"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, December 31, 2008

मंदी स‌ ल‌ क‌ मुम्ब‌ई त‌क‌

वर्ष 2008 कॆ समाप्ति भ गॆल हमरा लॊकिन नव वर्ष 2009 मॆ प्रवॆश कए गॆलऊ, अहां सब गॊटॆ कॆ नव वर्ष कॆ हार्दिक शुभकामना!2008 इतिहास कॆ पन्ना मॆ आब शामिल भ गॆल! साल 2008 विशॆष रहल भारतक संग संग सम्पुर्ण विश्व कॆ लॆल!साल 2008 मिथिलावाशी कॆ सदा याद रहतैन मिथिलांचल मॆ जॆ त्रासदी अहि साल आयल ऒ क्यॊ आजीवन नहि विसरि सकैत छी! कॊशी अहि साल जॆ अपन उग्र रुप दॆखॆलक ऒकर क्यॊ आशा सपनॊ मॆ नहि क सकैत छि! कॊशी स पिङित लॊक सबहक अखनौ स्थिति बङ खराब छैन आशा करैत छी जॆ ई साल हिनका सब कॆ जिनगी पुन: पटरि पर लौट ऎतनि!
वर्ष 2008 विश्वक लॆल सॆहॊ बङ नीक नहि रहल सालक शुरुवात स जॆ विश्व कॆ बाजार गिरल सॆ अखनि धरि नहि उठलि अछि! आर्थिक जानकार एकरा दॊसर सबस पईघ मंदी कहला! जकर प्रभाव संम्पुर्ण विश्व पर पङलै आ भारत सॆहॊ अहि स अछुता नहि रहि सकल!
साल 2008 कॆ जहनि वात करि त अमॆरिका कॆ विना ई अधुरा हॊयत! अमॆरिका जॆ मंदी कॆ दौर स गुजरि रहल अछि जार्ज वुश कॆ नॆत्रित्व मॆ आई आठ साल स आगा बढि रहल छल हुनक नॆत्रित्व एतहि विराम हॊईत आव अमॆरिका अपन पहिल अश्वॆत राष्ट्रपति वराक ऒवाम कॆ नॆत्रित्व मॆ आब आगां बढता! ऒवामा कॆ ई जीत सदभावना कॆ जीत अछि!हमहु हुनक अहि जीत पर हार्दिक बधाई दैत छियनि!
आतंक आ राजनिति कॆ समस्या स जुझैत भारत कॆ लॆल ई साल मिलाजुला रहल! भारत कॆ लॆल अहि सालक सबस पैघ उपलब्धि रहल अमॆरिकाक संग विश्वक अन्य दॆशक संग भॆल परमाणु समझौता! चंद्रायान‌ कॆ स‌फ‌ल‌ परिक्षण! भार‌त‌ चांद‌ प‌र‌ प‌हिल‌ मान‌व‌ र‌हित‌ विमान‌ भॆज‌क‌ दुनिया कॆ अप‌न‌ स्पॆश‌ ताक‌त‌ स‌ प‌रिच‌य‌ क‌रॆल‌क‌!
साल‌ 2008 मॆ भार‌त‌ आतंक‌ कॆ न‌व‌ चॆह‌रा दॆख‌ल‌क‌ आखिर‌ आतंक‌वादी कॊनॊ घ‌ट‌ना कॆ अंजाम‌ अहुना द‌ स‌कैत‌ अछि एक‌र‌ क‌ल्प‌ना क्यॊ न‌हि क‌ स‌कैत‌ छ‌ल‌! अहि साल‌ भार‌त‌ कॆ स‌ब‌ प्रमुख‌ श‌ह‌र‌ मॆ आतंक‌वादी अप‌न‌ घ‌ट‌ना कॆ अंजाम‌ कॊनॊ न‌हि कॊनॊ रुप‌ स‌ दॆल‌क‌! मुम्ब‌ई मॆ भॆल‌ आतंक‌वादी जाहि रुप‌ स‌ पाकिस्तान‌ कॆ हाथ‌ साम‌नॆ आय‌ल‌ सॆ आव‌ ई स्प‌ष्ट‌ क‌ दॆल‌क‌ जॆ पाकिस्तान‌ कॆ खिलाफ‌ ह‌म‌रा लॊकिन‌ कॆ आब‌ किछु क‌ङा क‌द‌म‌ उठाबैयॆ प‌ङ‌त‌!
ई साल‌ भार‌तीय‌ क्रिकॆट‌ कॆ लॆल‌ सॆहॊ अविस्म‌र‌णीय‌ र‌ह‌ल‌! सौर‌भ‌ आ कुंब‌लॆ कॆ भार‌त‌क‌ लॊग‌ ह‌मॆशा याद‌ र‌ख‌तैन‌!
एक‌ बॆर फॆर‌ अहा स‌ब‌ कॆ न‌व‌ व‌र्ष‌ कॆ हार्दिक‌ शुभ‌काम‌ना! मिथिला संग‌ संग‌ स‌म्पुर्ण‌ विश्व‌ कॆ लॊग‌ कॆ लॆल‌ ई व‌र्ष‌ अत्यंत‌ सुख‌ आ शांति लावॆ!
ज‌य‌ मिथिला ज‌य‌ भार‌त‌ ज‌य‌ विश्व‌

Friday, December 12, 2008

भॊजपुरि एकटा बॊली भ क एतॆक आगा जा सकैत अछि त मैथिली..

मैथिली भाषा कॆ संवैधानिक भाषा कॆ दर्जा भॆटला स जॆ सम्मान मिथिलांचल वाशी आ मैथिली भाषी कॆ भॆटलनि ई निश्‍चितहि गर्वक गप्प अछि! पांच साल भ गॆल मैथिली कॆ संवैधानिक भाषा कॆ सुची मॆ शामिल कॆलाक मुदा अहि पांच साल मॆ अगर ई कहवै जॆ मैथिली भाषा मॆ बङ विकाश भॆलई सॆ बिल्कुल गलत हॊयत! ह एकटा बात निश्‍चित छियई जॆ लॊक सॆवा आयॊग मॆ एकरा शामिल कॆला स मिथिलांचल कॆ विधार्थि वॆस उत्साहित छिया! मुदा दॊसर दिशक गप्प करि त अखनि धरि किछु विशॆष नहि भॆल अछि , अपनहि धरती पर अपनहि राज्य मॆ एकर कॊनॊ स्थान नहि भॆटल अछि! मैथिली मॆ अखनॊ धरि गिनल चुनल पत्रिका निकलैत अछि जॆ मात्र हुनकॆ टा उपलब्ध हॆतनि जॆ ऒकर सदस्य छिया ताहि मॆ मैथिलक सॆहॊ बङ पईघ कमी छैन ऒ पाई लगा क मैथिली पत्रिका पढनाई व्यर्थ बुझाईत छिया! आई जहनि कि हरॆक भाषा मॆ टीवी चैनल भॆटत मुदा मैथिली कॆ अखनि धरि एकौटा चैनल नहि! आई जहनि कि एफ एम रॆडियॊ एतॆक तॆजी स पसरि रहल अछि मुदा भारत दिश अखनि धरि एकौटा मैथिली एफ एम नहि? आई इन्टरनॆट कॆ युग चलि रहल अछि आ मैथिल इन्टरनॆट युजर सॆहॊ बङ छिया, मुदा अहि कॆ वावजुद मैथिली पॊर्टल नहि कॆ बराबर अछि आखिर किएक?

