"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, April 30, 2009

स‌र‌कार‌ कॆ भार‌त‌क‌ अहि घुम्म‌क‌र‌ सामुदाय‌ कॆ वारॆ मॆ सॊच‌वाक‌ चाहि

सङक कॆ किनारॆ तंवु गाङि क जीवन वसर करै वाला कंजर समुदाय कॆ लॆल चुनाव कॊनॊ विषॆश मायना नहि रखैत छैन! आजाद भारतक ई सामुदाय जॆ अखनि धरि घुम्मकर कॆ जिनगी गुजर बसरि क रहल छिया हिनका सबहक कॊनॊ एक जगह बसॆरा नहि छियनि! ई लॊकिन कखनॊ एतय आ कखनो ऒतय घुमि क जिनगी बसरि करैत छियनी हिनका सबहक जिविका प्राय: मांगि क चलै छियनि आ ई सब छॊट मॊट शिकार क क अपन जिनगी गुजरि बसरि करैत छिया!
मधुबनी शहर स महज किमी दुर सप्ता मॆ कंजर कॆ एकटा पईघ बस्ती छियनी लगभग 2000 जनसंख्या वला अहि समुदाय कॆअ लॊग कॆ ई जगह आब स्थाई वसिंता भ गॆल छियनी! हिनका सबहक नाम वॊटर लिस्ट मॆ सॆहॊ जुङि गॆल छियनी! इ बस्ती मधुबनी नगर पालिका क्षेत्र मॆ अबैत अछि!
अहि वॆर चुनाव कॆ समय क्षेत्र भ्रमन कॆ दौरान हमरा हिनका सब स नजदिक स भॆंट करबाक मौका भॆटल! जहनि हम एतय पहुचलऊ त एतय हमर भॆंट एतका पार्षद स भॆ‍ट भॆल जहनि हुनका स पुछलियनि जॆ अहां सब किनका वोट दॆबनि त टुटल फुटल मैथली मॆ ई हमरा कहलनि जॆ हमरा सब कॆ बिजली लगायत हम हुनकॆ भॆंट दॆबनी! शहर कॆ एतॆक नजदिक कॆ बावजुद अहि बस्ती मॆ अखनि धरि बिजली नहि पहुचल अछि आ नहि एकौटा स्कुल अछि! आवास कॆ नाम पर अखनॊ हिनका सबलग मात्र तंवु कॆ घर अछि! एतॆक पईघ बस्ती मॆ मात्र तीनटा चपाकल अछि आखिर हिनका सब लग मात्र समस्यॆ टा छियनि!
हिनका सबहक अहि समस्या पर ध्यान दॆनाई सबहक लॆल जरुरि अछि! एतहि ई सब हमरा भॆंट करैलनि एकटा 13 सालक लङका स जॆ अहि बॆर आठवा कॆ ईग्‍जाम पास कॆनॆ रहॆ! ई पहिल बच्चा छल जॆ आठवा पास कॆनॆ रहॆ ई स‌ब‌ ऒक‌रा आगा प‌ढाब‌ चाहैत‌ छिया ह‌म‌रा स‌ स‌लाह‌ मंग‌लैन‌ जॆ कॊनॊ नीक‌ स्कुल‌ आ हाँस्ट‌ल‌ मॆ एक‌र‌ नाम‌ अहा लिख‌बा दियौ ह‌म‌ स‌ब‌ स‌ब‌ गॊटॆ मिल‌ क‌ एक‌रा पढाव‌ चाहैत‌ छि! हुन‌का स‌ब‌ह‌क‌ ई उत्साह‌ दॆख‌ क‌ ब‌ङ‌ नीक‌ लाग‌ल‌! स‌र‌कार‌ कॆ भार‌त‌क‌ अहि घुम्म‌क‌र‌ सामुदाय‌ कॆ वारॆ मॆ सॊच‌वाक‌ चाहि!

No comments: