"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, September 29, 2012

कोसी क्षेत्र के प्रखर नेता क लेल श्रन्धांजलि सभा के आयोजन कैल गेल

कोसी क्षेत्र के प्रखर नेता एवं पूर्व सांसद स्वर्गीय गुनानद ठाकुर के तीसवी पुण्यतिथि पर विश्वनाथ महाविद्यालय  भाव्तियाही प्रांगन में शुक्रवार क श्रन्धांजलि सभा के आयोजन कैल गेल . कांग्रेस के जिला अध्यक्ष राजनारायण प्रसाद  गुप्ता के अध्यक्षता और स्वर्गीय ठाकुर जी के सुपुत्र श्री राजकिशोर ठाकुर के संचालन में आयोहित सभा में स्वर्गीय सांसद  ठाकुर जी के धर्मपत्नी श्रीमती शांति ठाकुर , भाजपा के वरीष्ठ नेता एवं बेनीपट्टी स विधायक श्री विनोद नारायण झा अओर अन्य समाजसेवी सब गोटे अप्पन अप्पन विचार राखैत स्वर्गीय ठाकुर जी के राजनीतिक जीवन पर विस्तार स
चर्चा केलैनी. वक्ता सब कहलाह की स्वर्गीय ठाकुर जी वर्ष १९३४ में बनैनियाँ गाँव में जनम लेलाह तथा १९६७ में  सहरसा स लोकसभा के सदस्य बनलाह. हुनकर पूरा जीवन कोसी वासी के समस्या लेल समर्पित रहलैन. वो कोसी  वासी लेल आजीवन लडैत रहलाह. विधायक श्री विनोद नारायण झा कहलाह एहन महान नेता के आदर्श पर चलै वाला  के एक बेर फेर स कोसी क्षेत्र में उतरे के जरूरत भ गेलैया. एहि मौका पर स्वर्गीय ठाकुर जी के सुपुत्र श्री राज किशोर  ठाकुर जी कहलाह जे हम कोसी क्षेत्र के समस्या लेल बाबूजी के हरदम संघर्ष करैत देखने छी.. हम हुनकर आदर्ष पर  चल चाहैत छी आ कोसी क्षेत्रक समस्याक निवारण लेल संघर्स में भागीदार बना चाहैत छी. ओतह मौजूद जनता जनार्दन श्री राजकिशोर ठाकुर के अप्पन समर्थन दै क अस्वाशन देलक. एहि मौका पर उपश्थित लोक सब स्वर्गीय सांसद गुणानंद ठाकुर जीक चित्र पर पुष्प अर्पित करैत हुनका श्रन्धांजलि देलखीन. सभा में कोसी क्षेत्र स भयंकर जन  सैलाब उमर क श्री राज किशोर के समर्थन में उपस्थित भेला.   

साभार : विभय कुमार झा 

Tuesday, September 25, 2012

पटना एम्स में एमबीबीएसक पढ़ाई शुरू भेल


पटना स्थित जयप्रकाश नारायण अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान में लंबा इन्ताज़रक बाद आई स एमबीबीएसक पढ़ाई प्रारंभ भ गेल। एकर विधिवत उद्घाटन राज्यक स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चौबे केलैनी जहैनी की पहिल कक्षा पटना एम्सक निदेशक डॉ़ जी़ के़ सिंह लेलैनी।
अहि मौके पर अधिकारि कहला कि अगिला वर्ष स एम्स में मरीजक इलाज सेहो प्रारंभ कय देल जायत। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालयक निर्देश पर सत्र 2012-13 क लेल पटना में एमबीबीएसक 50 सीट पर नामांकन भेल छल।
अधिकारी कहला कि संस्थानक मुख्य परिसर में अखन भवनक निर्माण कार्य चल रहल अछि जाही कारण वर्तमान समय में पढ़ाई खगौल क वाल्मीक निकट पटना एम्सक दोसर परिसर में होयत। उद्घाटनक मौका पर भारत सरकारक परिवार कल्याण मंत्रालयक अधिकारी सहित आओर गणमान्य लोग उपस्थित छला।

Monday, September 24, 2012

आर्यभटक त्रिकोणक खुजत रहस्य

नालंदा आ विक्रमशिलाक बाद आब जल्द तरेगना, खगौल आ तरेगना टॉप ज्ञान-विज्ञानक नव अंतरराष्ट्रीय केंद्र बनत. आर्यभटक त्रिकोणक नाम स मशहूर अहि तीन केंद्रक पर खगोल वैज्ञानिक आ पुरातत्वशास्त्रि अन्वेषण शुरू कय देला हे.
तीन केंद्र में तरेगना आ खगौल त पहिले स सुर्खियों में रहल अछि, पर तरेगना टॉप के बारे में लोग क बहुत कम जानकारी छैन. ई बिहटा स 12 किमी दक्षिण लई गांवक निकट सोन किनारक इलाका अछि, जे एक स डेढ़ किलोमीटर में फैलल अछि. फिलहाल अहि ठाम चारु कात जंगल -झाड़ आ पानी भरल छई.
बिहार सरकारक आमंत्रण पर बिहार आयल खगोल वैज्ञानिक अमिताभ पांडेय, काशी प्रसाद जायसवाल शोध संस्थानक निदेशक विजय कुमार चौधरी, सहायक निदेशक संजीव कुमार सिन्हा, शोध अन्वेषक मानव रंजन मनमंस आ विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभागक निदेशक अमिताभ घोष रविदिन अहि इलाकाक दौरा केलैनी. अमिताभ पांडेय कहला कि हम पानी कम होइते तरेगना टॉप जायब.
ओ लई गांवक लोग सब स तरेगना टॉपक जानकारी लेलैनी. लोग कहला कि तरेगना टॉप में पहिले कचहरी लागैत छल. एकटा मंदिर सेहो छल. ओतय सूर्य आ पार्वतीक मूर्ति छल, जाकर लोग गांव में स्थापित केला.
सूर्यक मूर्ति 11 वीं शताब्दीक लागैत अछि . तरेगना में जे मृदभांड भेटल अछि , ओ बेहद खास अछि. ओ बेस पातर आ चमकदार कारी रंगक अछि. एहेन मृदभांड साधारण लोगक पास नहीं होइत छल. ई समृद्ध लोगक लग रहैत छल. अहि स प्राथमिक तौर पर ओतय घनी आबादी आ गुरुकुलक संभावना प्रबल देखाइत अछि.
बतादी कि 22 जुलाई, 2009 क तरेगना अचानक अंतरराष्ट्रीय पटल पर चर्चाक विषय बन गेल छल. ओही समय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घोषणा केने छला कि आर्यभट्टक त्रिकोण के सरकार विकसित करत.

बिहारक बिहटा में बनत बेंगलुरु आ हैदराबादक तर्ज पर आइटी पार्क

बिहारक आइटी हब बिहटा में बनत. बेंगलुरु क इंटरनेशनल टेक पार्क आ हैदराबादक सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पार्कक तर्ज पर बिहटा में आइटी पार्क बनावई के तैयारी चलि रहल अछि. आ ई बिहारक पहिल आइटी पार्क होयत. सूचना आ प्रौद्योगिकी विभागक नेतृत्व में अहि पर काज कायल जा रहल अछी.
एकटा निजी कंपनी के भूमिक सर्वे करावई आ बिजनेस प्लान बनावई क जिम्मेदारी देल गेला. ई कंपनी कंसल्टेंटक काज करत. सर्वेक बाद निर्णय लेल जायत कि आइटी पार्कक डिजाइन कोंन तरहक होई. आइटी पार्कक लेल बिहटा में 25 एकड़ जमीन विभाग के भेटला.
अहि पर पीपीपी मोडक (लोक निजी साङोदारी) तहत आइटी पार्कक निर्माण होयत. अहि लेल बहुमंजिला इमारत बनत. विभाग स भेटल जानकारीक अनुसार, छह माह में सर्वेक काज समाप्त भ जायत. तकर बाद निर्माणक कार्य शुरू होयत.
आइटी पार्कक संग-संग ओहीक आस-पास क क्षेत्र के सेहो विकसित करवाक योजना अछि. मुख्य सड़क स आइटी पार्क स्थल क जोड़ल जायत , ताकि पटना स ओतय तक आबई -जाई म कोनो असुविधा नहीं होई. तखने देश-विदेशक पैघ-पैघ कंपनी आकर्षित होंयत आ आइटी पार्क में अपन कार्यालय खोलत.

Thursday, September 20, 2012

कैंसर पीड़ित बिहारी के लेल मुंबई में बनि रहल अछी भवन

बिहारक कैंसर पीड़ित वा असाध्य रोग स ग्रसित लोग आ बिहार क शिक्षित बेरोजगार युवकक ठहरईक लेल न्यू मुंबई के नेरूला में एकटा भवनक निर्माण भ रहल अछि.15 करोड़क लागत स बन रहल अहि भवनक निर्माण मित्र मंडल संस्था करा रहल अछि.
बतादी की बिहार स पहुंचल कैंसर आ असाध्य रोग स पीड़ित लोग के समस्या के देखैत मुंबई में रही रहल बिहारी सबहक संस्था चार मंजिला भवन क निर्माण करा रहल अछि. निर्माण कार्य अंतिम चरण में अछि.
अहि भवन के एक तल पर मरीजों के रहे के व्यवस्था रहत. दोसर तल पर बेरोजगार युवक के रहे के  इंतजाम होयत. मरीजों के लेल एकटा एम्बुलेंस के व्यवस्था सेहो कायल जायत. आ एकटा लाइजनिंग अफसर के प्रतिनियुक्ति सेहो कायल जायत.

बिहार में 92 हजार माध्यमिक शिक्षकक नियुक्ति होयत

राज्यक उच्च माध्यमिक विद्यालय म 92 हजार शिक्षकक नियुक्ति कायल जायत. उच्च माध्यमिक शिक्षकक 92 हजार पद सृजित करईक प्रस्तावक पदवर्ग समितिक मंजूरी भेट गेल अछि. 
कैबिनेट स एकर स्वीकृति भेटते शिक्षकक नियुक्तिक प्रक्रिया शुरू कय देल जायत. विभागक प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा कहला कि चरणवार 92 हजार शिक्षकक नियुक्ति होयत. पहिल चरण में फरवरी/मार्च, 2013 तक उच्च माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (एसटीइटी) क पेपर टू में उत्तीर्ण अभ्यर्थिक नियुक्त कायल जायत. पेपर टू में 20743 अभ्यर्थी उत्तीर्ण होयत. शेष पद पर नियुक्तिक ल क ओकर बाद रणनीति बनायल जायत.
* रुकल अछि  नियुक्तिक प्रक्रिया
उच्च माध्यमिक शिक्षकक एखन धरी पद  सृजित नहीं भेला. अहि कारण स अहि शिक्षकक नियुक्ति रुकल अछि. ओतय, प्राथमिक, मध्य आ माध्यमिक शिक्षकक नियुक्तिक आवेदन लेल जा रहल अछी. श्री सिन्हा कहला कि विश्वविद्यालय स इंटर क पढ़ाई के अलग करवाक अछि.
ताहि कारण राज्यक उच्च माध्यमिक विद्यालय के मजबूत करई क आवश्यकता अछि. एकरा देखेत  92 हजार शिक्षकक पद सृजित कायल जा रहल अछि. जेना जेना उच्च माध्यमिक विद्यालय सुदृढ़ होयत, संबंधित क्षेत्रक डिग्री कॉलेज स इंटरक पढ़ाई हटा लेल जायत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घोषणा केलैनी हे कि राज्य के हर पंचायत में एक-एक माध्यमिक/उच्च माध्यमिक विद्यालय होयत.
अहि के लेल करीब 5500 नव विद्यालय खुजत . वर्तमान में तीन हजार माध्यमिक विद्यालय होयत. अहि में करीब 600 विद्यालय में इंटरक पढ़ाई होयत. अहि वर्ष स सब उच्च माध्यमिक विद्यालय में हर विषय में 40-40 सीट बढ़ायल जायत. ताकि मैट्रिक में उत्तीर्ण कोनो विद्यार्थी इंटर में नामांकन स वंचित नहीं रही जायत. अहि अनुपात में एखन शिक्षकोक कमी अछि.