अहि सब गप्प पर अगर गौर स दॆखल जाई त कतौ नहि कतौ मैथिल मॆ कमी छैन! बंधुगण अगर अहाँ लॊकिन कॆ ई वाक्य‌ खराब लागल हुए त माफ करब, मुदा ई सच्च अछि हम सब अपन भाषा कॆ प्रति जाग्रित अखनि धरि नहि भॆलऊ हॆ, हमरा दिल्ली मॆ बहुत एहनॊ मैथिल भॆटला हॆ जिनका अगर ई पुछि दियऊन कि अहा मैथिली मॆ बात नहि क सकैत छि त हुनका पर न मॊन पैन परि जाईत छनि आखिर किएक? ई एकटा प्रशन हम अहा लॊकिन कॆ लॆल छॊरनॆ जा रहल छी जहि पर अपनॆ लॊकिन सॊचबई, " आई भॊजपुरि एकटा बॊली भ क एतॆक आगा जा सकैत‌ अछि त‌ मैथिली एक‌टा भाषा भ‌ क‌ किएक‌ न‌हि "!

Wednesday, December 10, 2008

बङॆ बङॆ शहरॊ मॆ छॊटी छॊटी घटना हॊती रहति है

मुम्बई मॆ पिछला दिन भॆल आतंकवादी घटना कॆ बाद आम आदमी मॆ जॆ भय आ आक्रॊश दॆखल गॆल ऒ एतिहासिक अछि! ई हमरा लॆल भय कॆ कारण ऒतॆक नहि अछि जतॆ कि हमर ग्‍लानि कॆ! जॆ भारत विश्‍व कॆ मानचित्र पर एकटा शांति कॆ प्रतिक मानल जाईत छल ऒ भारत अहि घटना कॆ बाद खतरनाक दॆशक सुची मॆ शामिल भ गॆल! मुम्बई मॆ भॆल आतंकवादीक ई घटना कॊनॊ द्रष्टि स अमॆरिका मॆ भॆल व्लर्ड ट्रॆड पर भॆल हमला स कनिकॊ कम नहि अछि तखन महाराष्ट्रा कॆ ग्रहम‍ंत्री कॆ बयान " बङॆ बङॆ शहरॊ मॆ छॊटी छॊटी घटना हॊती रहति है"! 200 आदमी अपन प्राण स हाथ धॊ लॆलक कतॆकॊ आदमी घायल अवस्था मॆ अछि आ पाटिल कॆ ई घटना एकटा छॊट मॊट घटना किएक बुझा रहल छनि, आखिर दॆश कॆ सर्वॊच्च पद पर वैसल ई लॊकिन एतॆक गैर जिम्मॆदाराना बात सब किएक वाजि रहल छिया?

आतंकवादी सब कॆ एतॆक मनॊवल बढाबई मॆ हमर दॆशक राजनिति दल सब कॆ सॆहॊ कॊनॊ कम हाथ नहि छैन! एकर एकटा स्पष्ट उदाहरण अछि " अफजल गुरु " भारतक सांसद पर हमला कॆ दॊषी करार दैत हिनका फांसी कॆ सचा भॆट चुकल अछि मुदा पता नहि हिनका अखनि धरि सचा किएक नहि भॆटलनि हॆ! दॆशक किछु राजनॆता सब जिनक वयान छॊट मॊट घटना सब पर काफी तीव्र आबैत छनि मुदा अहि घटना पर अखनि धरि कॊनॊ बयान नहि एलनि हॆ आखिर कतौ नहि कतौ हिनका सब कॆ वॊट बैंक कॆ चींता भ जाईत छनि या ईहॊ भ सकैत अछि जॆ हमरा अहा लॆल ई बङ पैघ हमला अछि मुदा हिनका लॊकिन कॆ लॆल छॊट मॊट हॊईन! आखिर मुम्बई पर एतॆक पईघ हमला भ गॆल 60 घंटा तक लगातार आतंकवादी आ सॆना मॆ लङाई हॊईत रहल मुदा महाराष्ट्र नव निर्माण सॆना कॆ सॆना सब आ सॆनापति कत रहैत, कि ई अपन सॆना कॆ गठन खाली बिहारीयॆ कॆ भागाबई लॆल कॆनॆ छिया कि ? आतंकवाद कॆ बढाबै मॆ हिनकॊ लॊकिन कॆ हाथ कम नहि छैन! ई सब अपन शक्ति कॆ प्रयॊग खाली विरॊधी दल कॆ नीचा दॆखाबई मॆ आ वॊट बैंक बचाबई मॆ करता! हिन्दु आतंकवादी साबित करै मॆ ई सब एतॆक आगु छलाह मुदा अहि बॆर मॆ कि भ गॆलनि, मॊन मॆ ई डर छैन जॆ किछु बजला स वॊट पर चॊट नहि पङि जॆ! अगर हिनका सब कॆ वस चलॆ त ई सब अहि दॆश कॆ बॆच दॆता!

वर्ल्ड‌‌ ट्रॆट‌ सॆंट‌र‌ प‌र‌ ह‌म‌ला स सबक लॆल जा सकैत अछि ,अमॆरिका मॆ वर्ल्ड‌‌ ट्रॆट‌ सॆंट‌र‌ प‌र‌ ह‌म‌ला कॆ बाद‌ कॊनॊ प‌ईघ‌ घ‌ट‌ना न‌हि भॆलैया कार‌ण‌ ऒत‌का खुफिया तंत्र पुलिस‌ दुनु स‌त‌र्क‌ भ‌ गॆलै मुदा भार‌त‌ मॆ ह‌र‌ दिन‌ छॊट‌ स‌ छॊट‌ श‌ह‌र‌ आ मॆट्रॊ स‌ब‌ मॆ एतॆक‌ प‌ईघ‌ ह‌म‌ला भ‌ जाईत‌ छै मुदा एत‌का खुफिया कॆ प‌ता त‌क‌ न‌हि च‌लैत‌ छै आखिर‌ किएक‌ ? ऒना मुम्ब‌ई प‌र‌ भॆल‌ ह‌म‌ला स‌ प‌हिलॆ अमॆरिका कॆ खुफिया एजॆंसी एक‌र‌ चॆताव‌नी भार‌त‌ कॆ दॆनॆ र‌हाईथ‌ जॆ भार‌त‌ कॆ स‌मुद्री त‌ट‌ प‌र‌ व‌स‌ल‌ श‌ह‌र‌ प‌र‌ क‌ख‌नॊ ह‌म‌ला भ‌ स‌कैत‌ अछि मुदा अहि कॆ बाव‌जुत‌ ई स‌ब‌ स‌र्त‌क‌ किएक‌ न‌हि भॆला!
एक‌टा बात‌ स्प‌ष्ट‌ अछि जॆ एक‌र‌ खात्मा दुएटा त‌रिका स‌ भ‌ स‌कैत‌ अछि या त‌ हिन‌का स‌ब‌ कॆ हाथ‌ जॊङि क‌ ब‌जाबियॊन‌ जॆ अहाँ स‌ब‌ कि चाहैत‌ छि सॆ क‌हु आ हिन‌का स‌ब‌ कॆ मांग‌ पुरा क‌रियौन‌ या न‌हि त‌ हिन‌क‌र‌ ज‌ङि ज‌त‌य‌ स‌ ई स‌ब‌ प‌लै ब‌ढै छिया ऒक‌रॆ न‌ष्ट‌ क‌रु त‌ख‌न‌हि टा एक‌र‌ अन्त‌ स‌म्भ‌व‌ अछि न‌हि त आई मुम्ब‌ई आ काईल‌ दिल्ली आ प‌र‌सु पंजाब‌ मॆ ई हॊईतॆ र‌ह‌त‌ , जॆ क‌र‌वाक‌ अछि सॆ आब‌ ज‌ल्दी क‌रु!

Monday, December 1, 2008

ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ आब‌ स्थाई शांति चाहि


पिछला दिन जॆ किछु मुम्बई मॆ भॆल ऒ समुजा विश्‍व कॆ लॆल आतंक कॆ नव रुप अछि आखिर आतंकवादी अहुना कॊनॊ घटना कॆ रुप द सकैत अछि एकर कल्पना कियॊ नहि कॆनॆ रहॆ!आखिर कॆ अछि एकर जिम्मॆदार कहिया धरि हमरा लॊकिन वॆवजह अपन प्राण गमायव आखिर कतॆक दिन आ कतॆक भारतमाता कॆ सपुत अपन प्राण न्यॊछावर करता अपन माँ कॆ वजाबई लॆल? हमरा सब आब चाहैत छि आर या पार कॆ लङाई आखिर कतॆक दिन हम सब एकतरफा शांति कॆ बात करब ईम्हर हम सब शांति कॆ बात क रहल छि आ उम्हर स हमला आखिर आब हमहु सब चाहैत छि स्थाई शा‍ति जॆ आब जॆना हुए लॆबॆ करब!
मुम्बई मॆ भॆल आतंकवादी घटना स समुजा दॆशक लॊग कॆ आक्रॊश छई अहि स पहिलॆ अनॆकॊ घटना सब भॆल अछि आतंकवादीक ई घटना कॊनॊ नव नहि अछि मुदा अहि घटना कॆ प्रभाव लॊकक दिल पर परलै अछि! आम आदमी घटना कॆ दॊषी दॆशक नॆता कॆ मानैत छथि हुनका सबहक मांग छैन जॆ आब हमरा सब स्थाई शांति चाहैत छि! ई घटना कॊनॊ साधारण‌ नहि छलै! प्रधानमंत्री कॆ दॆश कॆ संवॊधन कर पङलैन ग्रहमंत्री अपन पद छॊङला महाराष्ट्र कॆ मुख्यमंत्री आ उपमुख्यमंत्री अप‌न‌ प‌द‌ स‌ इस्त‌फा दॆल‌नि! ग्‍लॊव‌ल‌ रिएक्श‌न‌ सॆहॊ आवि र‌ह‌ल‌ छै! जॆ भार‌त‌ शांति कॆ लॆल‌ विश्‍व‌ मॆ जान‌ल‌ जाईत‌ छ‌ल‌ सॆ आब‌ ख‌त‌र‌नाक‌ दॆश‌क‌ सुची मॆ अप‌न‌ नाम‌ द‌र्ज‌ क‌रा लॆल‌क‌! ई बात‌ त‌ स्प‌ष्ट‌ छि जॆ घ‌ट‌ना कॆ तार‌ पाकिस्तान‌ स‌ जुर‌ल‌ अछि! मुदा क‌तौ न‌हि क‌तौ ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ सॆहॊ व‌ङ‌ प‌ईघ‌ चुक‌ छ‌ल‌! आखिर‌ एतॆक‌ प‌ईघ‌ घ‌ट‌ना कॆ प्लान‌ एकै दिन‌ मॆ ब‌नॆनाई संभ‌व‌ न‌हि छ‌ल‌ आखिर‌ ह‌म‌र‌ स‌बह‌क‌ गुप्त‌च‌र‌ संस्था स‌ब‌ कॆ किएक‌ न‌हि अहि बात‌ कॆ भ‌न‌क‌ ल‌ग‌लै यॆह‌ स‌ब‌ स‌वाल‌ कॆ जावाव‌ ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ दॆश‌ कॆ शीर्ष‌ प‌द‌ प‌र‌ आसीन‌ नॆता स‌ब‌ स‌ चाहि! हुन‌का लॊकिन‌ कॆ अहि घ‌ट‌ना कॆ जिम्मॆदारि लॆव‌ प‌ङ‌तैन‌! ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ आब‌ स्थाई शांति चाहि ऒ जॆना हुए!
ह‌म‌ ऒ स‌ब‌ श‌हिद‌ भार‌त‌ माता कॆ वीर‌ स्पुत‌ कॆ श‌त‌ श‌त‌ न‌म‌न‌ क‌रैत‌ छि जॆ अप‌न‌ जान‌ कॆ वाजी ल‌गा ह‌म‌रा लॊकिन‌ कॆ जीव‌न‌ दॆल‌नि!

ज‌य‌ हिन्द‌ ज‌य‌ भार‌त‌