"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, April 20, 2009

यात्रा करै मॆ घॊर परॆशानी

चुनाव नजदिक एलाक कारणॆ वाहन सब कॆ जब्त कॆलाक बजह स अखनि यात्रा करै मॆ घॊर परॆशानी कॆ सामना कर पङैत छई! आब लॊग लग यात्रा कॆ एकमात्र साधन ट्रॆन रहि गॆल अछि ताहु मॆ ततॆक भीङ जॆ सीट भॆटनाई त दुरक गप्प पायदान पर पैङ रखै तक कॆ जगह नहि! जहनि कि बैनीपट्टि आ साहरघाट वला एरिया मॆ आब जाई कॆ लॆल सब तरहक विकल्प बन्द भ गॆल अछि! सङक पर तीन पहिया वाहन कॆ अलावा किछु नहि भॆटत सॆहॊ लॆल नाजायज भाङा पॆय कर पङत! अहि मॆ लगन कॆ समय अखनि लॊग सब कॆ बहुत ज्यादा परॆशानी उठाब पङैत छनि! यॆह हम पिछला 17 ता. कॆ बात कहैत छि हमरा नानी गांव जॆवाक छल मधुबनी स झंझारपुर तक कॆ लॆल हमरा साईकिल, रिक्शा, ट्रॆन, मैक्शी, ऒटॊ आ मॊटर साईकिल स लगभग 5 घंटा लागल रॆहॆ झंझारपुर जाई मॆ! रॆलवॆ स्टॆशन पर कुंभ कॆ मॆला जॆना भीङ रहैत छई! बस स्टैंड सब सुन्न पङैत अछि! रिक्शा आ ऒटॊ कॆ भाङ आवश्‍यकता स अधिक वसुल कॆल जा रहल अछि! बाराति कॆ गाङि कॆ त कखनॊ बीच रास्ता मॆ उतारि क हुनक गाङि कॆ जब्त क लॆल जाईत अछि! चुनाव आयॊग कॆ जनताक अहि समस्या पर सॊचवाक चाहि!

No comments: