"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, October 13, 2012

जल उठल मधुबनी स्थिति आउट ऑफ कंट्रोल

बिहारक मधुबनी जिला जतय कालि  दिन के १२ बजे स आन्दोलनकारि जम क हंगामा केलक। मामला किछ अहि प्रकार अछि।
विगत १ महिना पहिले मधुबनी शहरक इंडियन पब्लिक स्कूलक १० वींक एक17 वर्षीय लड़का प्रशांत गायब भ गेल। हुनकर दादा मधुबनी थाना में एक सनहा दर्ज करोलैनी। ठीक ओहिक तीन दिन बाद मधुबनी क जिला शिक्षा पदाधिकारी जगतपति चौधरी अपन बेटी जे  इंडि
यन पब्लिक स्कूल क १० वींक छात्रा छली क अपहरणक मामला मधुबनी थाने में दर्ज करोलैनी जकर इलज़ाम ओ प्रशांत पर लागोलैने। आओर ओहिक बाद पुलिस प्रशांतक दादा ओ हुनकर भाई आ हुनक एकटा  संगी के गिरफ्तार केलक। ठीक २८ दिनक बाद मधुबनी के बगलक गाँव ककना स एक टा सर कटल लाश बरामद भेल जकर पह्चान प्रशांतक माँ आ दादी अपन बेटाक रूप में केलैनी मुदा मधुबनी पुलिस लाश नहीं देलक आ कहलक की इ लाश प्रशांतक नहीं अछि . आ अहि मामला में प्रशांतक परिजन मधुबनी थाना में जगतपति चौधरी सहित अन्य चार लोग पर हत्याक मुकदमा दर्ज करव चाहला जकरा  पुलिस इ कहिक इन्कार कय देलक कि जहैनी लाश प्रशांतक नहीं अछि त  फरे हत्याक मुकदमा कोना। लेकिन प्रशांतक माँ आ दादी इ कहैत रहली कि इ हमर बेटाक लाश अछि। फेर पुलिस हुनका टालैत कहलक की पोस्टमार्टमक बाद लाश हुनका देल जायत। पोस्टमार्टमक रिपोर्ट में डॉक्टर इ कहला कि उक्त लाशक उम्र २५ वर्ष अछि जहैनी की प्रशांतक उम्र १७ साल बतायल गेल।
मुदा जतय तक कानुनक गप्प अछि अगर ७२ घंटा तक लाशक कोनो दोसर दावेदार नही होई त पहिल दावेदार के लाश सौंप जाई लेकिन पुलिस एहेन नहीं केलक इ कहिक कि आब एकर d n a करावल जायत। लोगक कहब अछि की अहिक पाछा  जगतपति चौधरीक गाँव के एक वरीय पुलिस अधिकारीक दवाव में आवि क पुलिस ऐना केलक अगर लाश प्रशांतक नहीं त  केकर अछि। जगतपति क बेटी के पुलिस एखन धरी किएक नहीं तकलक , अगर लाश प्रशांतक नहीं अछि त प्रशांत कतय अछि ?अहि सवालक जबाब पुलिसक पास नहीं अछि जाही स पूरा जिलाक लोगक आक्रोश बढ़ल गेल आ जगतपति चौधरीक गिरफ्तारीक मांग भेल आ लाश भेटलाक एक सप्ताह बाद सेहो सम्बंधित लोग के नहीं देल गेल।
मजबूर भ क प्रशांतक माँ आ दादी अपन बेटाक लाश लेल अनशन पर बैसी रहली।
आ बात पूरा जिला तक पहुच गेल। आ  पुलिस अनसन पर बैसल प्रशांतक मा आ दादी सहित दर्जन महिला पर लाठियां सेहो चलेलक जाही पर आन्दोलनकारि मधुबनी के कलक्ट्रेट, पुलिश थाना, एसडीओ कार्यालय सहित दर्जन भर गाड़ी में आग लगा देलक आ पुलिस के तरफ स जबाबी फायरिंग में दू टा आन्दोलनकारी के मौत सेहो भ गेल आ दर्जन स बेसी लोग गंभीर रूप स घायल छैथ।
आ धीरे धीरे आन्दोलन के असर पूरा जिला में फ़ैल रहल अछि। कैल पुलिस गोली स मौत भेल निशांत झा के लाश जहैनी आई हरलाखी पहुचल त लोग ओतहु खूब हंगामा क रहल छैथ प्राप्त सूचना क अनुसार हरलाखी बासोपट्टी के थाना में सेहो गाड़ी सब में आगि लगा देल गेला आ जयनगर बेनिपट्टी , झंझारपुर सहित पूरा जिलाक माहौल बहुत ख़राब अछि।
कैली आननं फानन में मधुबनी के डीएम आ एसपी के हटा देल गेल आ पूरा मधुबनी शहर में दोसर जिला सब स पुलिस के बजाओल गेल।

No comments: