"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, February 21, 2012

महाशिवरात्रि पर्व दिल्ली आ एन सी आर में खूब धूमधाम स' मनाओल गेल

महाशिवरात्रि पर्व दिल्ली आ एन सी आर में खूब धूमधाम स' मनाओल गेल. इ एहि पावन स्थल पर भक्त सब
भगवान शिव के पूजा आराधना में अधिकाधिक संख्या में भाग लेलाह . मिथिला विहार, खोड़ा कोलोनी, गाजियाबाद
(यू. पी.) स्थित शिव हनुमान मंदिर सेवा समिति के तत्त्वावधान में विगत २० बरख स' ई महापर्व मनाओल जाइत
अछि . एहि बराक नज़ारा किछु अलग देखला गेल. अधिकाधिक संख्या में मिथिलांचल एवं पुर्वंचालक श्रद्धालु सब
उपस्थित रहलाह. एहि अवसर पर संस्थाक संचालक सदानंद ठाकुर, प्रकाश चन्द्र ठाकुर, बौअन झा, अजय झा आ समस्त
कार्यकर्ता लोकनि संगे स्थानीय समाजक व्यक्ति सब खूब बढ़ी चढ़ी क' भाग लेलाह .
संध्या आरती के बाद मैथिली गीतनादक बहुत भव्य सांस्कृतिक आयोजन भेल छल, जाहि में मिथिलांचल के सुप्रसिद्ध
कलाकार शंकर नारायण झा , संजय ठाकुर, पूजा झा, रश्मि रानी, संजय झा, भाई राधे जीक मंच संचालन में खूब रंग
जमल आ गीतकार मनीष झा बौआभाई लेखन मंच के संगे गायन मंच पर सेहो अपन एक नव छवि में नज़र एलाह .इ
कार्यक्रम भोर के ४ बजे तक दर्शक के समां बान्हि क़ा रखलाह.

साभार - विभय कुमार झा

1 comment:

Vibhay Kumar Jha said...

Sonu babu bahut neek sa news banal achhi. Bahut dhanyabad.

Best Regards,
Vibhay Kumar Jha
www.VKJha.in