कोसी क्षेत्र के प्रखर नेता एवं पूर्व सांसद स्वर्गीय गुनानद ठाकुर के तीसवी पुण्यतिथि पर विश्वनाथ महाविद्यालय भाव्तियाही प्रांगन में शुक्रवार क श्रन्धांजलि सभा के आयोजन कैल गेल . कांग्रेस के जिला अध्यक्ष राजनारायण प्रसाद गुप्ता के अध्यक्षता और स्वर्गीय ठाकुर जी के सुपुत्र श्री राजकिशोर ठाकुर के संचालन में आयोहित सभा में स्वर्गीय सांसद ठाकुर जी के धर्मपत्नी श्रीमती शांति ठाकुर , भाजपा के वरीष्ठ नेता एवं बेनीपट्टी स विधायक श्री विनोद नारायण झा अओर अन्य समाजसेवी सब गोटे अप्पन अप्पन विचार राखैत स्वर्गीय ठाकुर जी के राजनीतिक जीवन पर विस्तार स
चर्चा केलैनी. वक्ता सब कहलाह की स्वर्गीय ठाकुर जी वर्ष १९३४ में बनैनियाँ गाँव में जनम लेलाह तथा १९६७ में सहरसा स लोकसभा के सदस्य बनलाह. हुनकर पूरा जीवन कोसी वासी के समस्या लेल समर्पित रहलैन. वो कोसी वासी लेल आजीवन लडैत रहलाह. विधायक श्री विनोद नारायण झा कहलाह एहन महान नेता के आदर्श पर चलै वाला के एक बेर फेर स कोसी क्षेत्र में उतरे के जरूरत भ गेलैया. एहि मौका पर स्वर्गीय ठाकुर जी के सुपुत्र श्री राज किशोर ठाकुर जी कहलाह जे हम कोसी क्षेत्र के समस्या लेल बाबूजी के हरदम संघर्ष करैत देखने छी.. हम हुनकर आदर्ष पर चल चाहैत छी आ कोसी क्षेत्रक समस्याक निवारण लेल संघर्स में भागीदार बना चाहैत छी. ओतह मौजूद जनता जनार्दन श्री राजकिशोर ठाकुर के अप्पन समर्थन दै क अस्वाशन देलक. एहि मौका पर उपश्थित लोक सब स्वर्गीय सांसद गुणानंद ठाकुर जीक चित्र पर पुष्प अर्पित करैत हुनका श्रन्धांजलि देलखीन. सभा में कोसी क्षेत्र स भयंकर जन सैलाब उमर क श्री राज किशोर के समर्थन में उपस्थित भेला. साभार : विभय कुमार झा