"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, April 8, 2009

द‌रिभंगा कॆ दंग‌ल मॆ कॆ लहरायत झंडा


आई हम अहा लॊकिन कॆ दरिभंगा स चुनाव कॆ रिर्पॊट दॆब आखिर दरिभंगा मॆ कॆना कि हलचल अछि कॆ चुनाव हलचलि कॆ अहि वॆर एतका दंगल मॆ मारता बाजि!

दरिभंगा मॆ कुल 14 टा उम्मीदवार मैदान मॆ छथिन मुदा जॆ प्रमुख टक्कर अछि ऒ पुर्व सांसद क्रिति झा आजाद, वर्तमान सांसद फादमी आ दरिभंगा कॆ महापौर अजय जलान कॆ बीच अछि! वीजॆपी कॆ उम्मीदवार क्रिति झा अहि क्षेत्र स सांसद त जरुर रहल छिया मुदा लॊकक मॊन मॆ ऒ अपन जगह नहि वना सकल छिया! जहनि कि वर्तमान सांसद तथा राजद कॆ उम्मीदवार फादमी कॆ त माई वॊट भॆटई मॆ कॊनॊ दिक्कत नहि छनि आ एतका लॊकक गप्प सब स त यॆह बुझायल जॆ हिनका जीत मॆ कॊनॊ तरहक दुविधा नहि अछि! ऒत‌हियॆ कांग्रॆस कॆ उम्मीदवार अजय जलान कॆ ज फार्वार्ड वॊट त दॆतनि त हिनकर जीत निश्‍चित अछि! संजय झा कॆ टिकट नहि दॆनाई वीजॆपी कॆ भ सकैत अछि जॆ मंहगा परि जाई कारण जॆ किछु लॊकक अनुसार क्रति झा बढिया अजय कॆ वॊट दॆनाई ठीक रहत! ज हिनकर सबहक ई वॊट नॊट मॆ बतलत त अजय जलान कॆ जीत पक्का अछि मुदा ई सब त अखनि मात्र एकटा अनुमान अछि सप्षट त नतीजा कॆ वातॆ हॊयत अत: फिलहाल हमहु सब अनुमानॆ लगावि जॆ हिनका तीनु मॆ स क्यो वाजी मारता या कॊनॊ नव चॆहरा एतय स दिल्ली पहुचता!

मुद्दा एतहियॊ कॊनॊ नव नहि अछि वॆह मुद्दा एतहियॊ लॊकसब कॆ छनि जॆ कि मिथिलाक अन्य जगह कॆ लॊक सब कॆ छनि! मुदा रुरल दरिभंगा कॆ जनता सब बाढि कॆ एकटा मुद्दा रखनॆ छिया!
" यौ बौआ हमरा सब हर साल जॆ तीन महिना गुजारैत छि सॆ कि कहु पता नहि दैव कहिया ऒहि कष्ट स निदान दॆता, हम सब त हुनकॆ वॊट दॆबनि जॆ ई कहाईथ जॆ हमरा सब कॆ बाढि स सब दिन‌ कॆ छुट‌कारा दियॆता! " इ क‌ह‌नाइ छ‌ल‌ घ‌न‌श्‍याम‌पुर‌ प्रखंड‌ कॆ एक‌टा म‌हिला कॆ!
" यौ सॊनु जी ह‌म‌ स‌ब‌ त‌ हुन‌कॆ वॊट‌ दॆब‌नि जॆ ह‌म‌र‌ मिथिलाक‌ संस्क्रति कॆ रक्षा क‌राईथ‌ " ई क‌ह‌नाई छ‌ल‌ द‌रिभंगा कॆ र‌सियार‌पुर‌ कॆ किछु गॊटॆ कॆ!

ईम्ह‌र‌ नॆता स‌ब‌ कॆ ज‌न‌संर्प‌क‌ अभियान‌ सॆहॊ तॆज‌ ग‌ति स‌ च‌लि र‌ह‌ल‌ छ‌नि! चुनाव‌ प्रचार‌ सॆहॊ धीरॆ धीरॆ तॆज‌ ग‌ति स‌ च‌लि र‌ह‌ल अछि!