जयनगर, दर्जनों भूमिहीन परिवार के सामने विस्थापित के स्थिति
जयनगर स बर्दीबांस (नेपाल) बड़ी रेल लाइन निर्माण के कारण जयनगर नेपाली रेलवे स्टेशन आ नेपाली रेलवे के जमीन में बसल दर्जनों भूमिहीन परिवार के सामने विस्थापित के स्थिति आवी गेल अछि। जाही कारण निबंधन कार्यालय स आनंदपुर आ यूनियन टोला के नेपाली रेलवे भूभाग पर बसल दर्जनों परिवार के बीच त्राहिमाम के स्थिति अछि। बेघर अहि भूमिहीन परिवार के समक्ष अपन परिवार के अपन एकटा छत उपलब्ध केनाई मुश्किल भ गेल छैन। लगभग 90 परिवार एहेन छैथ जिनका सामने विकट परिस्थिति आवी गेल छैन। इ सब अपर समाहर्ता आ अनुमंडल पदाधिकारी अपन समस्या स अवगत करेलखिन हे आ ज़मीनउपलब्ध करावाई के मांग सेहो केला हे। लगभग 70 वर्ष स निबंधन कार्यालय स नेपाली रेलवे गुमटी जाई वाला सड़क के दुनु कात बसल इ परिवार गरीबी आ महंगाई के कारण अखनी तक नहीं त हिनक पूर्वज आ नहीं येह सब जमीन खरीद सकला। नेपाली रेल पदाधिकारि के द्वारा जमीन के खाली करे के लेल मौखिक आदेश देल जा चुकल अछि। किछ घर के हटायल जा चुकल अछि। इ सब जिला प्रशासन अविलंब बसावइ के मांग केला हे।
No comments:
Post a Comment