"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, February 21, 2012

पटना मैराथन में ४ दिन शेष लगभग तैयारी पूरा

बिहार में पहिल बेर हुअ जा रहल पटना मैराथन में आब मात्र ४ दिन शेष रही गेल अछि.आवई वाला रविदिन बिहार अपन विकास के लेल दौड़त. अहि स जुरल लगभग तैयारी पूरा के लेल गेल अछि. पटना मैराथन के ल क समूचा बिहार वाशी में काफी उत्साह छियैन. देश विदेश के नामी धावक के संग पूरा बिहार वाशी अहि दौर के हिस्सा बनता. पहिल बेर हुअ जा रहल अहि मैराथन में फ़िल्मी सितारा के भाग लई के सेहो संभावना बतायल जा रहल अछि.
भोर के ६ बजे स ऐतिहासिक गाँधी मैदान स रेस शुरू भ क बुद्धा कोलोनी , कुर्जी , पाटलिपुत्र , श्री कृष्णपुरी , बेलीरोड, राजाबाजार, दानापुर , एअरपोर्ट आ पटना जंक्सन होइत रेस पुनः गाँधी मैदान पहुचत. आ ओतय पुरस्कार वितरण समारोह होयत . १० किलोमीटर आ ५ किलोमीटर दौर के लेल सेहो अलग स रूट बनाओल गेल अछि. अहि के आलावा नेत्रहीन दौड़ सेहो होयत. पटना मैराथन में अप्रवासिय बिहारी सेहो हिस्सा लेता. अहि के आलावा बहुतो मंत्री आ विधायक सेहो अहि दौड़ में हिस्सा लेता. मैराथन के ल क पूरा शहर में पोस्टर बैनर लागायल जा रहल अछि आ पूरा पटना शहर में तोरण द्वार सेहो बनायल जा रहल अछि.मैराथन पर एक टा थीम सोंग सेहो बनायल गेल अछि. अहि सॉंग के लोंचिंग आई होयत.

No comments: