"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, February 23, 2012

जेएनयू कॆ 25 शोधार्थी छात्र मधुबनी भ्रमण पर‌ जॆता

मधुबनी, जवाहर लाल नेहरू विश्वविद्यालय, नई दिल्ली स 25 शोधार्थी छात्र कॆ एकटा टीम मधुबनी जिला के स्वास्थ्य संस्थान सब में भ्रमण करता आ एतय‌ रोगी के उपचार व्यवस्था सहित स्वास्थ्य महकमा के प्रबंधकीय स्थिति कॆ सॆहॊ जायजा लेत‌। जेएनयू स एतय‌ पहुंच रहल अहि टीम कॆ जिला में भ्रमण करावै आ आवश्यक प्रशासनिक समन्वय आ सहयोग उपलब्ध करावै कॆ निर्देश मुख्यालय पटना द्वारा सिविल सर्जन कॆ दॆल गॆल अछि । राज्य स्वास्थ्य समिति पटना के कार्यपालक निदेशक संजय कुमार के पत्रांक 1408 दिनांक 18 फरवरी क अहि एवज एकटा पत्र सिविल सर्जन कॆ भेजल गॆला। पत्र में स्पष्ट कॆल गॆल अछि कि सब‌ शोधार्थी छात्र कॆ विभाग द्वारा सब‌ सूचना उपलब्ध कराऒल जायत‌। निदेशक जेएनयू टीम के छात्र कॆ गणतव्य तक पहुंचाब‌ई आ सब‌ प्रकार कॆ सुविधा उपलब्ध करावई कॆ निर्देश सॆहॊ दॆलक अछि। पत्र में बतायल गॆल अछि कि मोहन राव फील्ड वर्क इंचार्ज जेएनयू दिल्ली द्वारा एतय‌ छात्र के दल कॆ भ्रमण कॆ सूचना दॆल गॆल अछि। फरवरी अंतिम सप्ताह में जिला के भ्रमणक्रम में स्वास्थ्य संस्थानों पर कर्मी आ समुदाय स बातचीत सॆहॊ ई टीम करत। आ एतय उपलब्ध सब‌ प्रकार कॆ सुविधा कॆ गहन सर्वेक्षण करत।

No comments: