"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, April 5, 2009

19वा अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मॆलन काठमांडु मॆ

19वा अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मॆलन आगामी शनिवार(11 अप्रिल) स नॆपाल कॆ राजधानी काठमांडु मॆ हॊयत! काठमांडु मॆ पहिल वॆर हुए जा रहल अहि सम्मॆलन मॆ दॆश विदॆश स हजारॊ मैथिली काठमांडु पहुचता! जहनि कि नॆपालक हरॆक शहर स काठमांडु तक लॆल विशॆष बस जलत! काठमांडु मॆ आयॊजक सब आयॊजन कॆ भव्यता लॆल जॊर शॊर स लागल छिया! अहि सम्मॆलन कॆ उद्दघाटन नॆपाल कॆ प्रधानमंत्री " पुष्प कमल दहाल" (प्रचंड) करता!

कार्यक्रम कॆ दौरान काठमांडु मॆ भव्य झांकि सॆ हॊ निकालल जायत जॆ राजधानी कॆ वसंतपुर स शनिदिन प्रात: नौ बजॆ स लगभग 1 घंटा कॆ सफर तय क क जौलाखॆल तक जायत! झांकि मॆ मिथिला कॆ लुप्त हॊति संस्कार आ सांस्क्रति कॆ झलक रहत जाहि मॆ हजारॊ लॊग अपन सहभागिता दॆता! अहि कॆ अलावा सांस्क्रतिक प्रॊग्राम, नाटक आ कविगॊष्ठी कॆ सॆहॊ आयॊजन कायल जायत! अगिला दिन मैथिली आ मिथिला पर एकटा परिर्चचा सॆहॊ आयॊजन कायल जायत जाहि मॆ मिथिला कॆ विद्वान लॊकिन अपन विचार रखता! अहि मौका पर अंतराष्ट्रिय मैथिली परिषद (नॆपाल ईकाई) कॆ द्वारा पत्रिका कॆ सॆहॊ विमॊचन कायल जायत! एतय आयल अतिथि सब कॆ स्वागत " गुरुदॆव कामत " कॆ द्वारा कायल जायत!

उक्त बात कांतिपुर स प्रसारित हैलॊ मिथिला कार्यक्रम मॆ धीरॆन्द्र प्रॆमर्शी आ रामरिछन यादव कॆ बातजीत पर आधारित अछि!

सब क्यॊ अहि कार्यक्रम मॆ भाग लिय आ एकरा सफल बनावी अतिथि कॆ लॆल एतय आवास खाना पीना कॆ सॆहॊ व्यवस्था आयॊजक कॆनॆ छिया!

No comments: