ब्राह्मण महासभा के स्तरीय सम्मेलन कलुआही प्रखंड के करमौली दुर्गा मंदिर प्रांगण में रविदिन जीबछ ठाकुर के अध्यक्षता में संपन्न भेल। सभा के संबोधित करैत प्रदेश संयोजक आशुतोष कुमार झा कहला की आगामी 20 अप्रैल क परशुराम जयंती समारोह जिला सम्मेलन के रूप में मनाओल जायत। ओ कहला की आरक्षण के आधार आर्थिक हेबाक चाही नही की जाति। योग्यता के अनदेखी कय क जाति के आधार पर आरक्षण स सामाजिक आर्थिक ढांचा के छिन्न-त्रिन्न केनाई दुर्भाग्यपूर्ण अछि। ओ 14 अप्रैल क दिल्ली के रामलीला मैदान में हुअ जा रहल ब्राह्मण महासम्मेलन के तैयारी पर चर्चा करैत कहला कि अहि के बाद सब राजनैतिक दल के संसय खत्म भ जायत। पं. देवकांत झा सौराठ सभा स्थल के उपेक्षा पर गहरा दुख व्यक्त करैत कहला कि ई मात्र वैवाहिक स्थल टा नहीं सामाजिक, सांस्कृतिक बौद्धिक स्थल के रूप में विश्व भर में प्रसिद्ध रहल अछि। ब्राह्मण के स्थिति स दुखी झा कहला की आई हम दशाहिन दिशाहिन भ चुकल छी। ब्राह्मण एकजुट केना हुआ अहि के लेल समुचित प्रयास हेबाक चाही। हर स्तर पर अहि समुदाय के अपमान, उपेक्षा, प्रताड़ना के शिकार हुअ पड़ी रहल अछि। संगठन के जरूरत पर जोड़ दैत जिला अध्यक्ष जीबछ झा अपन संबोधन में कहला कि हम संगठित भ क अपन आचार-व्यवहार आ संस्कार संस्कृति के रक्षा क सकैत छी। श्री झा सौराठ सभा गाछी के 21 एकड़ के जमीन पर अतिक्रमण पर क्षोभ व्यक्त केलैनी। सभा के संचालन मदन कांत झा के द्वारा कायल गेल।
No comments:
Post a Comment