनी जकर इलज़ाम ओ प्रशांत पर लागोलैने। आओर ओहिक बाद पुलिस प्रशांतक दादा ओ हुनकर भाई आ हुनक एकटा  संगी के गिरफ्तार केलक। ठीक २८ दिनक बाद मधुबनी के बगलक गाँव ककना स एक टा सर कटल लाश बरामद भेल जकर पह्चान प्रशांतक माँ आ दादी अपन बेटाक रूप में केलैनी मुदा मधुबनी पुलिस लाश नहीं देलक आ कहलक की इ लाश प्रशांतक नहीं अछि . आ अहि मामला में प्रशांतक परिजन मधुबनी थाना में जगतपति चौधरी सहित अन्य चार लोग पर हत्याक मुकदमा दर्ज करव चाहला जकरा  पुलिस इ कहिक इन्कार कय देलक कि जहैनी लाश प्रशांतक नहीं अछि त  फरे हत्याक मुकदमा कोना। लेकिन प्रशांतक माँ आ दादी इ कहैत रहली कि इ हमर बेटाक लाश अछि। फेर पुलिस हुनका टालैत कहलक की पोस्टमार्टमक बाद लाश हुनका देल जायत। पोस्टमार्टमक रिपोर्ट में डॉक्टर इ कहला कि उक्त लाशक उम्र २५ वर्ष अछि जहैनी की प्रशांतक उम्र १७ साल बतायल गेल।
मुदा जतय तक कानुनक गप्प अछि अगर ७२ घंटा तक लाशक कोनो दोसर दावेदार नही होई त पहिल दावेदार के लाश सौंप जाई लेकिन पुलिस एहेन नहीं केलक इ कहिक कि आब एकर d n a करावल जायत। लोगक कहब अछि की अहिक पाछा  जगतपति चौधरीक गाँव के एक वरीय पुलिस अधिकारीक दवाव में आवि क पुलिस ऐना केलक अगर लाश प्रशांतक नहीं त  केकर अछि। जगतपति क बेटी के पुलिस एखन धरी किएक नहीं तकलक , अगर लाश प्रशांतक नहीं अछि त प्रशांत कतय अछि ?अहि सवालक जबाब पुलिसक पास नहीं अछि जाही स पूरा जिलाक लोगक आक्रोश बढ़ल गेल आ जगतपति चौधरीक गिरफ्तारीक मांग भेल आ लाश भेटलाक एक सप्ताह बाद सेहो सम्बंधित लोग के नहीं देल गेल।
मजबूर भ क प्रशांतक माँ आ दादी अपन बेटाक लाश लेल अनशन पर बैसी रहली।
आ बात पूरा जिला तक पहुच गेल। आ  पुलिस अनसन पर बैसल प्रशांतक मा आ दादी सहित दर्जन महिला पर लाठियां सेहो चलेलक जाही पर आन्दोलनकारि मधुबनी के कलक्ट्रेट, पुलिश थाना, एसडीओ कार्यालय सहित दर्जन भर गाड़ी में आग लगा देलक आ पुलिस के तरफ स जबाबी फायरिंग में दू टा आन्दोलनकारी के मौत सेहो भ गेल आ दर्जन स बेसी लोग गंभीर रूप स घायल छैथ।
आ धीरे धीरे आन्दोलन के असर पूरा जिला में फ़ैल रहल अछि। कैल पुलिस गोली स मौत भेल निशांत झा के लाश जहैनी आई हरलाखी पहुचल त लोग ओतहु खूब हंगामा क रहल छैथ प्राप्त सूचना क अनुसार हरलाखी बासोपट्टी के थाना में सेहो गाड़ी सब में आगि लगा देल गेला आ जयनगर बेनिपट्टी , झंझारपुर सहित पूरा जिलाक माहौल बहुत ख़राब अछि।
कैली आननं फानन में मधुबनी के डीएम आ एसपी के हटा देल गेल आ पूरा मधुबनी शहर में दोसर जिला सब स पुलिस के बजाओल गेल।

Friday, October 12, 2012

आब बिना डेविट आ क्रेडिट कार्ड के आनलाईन रेलवेक टिकट भेटत

रेल टिकटक ऑनलाइन बुकिंग के आसान बनावईक लेल आइआरसीटीसी जल्दिये नव स्कीम ‘रोलिंग डिपॉजिट स्कीम’ (आरडीएस) लांच करै वाला अछि . अहि स यात्री के ऑनलाइन प्रीपेड खाता स रेल टिकट भेट सकत, जाहिस यात्री के भुगतानक लेल बैंकक वेबसाइट पर लम्बा प्रक्रिया आ टिकट बुक करवईक दौरान ट्रान्जैक्शन फेल्ड जेहन समस्या स निजात भेट जेतैनी. आ अहिक लेल कोनो बैंक में एकाउंट भेनाई सेहो जरूरी नहीं रहत.

अहि सुविधाक लाभ लेवक लेल रेल यात्री के आइआरसीटीसीक वेबसाइट पर रजिस्ट्रेश करेनाई आवश्यक रहत . आरडीएस एकाउंट में कम-स-कम डेढ़ हजार रुपया जमा करय पड़त . ई राशि नेट बैंकिंग या क्रेडिट कार्डक द्वरा जमा जा सकैत अछि. अहिमें 250 रुपया रजिस्ट्रेशन फीस होयत, जे टिकट बुकिंगक लेल एकाउंट में क्रेडिट भ जायत. ई जमा खाताक जेना काज करत, जकरा टॉप-अप सेहो करावल जा सकैत अछि.

टिकट बुकिंगक लेल नेटबैंकिग आ क्रेडिट कार्डक ऑप्शन पहिलेक तरह रहत . जे लोग आरडीएस लेता, खाली हुनके इ सुविधा भेटत. टिकट बुक करावईक लेल आइआरसीटीसीक वेबसाइट पर जा क पहिले पैसेंजर संबंधी जानकारी दर्ज करै पड़त. तकर बाद नेट बैंकिंग आ क्रेडिट कार्डक जरिये पेमैंटक ऑप्शन भेटत.

   

Monday, October 8, 2012

बदलैत बिहारक एकटा हकीकत इहो अछि

पटना। बिहारक 15 गांव में अवैध दारू के 116 टा ठेका अछि। अहि ठाम शिक्षा पर अपन कमाईक तीन फीसदी आ दारू पर 25 फीसदी खर्च भ रहल अछि। ई बदलैत बिहारक तस्वीरक एक पहलू अछि। गांवों में बच्चा स लय क बूढ़ तक दारू पीव रहल छैथ। समस्तीपुर में एकटा गांव एहेन अछि जतय सब प्राणी वैध-अवैध दारू पीवैत छैथ । ई बात एकटा सर्वे में आयल अछि।



नीतीश सरकारक नव शराब नीति शराब के गांव-गांव तक पहुंचा देलक। लोक-लाजक चलते पहिले लोग शराब भट्ठि में जाई स परहेज करैत छला। मुदा आब चाय-पानक दोकान में सेहो पाउच आसानी स भेट जैत अछि । पहिले जतय सांझ भेला पर मदिरालय सजैत छल , आब भोर- सांझ क भेद मिट चुकल अछि। सरकार अधिक रेवेन्यूक लेल शराब दोकंक पसार केलक।



राज्य में वैध-अवैध दारूक चलनक ल क नेशनल एलायंस ऑफ वीमेन आर्गनाइजेशन आ वीमेन नेटवर्क एकटा सर्वे केलक । सर्वेक नतीजा न खाली चौंकावैत अछि बल्कि ई डरावैत सेहो अछि। सबस खतरनाक बात अवैध दारूक खपतक ल क अछि। सर्वे में समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, नवादा, नालंदा, सुपौल, खगड़िया, गया, भोजपुर, बेगूसराय, अरवल, सीवान आ वैशाली जिला में भेल। अहि जिलाक एक-एक गांव के स्टडीक लेल चुनल गेल छल।



सर्वे में पता चलल कि पांच साल पहिले 30 फीसदी मर्द शराब पीवैत छला, आब ई परसेंटेज बढ़ क 70 भ गेला। अहिना हैरान करई वाला तथ्य सामने आयल कि महिला में दारूक खपत सेहो बढ़ला। पांच साल पहिले जतय दू स तीन परसेंट गांवक महिला शराब पीवैत छली , ओतहि आब 10 परसेंट तक शराब पीवै लगीली हे। ओना अगर पूरा देशक बात करी त 9.8 फीसदी ग्रामीण आबादी शराब पीवैत अछि जहनी की शहरी क्षेत्र में एकर प्रतिशत आठ अछि।



एकटा सरकारी रिपोर्ट के मुताबिक पूर्वी चंपारण में 27.6 परसेंट, मुजफ्फरपुर में 26.5, गया में 25.9, नालंदा में 25.7 आ नवादा मे 24.8 परसेंट आबादी शराब पीव रहल अछि। अहि स ई पता चलैत अछि की ग्रामीण इलाका में खपत तेजी स बढ़ रहल अछि।

Friday, October 5, 2012

विद्यापति गीतक संग शुरू भेल राष्ट्रपतिक सम्मान में सांस्कृतिक संध्या

राजभवन परिसरक नवनिर्मित राजेंद्र मंडप में बुधदिन सांझ विद्यापति गीतक मधुर स्वरक संग शुरू भेल। अमीर खुसरोक सूफी आ गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोरक रचना एकला चलो रे क संग गुनगुनात बिहार गौरव गानक विशिष्ट कोरियोग्राफी आ तेज धुनक संग ओतय बैसल लोग सेहो खूब कोरस केला- महका-महका सोंधी माटी का बिहार है। राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीक सम्मान में राजेंद्र मंडप में विशेष सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कायल गेल छल। बुधदिन राष्ट्रपति अहि भवनक उद्घाटन केलैनी।
रंजना झा सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुरुवात विद्यापति गीत 'जय-जय-जय भैरवी असुर भयावन, पशुपति भामिनी ..' स केलैनी। रंजना अहिक बाद मैथिली एकटा श्रृंगार रसक रचना 'सुनो-सुनो रसिया आब नय बजाऊ बंसिया गेलैनी।' रंजना के बाद बारी सूफी संगीतक छल। बेतिया स आयल असलम चिश्ती क सूफी संगीतक प्रस्तुति क लेल खास तौर पर बजायल गेल छल। सूफीक आरंभ अमीर खुसरोक अमर रचना 'छाप तिलक सब छीनी रे तोसे नैना मिलाके ..अपनी सी रंग लीन्ही रे तोसे नैना मिलाके' स भेल।
सूफीक बाद स्थानीय रवींद्र परिषदक कलाकार सभई कोरियो आह्वान स शुरू केलैनी आ तकर बाद गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोरक अमर रचना 'एकला चलो रे' गेलैनी। अंत में बिहार गौरव गानक प्रस्तुति नव आ जबर्दस्त कोरिओग्राफक संग पेश कायल गेल। बिहार गौरव गानक संग सांस्कृतिक कार्यक्रमक समापन भेल।
 

Thursday, October 4, 2012

मिथिला धरोहर भूमि छी : राष्ट्रपति

दरभंगा। राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी कहला अछि जे मिथिला धरोहर भूमि छी, एहि ठाम क हर कण एकटा धरोहर छी। ललित नारायण मिथिला क चारिम दीक्षांत समारोह कए संबोधित करैत कामेश्‍वर नगरक नागेंद्र झा मैदान मे राष्ट्रपति कहला जे नव प्रयोग कए बढ़ावा भेटबाक चाही। शोध काज पर बल दैत महामहिम कहला जे वर्ष 1972 मे स्थापित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय बहुत लंबा सफर तय क चुकल अछि। 43 अंगीभूत आ 36 संबद्ध कालेज एकर क्षेत्र मे अछि। महाराज दरभंगाक दान देल करीब एक लाख पुस्तक आ पांडुलिपि क एहि ठाम विशाल संग्रह अछि। एहन मे एहि ठाम अधिक स अधिक शोध हेबाक चाही। ओ कहला जे नव प्रयोग कए बढाबा देबा लेल देश मे राष्ट्रीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना कैल गेल अछि। इ भारत मे नव-नव अन्वेषी तरीका क लेल रोडमैप बनाउत। राष्ट्रपति कहला जे प्रत्येक राज्‍य मे राजकीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना आ केंद्रीय मंत्रालय स जुडल विभागीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना क काज जारी अछि। ऑप्टिकल फाइबर क बुनियाद पर स्थापित राष्ट्रीय ज्ञान नेटवर्क 1500 उच्चतर अध्ययन आ अनुसंधान संस्थान कए आपस मे जोड़त।
राष्ट्रपति कहला जे विश्वविद्यालय मे स्वायत्त अनुसंधान कार्य कए बढ़ावा देब सेहो समान रूप स महत्वपूर्ण अछि। एकरा लेल विश्वविद्यालय क संपर्क क द्वार आओर विभिन्न संस्थान स सहयोग कए बढ़ाएब जरूरी अछि।
राष्ट्रपति कहला जे उच्चतर शिक्षा मे सार्वजनिक निजी भागीदारी सहित निजी निवेश कए सेहो प्रोत्साहित कैल जाएत। मुखर्जी कहला जे 12वीं पंचवर्षीय दृष्टिपत्र मे उच्चतर शिक्षा लेल केन्द्र सरकार विस्तार, समानता आ उत्कृष्टता क तीन सूत्री रणनीति अपनेबाक लक्ष्य रखलक अछि। दृष्टि पत्र मे राज्य विश्वविद्यालय आ कालेज मे नव जान फूंकब एहि योजना एकटा महत्वपूर्ण हिस्सा अछि। उत्कृष्टता क केंद्र बनेबा लेल सरकार विश्वविद्यालय क नवोन्मेष क कईटा पायलट प्रोजेक्ट, स्वायत्तता आ संसाधन बढेबाक प्रस्ताव केलक अछि।
भारतीय युवा वर्ग कए देश लेल अमूल्य धरोहर कहैत ओ कहला जे 2025 मे देश क आबादी क 70 प्रतिशत स बेसी हिस्सा कामकाजी बैसक लोक क होएत। एहि युवा कए ठोस बुनियाद दैत हमरा सब कए हिनका भविष्य लेल तैयार करबाक चाही। एकरा लेल उच्चतर शिक्षा क उपलब्धता बढेबाक संगहि हिनका सबहक पहुंच क दायरा मे व्यावसायिक कौशल क प्रशिक्षण कए आनब जरूरी अछि। ओ कहला जे विश्वविद्यालय आ शैक्षणिक संस्था कए उत्कृष्ट केंद्र बनेबा लेल सरकार विशेष अनुदान द रहल अछि। एकरा लेल एकटा राष्ट्रीय कौशल विकास परिषद क स्थापना कैल गेल अछि जे 2022 तक 15 करोड़ कुशल कामगार तैयार करत।
कार्यक्रम मे उपस्थित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे राज्य सरकार लोक क शिक्षा, स्वास्थ्य, साक्षरता आ प्रजनन स्वास्थ्य कए बढेबा लेल ‘मानव विकास मिशन’ शुरू केलक अछि। ओ कहला जे मानव विकास मिशन क उद्देश्य मानव क हर क्षेत्र मे विकास करब अछि। स्त्री शिक्षा कए बढ़ावा द कए लोक सब कए प्रजनन स्वास्थ्य क प्रति जागरुक करब आ जनसंख्या स्थिरीकरण क लक्ष्य अछि। बिहार मे साक्षरता कम रहबाक कारण प्रजनन दर बेसी अछि। महिला कए साक्षर करबा स जनसंख्या क स्थिरीकरण होएत। कार्यक्रम मे राज्यपाल देवानंद कुंवर कहला जे मिथिला क संस्‍कृति आ सभ्‍यता काफी पुरान अछि आ इ विश्‍वविद्यालय एकर संरक्षण आ प्रतिनिधित्‍व करैत अछि। विश्‍वविद्यालयक प्रतिवेदन प्रस्‍तुत करैत कुलपति समरेंद्र प्रताप सिंह कहला जे विश्‍वविद्यालय अपन कम संसाधन क बावजूद महत्‍वपूर्ण उपलब्धि हासिल केलक अछि। एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, शिक्षामंत्री पीके शाही सहित कईटा गणमान्य लोक उपस्थित छलथि। राष्ट्रपति पांचटा विद्यार्थी कए स्वर्ण पदक प्रदान केलथि। जखनकि कुल 25टा विद्यार्थी कए स्वर्णपदक प्रदान कैल गेल। कार्यक्रम क बाद प्रणब दा क एक झलक देखबा लेल भोर स ढार जनता आ सुरक्षाकर्मी क बीच झडप भ गेल। झडप एतबा बढल जे पुलिस कए लाठीचार्ज करबा लेल मजबूर हुए पडल, जखन कि उग्र जनता कईटा वाहन कए क्षतिग्रस्‍त क देलक। एहन मे फेर सवाल उठैत अछि जे आम आदमी स दूर भ आम आदमी बनबाक प्रणब दा क इच्‍छा आखिर केवल ‘महामाहिम’ शब्‍द क उपयोग रोकला स संभव भ सकत। किया त एकटा ‘आम आदमी’ कए एक झलक देखबा लेल ठार आम आदमी कए लाठी मारबाक कोन जरूरत छल।
 
साभार : ईसामाद 

Monday, October 1, 2012

संस्कृत उच्च शिक्षा के आधुनिक शिक्षा प्रणाली स जोड़ईक योजनाबद्ध कवायद शुरू

संस्कृत उच्च शिक्षा के आधुनिक शिक्षा प्रणाली स जोड़ईक योजनाबद्ध कवायद शुरू भए गेल अछि । अहिक लेल विभिन्न चरण में प्रयास के अंजाम पर पहुंचावईक काज शुरू कय देल गेल अछि। एकर खुलासा करैत कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विविक कुलपति डा. अरविन्द कुमार पांडेय एखन तक के एक सालक कार्यकाल में कैल गेल प्रयास के जतय जानकारी देलैनी ओतही आगामी योजना स सेहो अवगत करेला। विधान परिषद सदस्य प्रो. विनोद कुमार सिंहक संग शुक्रदिन मधुबनी पहुंचल डा. पांडेय स्थानीय परिसदन में पत्रकार स मुखातिब होइत उक्त बात कहला।
वीसी कहला कि बीतल एक साल में ओ विविक मान्यताप्राप्त कालेजक संसाधन के सुदृढ़ करईक दिशा में कदम उठोला हे। ओ तय समय-सीमा में 84 कालेजक निरीक्षण पूरा कयलेनी आ ओतय क जरूरत, समस्या स भलीभांति वाकिफ भय चुकल छैथ। वेकार भ चुकल कार्य संस्कृति क सुधारईक लेल प्रयास जारी अछि। हरेक प्रिंसिपल स महिना में कम स कम एक बेर दूरभाष पर वा प्रत्यक्ष बातचीत व तीन महिना में हुनक कार्यशाला सुनिश्चित करनाइ अहिक एक कड़ी अछि। प्रधानाचार्य के सख्त निर्देश देल गेला कि ओ बगैर कुलपति सचिवालय के अनुमति के अवकाश पर नही जैथ्ह।
यूजीसी स 40 करोड़क राशि अनुमोदित भेला जाहिमे 20 करोड़ रिलीज भ चुकल अछि। एकरा पुस्तकालय, भवन, शैक्षणिक गतिविधि आ इक्विपमेंट मद में खर्च कायल जायत। विश्वविद्यालय के कम्प्यूटर युगक आधुनिकीकरण स सेहो जोड़ईक काज तेजी स चल रहल अछि। भारत सरकार द्वारा विभिन्न कालेज में इंटरनेटक कनेक्शन जोड़ल जएबाक अछि। प्रथम चरण में 40 कालेज अहिक तहत आयत। सब कालेजों में फैक्स, कम्प्यूटर आ प्रिंटर अनिवार्य कय देल गेला । एक सवालक जवाब में कुलपति नेकहला कि विविक पुस्तकालय अत्यन्त समृद्ध अछि आ एकरा डिजीटल बनावईक दिशा में सेहो काज कायल जायत। अहिक लेल यूजीसी के एक करोड़क प्रस्ताव भेजल गेला। राज्य सरकार 17 लाख रुपये अहिक लेल स्वीकृत केलक अछि। संस्कृत आ मिथिलाक्षर में लिपिबद्ध अत्यंत प्राचीन पांडुलिपिक अंग्रेजी आ अन्य भाषा में अनुदित करैक योजना अछि।
डा. पांडेय मिथिलाक अत्यन्त समृद्ध कला संस्कृति के सेहो सहेजई में अपन अभिरुचि देखावैत कहला कि ओ विवि मुख्यालयक दरबार हाल में बेहतरीन साउंड-लाइट सिस्टमक व्यवस्थाक प्रयास केला हे। संस्कृत शिक्षा आ मिथिलाक गौरवशाली संस्कृति देश ही नहीं विश्व पटल पर विविक माध्यम स प्रसारित हो एकर प्रयास में कोनो कसर नहीं छोड़ल जायत ।