"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, February 3, 2012

१ मार्च स बिहार में होयत अंतर्राष्ट्रीय कबड्डी प्रतियोगिता

राजधानी पटना में आगामी एक मार्च स अंतर्राष्ट्रीय कबड्डी प्रतियोगिता के आयोजन भ रहल अछि अहि प्रतियोगिता में 16 देश के टीम भाग लेत।

शिक्षा विभाग के प्रधानसचिव अंजनी कुमार सिंह कहलैनी कि पटना में आगामी एक मार्च स शुरू होई वला अंतर्राष्ट्रीय कबड्डी प्रतियोगिता में 16 देश के टीम भाग लेत।

ओ कहलैनी कि पांच मार्च तक चलै वला अहि प्रतियोगिता में नेपाल, अमेरिका, कनाडा, मेक्सिको, मलेशिया, चीन के ताईपेई, दक्षिण कोरिया, जापान, ईरान, तुर्केमिनिस्तान, बंगलादेश, इंडोनेशिया, थाईलैंड, श्रीलंका इटली आ भारत के टीमें भाग ल रहल अछि।

सिंह कहलैनी कि पटना के कंकडबाग स्थित खेल परिसर में आयोजित अहि प्रतियोगिता के उद्घाटन आगामी एक मार्च क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करता।


No comments: