 बिहार फाउंडेशन के अध्यक्ष आ राज्य के उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी  ने कहलैनी कि फाउंडेशन के ग्लोबल एडवाइजरी काउंसिल के गठन केल जायत। आवै वाला दिन में फाउंडेशन के और सुदृढ़ बनायल जायत। ओ कहला कि  'ग्लोबल समिट आन चेंजिंग बिहार' विचार-विमर्श के आदान-प्रदान छल। एकरा  बेस्ट प्रैक्टिस कही सकैत छि। अपन-अपन क्षेत्र में देश-विदेश के जाने  माने विशेषज्ञ "ग्लोबल समिट" में आयल छला। जे विचार-सुझाव आयल छल , ओकर पेपर प्रेजेंट तैयार क  विभाग के भेज देल गेला ताकि विभाग ओही सुझावों पर मंथन क आगा के उपयोगी  रणनीति तैयार क सके। तीन दिवसीय सम्मेलन के मंथन पर किताब सेहो प्रकाशित कायल जायत।
बिहार फाउंडेशन के अध्यक्ष आ राज्य के उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी  ने कहलैनी कि फाउंडेशन के ग्लोबल एडवाइजरी काउंसिल के गठन केल जायत। आवै वाला दिन में फाउंडेशन के और सुदृढ़ बनायल जायत। ओ कहला कि  'ग्लोबल समिट आन चेंजिंग बिहार' विचार-विमर्श के आदान-प्रदान छल। एकरा  बेस्ट प्रैक्टिस कही सकैत छि। अपन-अपन क्षेत्र में देश-विदेश के जाने  माने विशेषज्ञ "ग्लोबल समिट" में आयल छला। जे विचार-सुझाव आयल छल , ओकर पेपर प्रेजेंट तैयार क  विभाग के भेज देल गेला ताकि विभाग ओही सुझावों पर मंथन क आगा के उपयोगी  रणनीति तैयार क सके। तीन दिवसीय सम्मेलन के मंथन पर किताब सेहो प्रकाशित कायल जायत।  सोमदिन पत्रकार स बात करैत उप मुख्यमंत्री कहला कि तीन दिवसीय ग्लोबल समिट के समापन के बाद बिहार फाउंडेशन के देश-विदेश स आयल प्रतिनिधि के बैठक में ग्लोबल एडवाइजरी काउंसिल के गठन के निर्णय लेल गेला। ओ कहला कि 22-23 देश के शहर में बिहार दिवस मनावई के निर्णय लेल गेला। संग ही साल में एकबेर अपन क्षेत्र में सम्मेलन करै पर सेहो सहमति बनल। बिहार के लोग जे ओही शहर में छिया, हुनक डायरेक्टरी बनायल जायत। उप मुख्यमंत्री बतेला कि " मुंबई चैप्टर कैंसर के इलाज के लेल ओतय आवै वाला बिहारि के ठहरे के लेल रेस्ट हाउस बनावै के निर्णय केल गेला। ई रेस्ट हॉउस 50-60 कमरा के रहत। अहि लेल जमीन के व्यवस्था क लेल गेल अछि। जल्दिये निर्माण कार्य प्रारंभ होयत "। ओ कहला कि फ्रेंड्स आफ बिहार के सहयोग स देश के तमाम राजधानी फाउंडेशन के शाखा गठित करै के निर्णय लेल गेला। विदेश विशेषकर गल्फ देश आ पड़ोसी देश में सेहो फाउंडेशन के शाखा सेहो होयत।
उप मुख्यमंत्री कहला कि ग्लोबल समिट स उत्साह के वातावरण, विकास के माहौल बनल। हर क्षेत्र में लोग सहयोग करई लेल तैयार छिया।
 
 
No comments:
Post a Comment