"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, April 16, 2009

पैघ परिवर्तन भ सकैत अछि मधुबनी आ झंझारपुर मॆ


अहि बॆर ज मधुबनी आ झंझारपुर मॆ कॊनॊ पईघ परिवर्तन हुए त ई कॊनॊ आशचर्य कॆ बात नहि! कारण अहि क्षेत्र कॆ जनता कॆ झुकाव चौक चौराहा सब स किछु अलगॆ भॆटल अछि! जहनि कि झंझारपुर मॆ हम अहि स पहिलॆ अपन एकटा ब्लाँग मॆ कहनॆ रहि जॆ दॆवॆन्द्र यादव कॆ जीत निश्‍चितॆ अछि मुदा पिछला एक सप्ताह कॆ भ्रमण कॆ दौरान किछु अलगॆ प्रतिक्रिया भॆटल अछि! पहिलॆ सॆहॊ हम ई कहनॆ रहि जॆ अहि क्षेत्र कॆ फार्वार्ड वॊटर नीतिश मिश्रा कॆ टिकट नहि भॆटला स काफी नाराज छिया! हिनका सब स जहनि गप्प कॆलऊ त ई सब कहलैन " यौ ज नीतिश मिश्रा कॆ टिकट भॆटतैन तहनि त हम सब जदयु कॆ वोट दैतियई मुदा आव हमरा सब लग एकैटा आप्शन अछि आ ऒ छिया कांग्रॆश कॆ क्रपा नाथ पाठक हम सब त आब अपन वॊट हिनकॆ दॆवनि चाहॆ ऒ जितईथ या नहि " ई बात प्राय: अहि क्षेत्र कॆ अधिकतर वोटर कॆ छियनि! किछु अल्पसंक्खक सब स जहनि अहि मुद्दा पर गप्प कॆलऊ त हुनक सब कॆ कहनाई छल " यौ हमरा सब दॆवॆन्द्र जी कॆ त एतॆ दिन जीतॆलियनि ऒ कहा किछु कॆला अहि वॆर हमरा सब परिवर्तन चाहैत छि! " जहनि हम ई पुछलियनि जॆ ई परिवर्तन अहा सबहक किम्हर झुकत त एकै सुरॆ कहला " हम सब अहि वॆर कांग्रॆश कॆ वॊट दॆब "! ज हिनक सबहक‌ ई प्रतिक्रिया वॊट मॆ बदललैन त अहि स इनकार नहि कायल जा सकैत अछि जॆ झंझारपुर मॆ कांग्रॆस काफी समय बात वापस एता!

No comments: