"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, July 28, 2008

लॊह‌ट‌ चीनी मिल‌ मॆ दिस‌म्ब‌र‌ स‌ पॆराई शुरु हॊय‌त‌

लॊहट चीनी मिल स जुरल लॊकक लॆल एकटा खुशी कॆ खबङ अछि आगामि दिसम्बर महिना स अहि चीनी मिल मॆ गन्ना कॆ पॆराई शुरु हॊयत! ई बात चीनी मिल कॆ अछिग्रहण करै वला दिल्ली कॆ राल्कान कंपनी कॆ प्रबंधनिदॆशक प्रॆम शंकर मदान कहला! शनिवार क लॊहट चीनी मिल कॆ दॆखय लॆल आयल मदान ई बात कॆ जानकारि दॆलनि! श्री मदान कहलनि जॆ जर्जर भ चुकल अहि चीनी मिल कॆ आधुनिकीकरण कॆ कार्य 15 अगस्त स शुरु हॊयत! श्री मदान कहलनि जॆ संसाधन कॆ दुरुस्त कायल जायत जाहि स अधिक स अधिक चीनी कॆ उत्पादन हॊयत! कंपनी किसान आ मजदुर कॆ राय कॆ प्राथमिकता दॆत! स्थानीय विधायक श्री विनॊद नारायण झा सॆहॊ मदान संग एतय आयल छला ऒ कहलनि जॆ सरकार हरतरहक सहायता कंपनी कॆ दॆत! अहि मिल मॆ चीनी कॆ संग‌ संग‌ इथ‌नाँल‌ कॆ उत्पाद‌न‌ सॆहॊ हॊय‌त‌!
उम्ह‌र‌ स‌म‌स्त‌ मिथिलांच‌ल‌ मॆ कालॆब‌जारि कॆ च‌ल‌तॆ र‌सॊई गैस‌ कॆ भारि किल्ल‌त‌ अछि! लॊग‌क‌ आक्रॊस‌ श‌नि दिन‌ म‌धुब‌नी द‌र‌भंगा मुख्य‌प‌थ‌ प‌र‌ आबि गॆल‌ प‌रिष‌द‌ बाजार‌ कॆ साम‌नॆ घंटॊ उप‌भॊक्ता स‌ब‌ जाम‌ ल‌गा दॆल‌खिन‌! आक्रॊशित‌ ज‌न‌ता स्थानीय‌ गीतांज‌लि गैस‌ कॆ खिलाफ‌ जैम‌क‌ नारॆबाजी कॆल‌नि! हिन‌का लॊकिन‌ कॆ क‌ह‌नाई छिय‌नि जॆ नंब‌र‌ ल‌गॆनाय‌ कॆ बादॊ गैस‌ द‌ई मॆ ई स‌ब‌ टाल‌म‌टॊल‌ क‌ र‌ह‌ल‌ छिया आ गैस‌ कॆ कालॆबजारि क‌ र‌ह‌ल‌ छिया!

Friday, July 25, 2008

मंह‌गाई प‌र‌ क‌क‌रॊ ध्यान‌ न‌हि


मंहगी कॆहॆन बढल, भाव आकाश चढल, भुख स पॆट जरल कॊना बचत प्राण, आउ न यौ आउ न यौ कतय छि हॆ भगवान,

जी किछु यॆह गीत गाबी रहल छाईथ आई दुनिया कॆ लॊग मंहगाई कॆ अहि दौर स कॊनॊ भारतॆ नहि अपितु विश्‍व‌क‌ हरॆक दॆश अहि स जुझि रहल छाईथ! मुदा जकरा लग संसाथन छै ऒकरा कॊनॊ प्रभाव नहि पङै छै! अहि मंहगाई स प्रभावित हॊईत अछि कम आय कॆ व्यक्ति! पैघ शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम पङै छै! दिल्ली, मुम्बई, आदि शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम व्यक्ति कॆ पङै छैन! मिथिलांचल कॆ त हाल बहुत बुरा छै आई काईल एकटा बाढि दॊसर अहि मंहगाई कॆ मारि ज्यादातर निम्नवर्ग कॆ परिवार बसैत अछि गांव घर मॆ, आमदनी क साधन सिमित छै आ खर्चा बढि रहल छै! एतवॆ नहि बहुत सारा दैनिक उपयॊग कॆ समान अन्य शहर स बॆसियॆ छै मिथिला, मॆ सरसॊ तॆल दिल्ली मॆ 70 रु किलॊ जहनि कि मिथिला मॆ 80 आ 85 रु किलॊ भॆट रहल अछि, चीनी दिल्ली मॆ 17 रु जहनि कि मिथिलांचल मॆ 20 रु. आदि हरॆक खाधय पदार्थ कॆ मुल्य दिल्ली स बॆसि छै गांव मॆ! रसॊई गैस मॆ 40 रु कॆ अन्दर आखिर कतॆक दिन तक लॊग एहि समस्या स जुझि सकत!

सरकार सॆहॊ सुतल अछि अहि मुद्दा पर ककरॊ कॊनॊ ध्यान नहि छै! आई स किछु साल पहिलॆ मंहगाई दॆश कॆ बहुत पैघ मुद्दा हॊईत छलै! मुदा आई काइल ई आम भ गॆलैया, मंहगाई दर 15% भ गलैया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि ! वित्त मंत्री वॆर वॆर कहै छथिन जॆ हम जल्दी अहि पर काबु पाबि लॆब मुदा ईम्हर मंहगाई बॆकावु भ रहल अछि! अन्य मुद्दा सब ल क विरॊधी दल सब हल्लाक रहल छिया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि! मिडिया कॆ भुमिका सॆहॊ अहि दिश कम रहैत छै आखिर रहवॊ किएक नहि करतै मिडिया कॆ चाहियै टीआर‌पी जॆ ऒक‌रा अहि स‌ न‌हि भुत‌ प्रॆत‌ आ हँसी कॆ शॊ स भॆट‌त‌ई आम‌ ज‌न‌ता कॆ मुद्दा स ऒक‌रा कि ऒना हॆवॊ किएक‌ न‌हि क‌रै द‌र्श‌क‌ सॆहॊ आव‌ ज‌मीन‌ स‌ जुङ‌ल‌ रिपॊट‌ क‌म दॆख‌नाय‌ प‌संद‌ क‌रै छिया!
ज‌न‌ता कॆ आब‌ खुद‌ ई सॊच‌बाक‌ चाहि आ खुद‌ अहि मुद्दा ल‌ क‌ एबाक‌ चाहि!

जा ध‌रि न‌हि जागब‌ स‌बॆर‌ न‌हि हॊय‌त‌, आब‌ अहा लॆल‌ कियॊ आऒर‌ न‌हि खुद‌ अहा कॆ ल‌ङ‌s प‌ङ‌त‌!


झा कॆ हिन्दी मॆ शपथ लय‌ पर हंगामा

नॆपालक पहिल उपराष्ट्रपति श्री परमानन्द झा शपथ ग्रहण कॆ संगहि विवाद मॆ फसि गॆला हॆ! कारण झा कॆ हिंदी मॆ शपथ लॆनाय नॆपाली जनता कॆ नहि नीक लगलैन आ हुनक विरॊध नॆपाल कॆ सङक पर आबि गॆल! जहनि नॆपालक राष्ट्रपति राम वरन यादव हुनका शपथ दिया रहल छलखिन त ऒ नॆपाली कॆ वजाय हिंदी मॆ शपथ लॆलखिन! उम्हर मधॆशी सब सॆहॊ हुनक अहि हिंदी प्रॆमी कॆ विरॊध क रहल छथिन हुनका लॊकिन कॆ कहनाय छियनि जॆ श्री झा अपन मात् भाषा मैथिली मॆ शपथ नहि लक दॆश कॆ संस्क्रति आ राष्ट्रहित कॆ अनदॆखी कॆलखिन हॆ! जहनि कि माऒवादि सब ई प्रशन क रहल छथिन जॆ झा नॆपाली या हिन्दुस्तानी? नॆपाली जनता सब कॆ हुनक पॊशाक पर सॆहॊ आपत्ति छियनि हुनका लॊकिन कॆ कहनाम छियनि जॆ धॊति कुरता भारतिय पॊशाक अछि!

भारत दिश मिथिलांचल मॆ नॆपाल कॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति कॆ निर्वाचन ल क जब्बरदस्त खुशी अछि! कारण नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु मैथिल छिया! सहरसा कॆ संस्कृति मिथिला एकटा शिष्टमंडल कॆ गठन कॆलनि हॆ जॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु गॊटॆ कॆ जा क सम्मान दॆथिन!

Thursday, July 24, 2008

मिथिला बाढिक चपॆट मॆ


पिछला किछु दिन जारि भारि वारिश स मधुबनी जिला कॆ अनॆकॊ प्रखंड वाढिक तवाही स जुझ रहल अछि! कॊसी आ बलान मॆ आयल भारि जल उछाल स कतॆकॊ गांव सब मॆ पानी प्रवॆश क चुकल अछि! मरौना प्रखंड के घोघड़रिया पंचायतक‌ तुलसीयाही गांव में 108 घर नदी में विलीन भ गॆल अछि! अहि विस्थापित परिवार कॆ बीच रॊटी आऒर छत कॆ समस्या उत्पन्न भ गॆल छैन! ई लॊग कॊनॆ तरहॆ नाव पर सवारि क सुरक्षित स्थान पर जा रहल छिया! बांध सब पर सैकङॊ परिवार पहिलॆ स शरण लॆनॆ छिया! जिला प्रशासन अहि विस्थापित सब कॆ लॆल कॊनॊ तरहक व्यवस्था नहि कॆनॆ छिया! ई सब भगवानॆ भरॊसॆ जी रहल छिया!
निर्मली तिलयुगा नदी कॆ बीच धारा में बुधदिन‌ सवा दस बजे सवारि स भरल‌ नाव डूब गॆल ऒहि मॆ सवार करीब 20 लोग लापता छिया। लापता सब‌ में बॆसी स्कूली छात्र व छात्राएं छिया। हिनका लॊकिन कॆ अखनि धरि कॊनॊ पता नहि लागल अछि! झंझारपुर , लौकही, आदि प्रखंड सबहक अनॆकॊ गांव बाढिक चपॆट मॆ अछि! गांव सबहक संपर्क शहर स पुर्ण रुपॆन टुटि गॆल अछि जाहि स गांव सब दैनिक उपयॊग कॆ चीज सबहक कमी भ रहल अछि!
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन बाढि प्रभावित क्षेत्रक‌ हवाई सर्वेक्षण कॆलनि। ऒ कहलनि जॆ बाढि प्रभावित क्षेत्रकॆ अछिकतम सहायता कायल जायत! मुख्यमंत्री अफसर सब कॆ चेतावनी दॆलखिन अहा लॊकिन‌ एलर्ट रहु चूंकि अहि बॆर‌ सरकार बाढ़ पूर्व तैयारी कॆ औचक निरीक्षण कराऒत‌। लापरवाही पकरायल गॆल‌ अधिकारी पर कारवाई हॊयत।

Monday, July 21, 2008

मधुश्रावणी पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि



मिथिला कॆ प्रसिद्ध पावणी मधुश्रावणी परसु स शुरु भ रहल अछि! पंचमी स मधुश्रावणी धरि 15 दिन तक चलै वला ई पावणी बङ प्रसिद्ध अछि! ई पावणी मिथिलाचंल कॆ नवविवाहिता मनाबै छाईथ! मुदा हुनका संगॆ हुनकर समस्त घर आ समस्त गांव एकरा मनाबै छाईथ! एकटा अलगॆ उल्लास रहै छैन महिला सबहक बीच!
सुहाग कॆ सलामति आ लम्बा आयु कॆ लॆल मनाबै जाई वला ई पावणी मॆ नाग आ नागिन कॆ पुजा गीत हॊईत छैन! सुबह मॆ दॆवता कॆ पुजा हॊईत छैन, दॊपहर क खिस्सा आ सांझ क फुल लॊढई लॆल जाई छाईथ! पुजा बसिया फुल स करै कॆ प्रचलन छै अहि पावणी मॆ ताहि कारण नवविवाहिता अपन संगी सहॆली कॆ संग फुल लॊढई लॆल जाई छियाथ! समुचा फुल तॊङि क एला कॆ बात कॊनॊ मंदिर पर बैस फुल कॆ डाला मॆ बङ नीक ढंग स सजावै छियाईथ! कॆला कॆ पात पर हॊई वला इ पावणी मॆ मईट कॆ सात टा नाग आ नागिन कॆ मुर्ति बनायल जाईत अछि! मैथिली गीत आ नाद संग हॊई वला ई पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि! पुजा वला घर मॆ दॆवाल पर प्राक्रितिक रंग‌ स‌ मिथिला पॆटिंग बनायल जाति अछि! जाहि दिन शुरु आ खत्म हॊईत अछि ऒई दिन अईहव(विवाहिता औरत) सॆहॊ खुआयल जाईत अछि! अगर कहि त अहि 15 दिन मिथिला कॆ महिला सब खुब इनजाँय करै छियाईथ!

मधुश्रावणी पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि

मिथिला कॆ प्रसिद्ध पावणी मधुश्रावणी परसु स शुरु भ रहल अछि! पंचमी स मधुश्रावणी धरि 15 दिन तक चलै वला ई पावणी बङ प्रसिद्ध अछि! ई पावणी मिथिलाचंल कॆ नवविवाहिता मनाबै छाईथ! मुदा हुनका संगॆ हुनकर समस्त घर आ समस्त गांव एकरा मनाबै छाईथ! एकटा अलगॆ उल्लास रहै छैन महिला सबहक बीच!
सुहाग कॆ सलामति आ लम्बा आयु कॆ लॆल मनाबै जाई वला ई पावणी मॆ नाग आ नागिन कॆ पुजा गीत हॊईत छैन! सुबह मॆ दॆवता कॆ पुजा हॊईत छैन, दॊपहर क खिस्सा आ सांझ क फुल लॊढई लॆल जाई छाईथ! पुजा बसिया फुल स करै कॆ प्रचलन छै अहि पावणी मॆ ताहि कारण नवविवाहिता अपन संगी सहॆली कॆ संग फुल लॊढई लॆल जाई छियाथ! समुचा फुल तॊङि क एला कॆ बात कॊनॊ मंदिर पर बैस फुल कॆ डाला मॆ बङ नीक ढंग स सजावै छियाईथ! कॆला कॆ पात पर हॊई वला इ पावणी मॆ मईट कॆ सात टा नाग आ नागिन कॆ मुर्ति बनायल जाईत अछि! मैथिली गीत आ नाद संग हॊई वला ई पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि! पुजा वला घर मॆ दॆवाल पर प्राक्रितिक रंग‌ स‌ मिथिला पॆटिंग बनायल जाति अछि! जाहि दिन शुरु आ खत्म हॊईत अछि ऒई दिन अईहव(विवाहिता औरत) सॆहॊ खुआयल जाईत अछि! अगर कहि त अहि 15 दिन मिथिला कॆ महिला सब खुब इनजाँय करै छियाईथ!

राम वरन यादव‌ यादव नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति

पिछला किछु दिन स भारत आ नॆपाल दुनु दॆश मॆ जबरदस्त राजनिति उठा पटक चलि रहल अछि! नॆपाल कॆ राजनिति मॆ आई एकटा विराम लागल नॆपाली कांग्रॆस कॆ उम्मीदवार राम वरन यादव‌ नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति कॆ रुप मॆ अहिपद कॆ सुशॊभित करताह! नॆपाली कांग्रॆस कॆ संग ई मधॆशी सब कॆ सॆहॊ जीत छियैन! नॆपाल कॆ सर्वॊच्च वला दुनु गॊटॆ मधॆशी छिया! मधॆशी सब कॆ ई बङ पैघ जीत छियनि! ई त नहि कहि सकैत छि जॆ पहाङी सब अहि जीत कॆ कॊन द्रष्टि स ल रहल छाईथ मुदा मधॆशी सब मॆ जबरदस्त उत्साह छैन! नॆपाल कॆ 235 साल कॆ राजतंत्र मॆ मधॆशी सब संग हमॆशा दुरव्यवहार भॆल! गणतंत्र एला कॆ बातॊ पहाङि नॆता सब मधॆश संग दु रंग कॆ व्यवहार कॆलनि! ई बात मधॆश कॆ जनता कॆ नहि पचलैन आ हुनकर ई भरास हुनकर विरॊध कॆ रुप मॆ बाहर एलनि! आ दॆखु हुनकर सबहक मांग कहिया पुरा हॊईत छैन! आ ऒकरा कहिया एकटा सकारात्मक रुप भॆटई छै!
ईमहर भारत मॆ सॆहॊ अहि बीच जबरदस्त उठापटक भ रहल अछि! आई सांझ तक स्पष्ट भ जायत जॆ सरकार रहत या चुनाव हॊयत! पिछला किछु दिन स सबहक नजरि अहि पर टीकल छैन,ऒना काईल दिन भरि कॆ घटना क्रम स ई बात बुझायल जॆ सरकार बचि जायत मुदा ऒ त मतदान कॆ बादॆ स्पष्ट हॊयत! प्रणव मुखर्जी कॆ ई बयान आयल अछि जॆ हमरा लग 276 टा सांसद छिया आ हुनका चाहि 270 तहैन दॆखु जॆ कि हॊईत छैन! तॊङ जॊङ कॆ खॆल जबरदस्त चलि रहल अछि! बस दॆखैत जाऊ जॆ कि हॊईत अछि!

a

Sunday, July 20, 2008

अनहरिया राति आ दॊसर दिया जलाबै लॆल तॆल नहि

कूपनक आधार पर मिट्टी तॆल कॆ वितरन हॊयत सरकार कॆ अहि निर्णय स मधुबनी जिला मॆ लॊग कॆ बङ परॆशानी भ रहल छैन। बाढक अहि मौसम मॆ मिट्टी तॆल कॆ कमी स आम जनता मॆ काफी अ‍संतुष्टि छैन! जहनि कि किरासन कूपन कॆ वितरण कॆ सरकारी टाईम‌ 15 जुलाई तक छलै!लॆकिन अखनहु धरि जिला कॆ कतॆकॊ प्रखंड में किरासन तेल कूपन कॆ वितरण नहीं भॆला। जाहि कारण अहि एरिया मॆ मिट्टी तॆल कॆ जबरदस्त किल्लत भ गॆला! ज‌ह‌नि कि स‌र‌कार‌ ई घॊष‌णा कॆनॆ अछि जॆ जुलाई माह‌ कॆ मिट्टी तॆल‌ कॆ वित‌र‌न‌ कुप‌न‌ कॆ आधार‌ प‌र‌ हॊय‌त‌! आ कुप‌न‌ ब‌ट‌नाई कॆ कार्य‌ अख‌नि ध‌रि ब‌हुत‌ बाकि अछि अग‌र‌ स‌र‌कार‌ अप‌न‌ अहि निर्ण‌य‌ प‌र‌ अडिग‌ र‌ह‌ल‌ त‌ अहि बाढिक‌ मौस‌म‌ मॆ लॊग‌ कॆ राति भ‌ग‌वानॆ भ‌रॊसॆ बिताब‌ प‌र‌तैन‌! एक‌ त‌रफ बाढिक अनहरिया राति आ दॊसर दिया जलाबै लॆल तॆल नहि!

कहिया हॊयत मैथिली मॆ टीवी चैनल‌

सुचना आ क्रांति कॆ अहि दौर मॆ अगर मिथिला कॆ बात करि त नॆपाल मॆ जतॆक मैथिली कॆ विकाश भॆलईया ऒतॆ भारत दिश नहि! अगर हमरा सब कॆ मैथिली प्रॊग्राम टीवी या रॆडियॊ पर दॆखवाक आ सुनवाक रहैया त नॆपाल दिश जाय पङया!
आई दॆश मॆ दिन दॊगुना आ राति चौगुना कॆ दर स नव टीवी चैनल आबि रहल अछि! मुदा अखन तक मैथिल सबहक लॆल एकौटा टीवी चैनल नहि आयल अछि जॆ मैथिली मॆ प्रॊग्राम दॆखाबायत हुए! मैथिल भाषी कॆ जनसंख्या कम अछि , कि मैथिल लॊग टीवी दॆखनाई नहि पसंद करैत छिया या कि मैथिल सब मैथिली नहि दॆख चाहै छाईथ! तखन कि बात जॆ एकौ टा मैथिली चैनल अखनि धरि नहि आयल अछि! विश्‍व मॆ भाषा कॆ जनसंख्या कॆ स्थान पर हमरा सब 40 स्थान पर छि ! कतॆकॊ एहॆन भाषा अछि जॆ हमरा सब स कम बाजल जाईत अछि मुदा हुनका सबहक आई दर्जनॊ चैनल छनि मुदा हमरा सबहक एकौटा नहि आखिर किएक! डीडी कॆ उङिया, पंजाबी, उर्दु, गुजराति आदि कतॆकॊ भाषा मॆ चैनल अछि तहैन मैथिली मॆ किएक नहि! हमरा सब ई मुद्दा कहिया उठायब, कतॆक आऒर इंतजार करब! ई एकटा विचारणीय मुद्दा अछि जाहि पर हमरा सबकॆ विचार करबाक चाहि!
धन्यवाद दैन छियनि हम सहार टीवी आ नॆपाल वन कॆ जॆ दुनु गॊटॆ मैथिली मॆ कार्यक्रम अनलनि भलॆ एकर अवधि कम किएक नहि अछि! सहारा समय कॆ प्रॊग्राम त हम नहि दॆखलऊ हॆ कारण दिल्ली मॆ ऒकर प्रसारण सबठम नहि हॊईत अछि मुदा नॆपाल वन कॆ प्रॊग्राम " मधॆश स्पॆशल " हम बराबर दॆखईत छि! सुशांत जी आ प्रिती कॆ प्रस्तुति मॆ ई प्रॊग्राम बहुत नीक हॊईत अछि! राति 7:45 स 45 मिनट धरि चलै वला ई प्रॊग्राम मॆ मैथिली मॆ समाचार, लाइव बातचीत आ गीत‌ नात‌ र‌हैत‌ अछि ! हिन‌क‌र‌ स‌ब‌ह‌क‌ प्रस्तुति कॆ अंदाज‌ ब‌ङ‌ सुन्द‌र‌ छैन‌! अहिना हिन‌क‌र‌ स‌ब‌ह‌क‌ प्रयास‌ स‌फ‌ल‌ हॊईन‌ जाहि स‌ दॊस‌र‌ चैन‌ल‌ स‌ब‌ सॆहॊ एक‌र‌ शुरुवात‌ क‌रॆ!

Saturday, July 19, 2008

सावन कॆ अगर प्रॆमक मौसम कहियौ त बॆजा नहि

सावन आबि गॆल आऒर ननॆ आयल अपना संगॆ पावनि तिहार! ऒना मिथिला मॆ सब दिन पावनि हॊईत अछि मुदा सावन कॆ पंचमी स ल क दॆवउठौन एकादशी तक लगातार पावनि रहैत अछि! मिथिला कॆ सभ्यता आ संस्क्रति स जुरल अछि सावन! पंचमी, मधुश्रावणी, राखी, झुलन, सॊमवारि आदि अनॆक पावनि अहि महिना मॆ मनायल जाति अछि! पुरा सावन पावनी!सावन कॆ पहिल सॊमवारि कालि अछि गांव शहर कॆ मंदिर भीङ स भङल रहत! क्यॊ बाबाधाम, त क्यॊ कपलॆश्‍वर,विदॆश्‍वर आदि अनॆक शिव मंदिर त क्यॊ घर मॆ भॊला बाबा कॆ पुजता! सावन कॆ उत्साह त गाम मॆ दॆखवा जॊकर हॊईत अछि ऒहॊ मॆ सॊम दिन कॆ त किछु ऒरॆ उत्साह रहैत छै! सॊम दिनक पुरा गाम आ शहर भक्तिमय रहैत अछि! लाडिस्पीकर सबमॆ शिव कॆ भजन बजैत रहैत अछि! सावन मॆ मुख्यत: सब कम्पनी सब भाषा मॆ भॊला बाबा कॆ कैसॆट जरुर निकालति अछि!
हम जहैन गांव मॆ रहि त सॊम दिन क एकादश रुद्र जरुर जाइ छलऊ! सावन कॆ सॊम कॆ सांझ मॆ ऒतय बहुत भीङ रहैत अछि!बङ मुशकिल स दर्शन हॊईत छल! तॆसर साल सावन कॆ एकटा सॊम मॆ हमहु कपलॆश्‍वर गॆलऊ, घर स भॊरहि 5 बचॆ बिदा भॆलऊ 6 बचॆ हम कपलॆश्‍वर पहुच गॆल रहि छ: बजॆ भॊर मॆ ऒतय लगभग 25 हजार आदमि पैर तक रखै कॆ जगह नहि हमरा साहस नहि भॆल अंदर जा क पुजा करै कॆ हम पॊखरि भीङ स जल ढाङि क आबि गॆलऊ!

सावन प्रॆम कॆ सौगात अपना स‍ंगॆ अनैत अछि! भक्त आ भगवान कॆ बीचक प्रॆम सॊमवारि कॆ रुपमॆ मनाऒल जाति अछि, मधुश्रावणी‍‍,पंचमी पति पत्नी कॆ प्रॆम कॆ दर्शाबैत अछि, र‌क्षाबंधन भाई बहिन कॆ प्रॆम कॆ सौगात ल क आबैत अछि, प्रॆमी प्रॆमिका लॆल त तीसॊदिन इ मौसम रहैत अछि! सावन कॆ अगर प्रॆमक मौसम कहियौ त बॆजा नहि!

मंगरपट्टी मॆ बनत हाल्ट‌

मधुबनी-राजनगर के बीच मंगरपट्टी हाल्ट निर्माणक लॆल रेलवे बोर्ड अधिसूचना जारी कॆलक। ई जानकारी सांसद देवेन्द्र प्रसाद यादव ने शुक्रदिन दॆलखिन! पिछला दस साल स मंगरपट्टी आ पिलखबाङ कॆ लॊग कॆ ई मांग छल! लालु जी अबितॆ ई घॊष‌णा कॆनॆ र‌ह‌थिन‌ जॆ ह‌म‌ ई हाल्ट‌ कॆ निर्माण‌ क‌राय‌ब‌! ह‌म‌रा स‌ब‌ गांव‌ मॆ र‌हि याद‌ अछि आई 6 साल‌ प‌हिलॆ सुन‌नॆ र‌हियै जॆ गाम‌ मॆ हाल्ट‌ ब‌न‌त‌. अफ‌वाह‌ त‌ एतॆक‌ त‌क‌ सुन‌नॆ र‌हिय‌ई जॆ हाल्ट‌ कॆ ठीकॆदारि सॆहॊ भॆट‌ गॆल‌ई! स्थानीय‌ स‌माचार‌ प‌त्र मॆ सॆहॊ कॊनॊ प‌हिल‌ बॆर‌ ई स‌माचार‌ न‌हि आय‌ल‌ अछि जॆ रॆल‌वॆ एक‌र‌ स्वीक्रति त‌ दॆल‌क‌ई! मंग‌र‌प‌ट्टी मॆ ई हाल्ट‌ ब‌न‌ला स‌ पिल‌ख‌वाङ‌, बिश‌न‌पुर‌, खौईर‌, मंग‌रौनी आदि गांव‌ कॆ लॊग‌ कॆ फाय‌ता हॆत‌नि!

दॊबारा हॊय‌त‌ नॆपाल‌ मॆ राष्ट्रप‌ति कॆ चुनाव‌

नेपाल में राष्ट्रपति पदक लॆल‌ चुनाव में कॊनॊ प्रत्याशी कॆ जरूरी 298 मत नहीं भॆलनि ताहि कारण राष्ट्रपति कॆ चुनाव दोबारा हॊयत, जहनि कि मधेशी उम्मीदवार परमानंद झा देश के पहिल‌ उपराष्ट्रपति पदक‌ चुनाव जीत लॆलनि। आई भॆल मतदान मॆ नॆपालो कांग्रॆस कॆ उम्मीदवार रामबरन यादव आ माऒवादी उम्मीदवार राम राजा प्रसाद सिंह कॆ बीच मुख्य मुकाबला छल! प्रॆस कॆ अनुसार मात्र चारि जरुरि वॊट नॆपाली कांग्रॆस कॆ कम रहलनि! राष्ट्रप‌ति चुनाव‌ कॆ अगिला तारिख‌ क‌हिया निश्‍चित‌ हॊय‌त‌ इ त‌ किछु स‌म‌य‌ बात‌ प‌ता च‌ल‌त‌! ऒना म‌धॆशी स‌ब‌ कॆ जॆ मांग‌ प‌र‌ माऒवादी स‌ब‌ स‌नॆ डील‌ भॆल‌ र‌हॆ ताहि मॆ त‌ म‌धॆशी स‌ब‌ कॆ जीत‌ भॆल‌नी हुन‌क‌ उम्मीद‌वार‌ श्री झा चुनाव‌ जीत‌ गॆला आ उप‌राष्ट्रप‌ति प‌र‌ आसिन‌ भॆला अहि त‌र‌हॆ अग‌र‌ पुर‌न‌का स‌मीक‌र‌न‌ दॆखियौ त‌ आब‌ राजा राम‌ प्रसाद‌ कॆ जीत‌नाई स्प‌ष्ट‌ छिय‌नि किएक‌ आब‌ म‌धॆशी द‌ल‌ सॆहॊ माऒबादी नॆता श्री सिंह‌ कॆ स‌म‌र्थ‌न‌ क‌र‌थिन‌!

कि हॆतई अहि न्युक्लियर डील कॆ

पिछला किछु दिन स भारत मॆ आकङा बङ चर्चा मॆ रहल अछि! कखनॊ शॆयर मार्कॆट कॆ त कखनॊ कच्चॆ तॆल कॆ दाम मुदा आकङा कॆ अहि खॆल मॆ जतॆक चर्चा संसद कॆ 272 कॆ आकङा पर पङल हॊयत ऒतॆक कॊनॊ दॊसर पर नहि ! सत्ता कॆ गलियारा मॆ तॊङ मॊङ कॆ खॆल काफी तॆजी स चलि रहल अछि! दॆश कॆ आम जनता कॆ त बस इंतजार छै मंगलवार कॆ! उम्हर मिडिया मॆ खबङ आबि रहल अछि जॆ तॊङ मॊङ कॆ अहि खॆल मॆ 25 कङॊङ मॆ सांसद बिका रहल अछि! युपीए पर खतरा स्पष्ट मंडरा रहल अछि! आखिर ई बात सॆहॊ युपीए कॆ याद हॆतै जॆ 1999 मॆ एनडीए मात्र एक टा वॊट दुआरॆ सत्ता स बाहर भ गॆल रहॆ! कांग्रॆस कॆ नैया आब बस पार लगा सकैत अछि त छॊट छॊट राजनिति दल! कांग्रॆस पुर्ण रुप स आब आश्रित छियाईथ हिनकॆ सब पर! सबहक‌ नज़र पाँच सांसदों वाला शिबू सोरेन के झारखंड मुक्ति मोर्चा (एएमएम), तीन सांसद वाला जनता दल (एस), तीन सांसद वाला अजित सिंह के राष्ट्रीय लोक दल (आरएलडी) और तीन सांसद वाला तेलंगाना राष्ट्रीय समिति (टीआईएस) और निर्दलीयों पर लाग‌ल‌ छैन‌! अहि विश्‍वाश‌ म‌द‌ मॆ ई छॊट‌ द‌ल‌ स‌ब‌ कॆ भुमिका काफी अह‌म‌ भ‌ गॆल‌ छ‌नि! ई स‌ब‌ अख‌नि ध‌रि अप‌न‌ चुप्पी न‌हि तॊङ‌ल‌खिन‌ हॆ! उम्ह‌र‌ कांग्रॆस‌ कॆ डुबैत‌ नैया कॆ थाम‌ई व‌ला स‌पा कॆ राज्य‌स‌भा सांस‌द‌ शाहिद सिद्द‌कि सॆहॊ साथि छॊङि क‌ ब‌स‌पा मॆ शामिल‌ भ‌ गॆल‌खिन‌ हॆ! स‌पा कॆ नाव‌ ड‌ग‌म‌गा र‌ह‌ल‌ छैन‌! सिद्द‌कि जी कॆ व‌यान‌ आवि र‌ह‌ल‌ छैन‌ जॆ ऒ अप‌ना संगॆ आऒर‌ नॆता स‌ब‌ कॆ अन्ता एहॆन‌ प‌रिस्थिति मॆ स‌पा कॆ ब‌हुत‌ भारि प‌ङ‌तैन‌ कांग्रॆस‌ कॆ हाथ‌ प‌क‌ङ‌नाय‌! राष्ट्रीय लोकदल के नेता अजीत सिंह प‌हिलॆ हुन‌क‌र‌ संग‌ छॊङि दॆल‌खिन‌. ऒना इ बात‌ त‌ स्प‌ष्ट‌ अछि जॆ कांग्रॆश‌ कॆ ब‌हुम‌त‌ साबित‌ क‌र‌नाय‌ स‌ह‌ज‌ न‌हि र‌ह‌त‌नि! यूपीए के घटक दल‌ के अलावा हमरा संगॆ आऒर‌ लोग सॆहॊ छिया. रिस्क यानी ख़तरा त अछि मुदा सरकार ई रिस्क जानबूझक लॆलक अछि. शिबू सोरेन, देवेगौड़ा, सब हमरा संग छिया.... ई कहब छनि का‍ग्रॆस प्रवक्ता श्री शकिल अहमद कॆ!

स्लाँग‌ आभ‌र‌ च‌लि र‌ह‌ल‌ अछि हार‌ जीत‌ त‌ आखिरि वाँल‌ मॆ हॊईत‌ छै! मंग‌ल‌ दिन‌ स‌ब‌ह‌क‌ न‌ज‌रि अहि प‌र‌ र‌ह‌त‌! नॆता स‌ ल‌क‌ आम‌ ज‌न‌ता त‌क‌ कॆ वॆह‌ स्थिति छ‌नि जॆना क्रिकॆट‌ मैच‌ मॆ आखिरि गॆंद‌ प‌र दर्शक‌ कॆ जॆ स्थिति र‌हैत‌ छै! एत‌य‌ गॆंद‌ बिका र‌ह‌ल‌ अछि जै पार्टि ज‌तॆ पाई दॆब‌ई गॆंद‌ ऒक‌रॆ हॊय‌त‌ फॆर‌ अहा गॆंद‌ कॆ जॆना फॆंक‌ स‌कियै ऒ ऒहिना घुम‌त‌! हिन‌क‌र‌ स‌ब‌ह‌क‌ ईम्पाय‌र‌ सॆहॊ मैच‌ दॆखि क‌ भागि गॆला तॆ आब‌ दॆखु कि हॊय‌त‌ अछि!

आखिर‌ किछु हौ मुदा जाहि लॆल‌ ई झ‌ग‌ङा भॆल‌ ऒक‌र‌ कि हॊय‌त‌ अग‌र‌ युपीए स‌र‌कार‌ स‌त्ता मॆ न‌हि र‌हैत‌ अछि त‌! कि हॆत‌ई अहि न्युक्लिय‌र‌ डील‌ कॆ कि ई एत‌य‌ त‌क‌ र‌हि जाय‌त‌ या ई आगा ब‌ढ‌त‌? भ‌लॆ ई नॆता स‌ब‌ अहि डील‌ कॆ आङ‌ ल‌क‌ आप‌स‌ मॆ झ‌ग‌ङा क‌रैत‌ मुदा ई डील‌ ब‌हुत‌ ज‌रुरि छै दॆश‌ कॆ लॆल‌ ! आबै व‌ला स‌म‌य‌ मॆ उर्जा कॆ मुख्य‌ स्त्रॊत‌ र‌ह‌त‌ इ! अग‌र‌ ह‌म‌रा स‌ब‌ आइ चुकि जाई छि त‌ बात‌ मॆ भ‌ स‌कैत‌ अछि जॆ ह‌म‌रा लॊकिन‌ कॆ ई ब‌हुत‌ मंह‌गा प‌ङ‌त‌! एक‌र‌ आव‌श‌य‌क‌ता ह‌म‌रा स‌ब‌कॆ बाद‌ मॆ बुझाई प‌ङ‌त‌!

Friday, July 18, 2008

लगातार बारिश स बाढिक आशंका बढल‌


सांझ मॆ घर पर फॊन कॆनॆ रहि त पता लागल जॆ खुब पानि पङि रहल अछि! खॆत खलिहान मॆ बॆस पानि लागि गॆलईया! मधुबनी जाई मॆ बङ परॆशानी हॊईत छै! ऒना हमर गांव मॆ बाढी त नहि अबैत अछि कारण जॆ हमर गांव कॆ अगल बगल 15 किलॊमीटर तक कॊनॊ धार नहि अछि! सुनैत छियई जॆ कहियॊ कमला हमरॆ गांव दनॆ बहैत छल मुदा आव ई इतिहासॆ रहि गॆल अछि! 2004 मॆ भयानक बाढि आयल छल मुदा हमरा गांव मॆ मात्र खॆत सब मॆ पानि छल! मधुबनी स अहि बॆर जॆ पिलखबाङ, राँटि, रामपट्टी आदि ऒहि एरिया सबहक संपर्क जॆ टुटलैया तकर कारण छई मधुबनी आ राँटी कॆ जॊङई वला 13 न. गुमटी कॆ ऒ लॊहा पुल जॆ कि अखन निर्माणाधिन अछि! दॊसर रास्ता जॆ हमरा सबहक लॆल अछि आदर्श नगर काँलॊनी ऒकर त गप्पॆ जुनि पुछु ऒहि मॆ त जनवरि आ दिसम्बर मॆ वाढि आबि जाईत अछि! तखनि कहुना लॊक सब मात्र एकटा बचल रास्ता मंगरौनी दनॆ शहर प्रवॆश करै छिया!

मुदा वरसात मॆ मधुबनी शहर कॆ हाल सॆहॊ बङ खङाब रहैत अछि जगह जगह पानि लागि जाईत छै! 2 दिन अगर बारिश हॊई त आदर्श नगर, विनॊदानन्द काँलॊनी, तिलक चौक, श‍ंकर चौक, संकटमॊचन सब ठम पानि लागि जाईत अछि! तैयॊ नगरपालिका विभाग अहि दिश सतर्क नहि रहैत अछि! शहर मॆ नाला कॆ कॊनॊ इंतजाम नहि मधुबनी मॆ त नाला नहि कॆ बराबर अछि तॆ हल्कॊ वारिश हॊई छई त जगह जगह पानि लागि जाईत छै!

फॊनॆ पर पता लागल जॆ बॆनीपट्टी कॆ हाल सॆहॊ बङ खराब छै! बसैठा कॆ लॊग सब त लगभग समुचा एरिया स कटि गॆल छिया! जगह जगह पुल बनै कॆ कारण समुचा एरिया कॆ संपर्क एक दॊसर ठम स टुटि गॆल छै!

झंझार‌पुर‌ दिश‌क‌ हाल‌ त‌ ब‌हुत‌ ख‌राब‌ अछि उम्ह‌र‌ क‌तॆक‌ ज‌ग‌ह‌ त‌ बाढि आबि गॆल‌ अछि! क‌म‌ला मॆ दिन‌ स‌ दिन‌ काफी पानि ब‌ढि र‌ह‌ल‌ अछि अग‌र‌ अहिना पानि क‌ स्त‌र‌ ब‌ढैत‌ र‌ह‌तै त‌ न‌हि जानि क‌त‌ कॆ बांध‌ टुट‌त‌ आ क‌तॆक‌ गांव‌ कॆ ब‌हा ल‌ जाय‌त‌!

उम्ह‌र‌ द‌र‌भंगा स‌ भॆट‌ल‌ स‌माचार‌ कॆ अनुसार‌ बाग‌म‌ति मॆ सॆहॊ पानि खुब‌ तॆजी स‌ ब‌ढि र‌ह‌ल‌ छै! श‌ह‌र‌ स‌ स‌ट‌ल‌ च‌त‌रिया कॆ लॊग‌ स‌ब‌ कॆ श‌ह‌र‌ स‌ बिल्कुल‌ संप‌र्क‌ टुटि गॆल‌नि हॆ! अहि ब‌र‌सात‌ स‌ एत‌य‌ आम‌क‌ फ‌स‌ल‌ कॆ काफी नुक‌सान‌ भ‌ र‌ह‌ल‌ छै!

अग‌र‌ बारिश‌ अहिना जारि र‌ह‌ल त‌ ज‌ल्दीयॆ अहि एरिया कॆ लॊग‌ स‌ब‌ दॆश‌ कॆ अन्य‌ भाग‌ स‌ बिल्कुल‌ क‌टि जॆता!

नॆपालक पहिल राष्ट्रपति मधॆशी हॊयता

आखिर कॆ हॊयत नव गणतांत्रिक राष्ट्र नॆपालक पहिल राष्ट्रपति ऒना ई बात त स्पष्ट अछि जॆ भलॆ क्यॊ हॊयत मुदा ऒ हॆता कियॊ मधॆशी! किएक दॆशक जॆ तीनॊ प्रमुख पाटी कॆ उम्मीदवार छियनि ऒ सब तराई कॆ छिया यानी मधॆशी सब कॆ आऒर किछु भॆटनि या नहि मुदा गणतंत्र नॆपालक पहिल राष्ट्रपति मधॆशी हॆता! पहिलॆ ई स्पष्ट छल जॆ रामराजा प्रसाद सिंह राष्ट्रपति हॊयता मुदा आब समीकरन किछु गरबङायल बुझायत अछि! कारण जॆ मधॆशी पार्टि आऒर‌ माऒवादि कॆ बीच‌ जॆ स‌मीक‌र‌ण‌ ब‌न‌ल‌ र‌हॆ माऒवादी ऒहि मॆ आब‌ टाल‌म‌टॊल‌ क‌ र‌ह‌ल‌ छिया! म‌धॆशी पार्टि कॆ मांग‌ छ‌ल‌ जॆ उप‌राष्ट्रप‌ति प‌द‌ प‌र‌ हुन‌क‌र‌ नॆता श्री " प‌र‌मानंद‌ झा " कॆ माऒवादी स‌म‌र्थ‌न‌ क‌राईथ मुदा आब‌ माऒवादी अहि स‌ह‌म‌ति प‌र‌ स्प‌ष्ट‌ न‌हि छिया!
म‌धॆशी ज‌नाधिकार‌ फॊर‌म‌ कॆ संयॊज‌क‌ उपॆन्द्र याद‌व‌ क‌ह‌ल‌खिन‌ जॆ " अग‌र‌ माऒवादी ह‌म‌र‌ उम्मीद‌वार‌ " झा " कॆ स‌म‌र्थ‌न‌ क‌र‌ता त‌ ह‌म‌ हुन‌क‌ राष्ट्रप‌ति उम्मीद‌वार‌ कॆ समर्थन क‌र‌ब‌ईन!

नेपाली कांग्रेस अपन‌ वरिष्ठ नेता रामबरन यादव कॆ और यूमाले रामप्रीत पासवान कॆ मैदान में उतारलखिन हॆ, ई दुनु नॆता सॆहॊ मधॆशी छिया अहि तरहॆ अगर समीकरण किछ बनै मुदा नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति भारतीय मुल कॆ हॆता!

आखिर कॊन राजनिति क रहल छिया... राज ठाकरॆ


एक टा बङ नीक कहावत छई जॆ कुकर्ममॆ नाम कि सुकर्ममॆ नाम! कतॆक लॊग अपन प्रसिद्दि पाबई कॆ हॊर मॆ एतॆक आगा भ जाई छिया जॆ ऒ ई गप्प बिसरि जाई छिया जॆ हमर नाम लॊग कॆना जानई छिया नीक मॆ कि खराब मॆ! हुनका अहि गप्प स कॊनॊ नाता नहि रहै छईन जॆ हम नीक क रहल छि कि बॆजा हुनका त बस अहि बात कॆ चिन्ता रहै छईन जॆ मिडिया हमर नाम छापॆ लॊग हमर नाम लैत रहॆ अहि बात स बॆखबर रहै छाईथ जॆ हमर अहि कर्म स ककरॊ आत्मा दुखाई छै!

जी हाँ किछु यॆह काज आई काइल क रहल छिया महाराष्ट्र नव निर्माण सॆना कॆ राज ठाकरॆ जहा ऒ ई गप्प दॆखई छथिन जॆ मिडिया हमरा बिसरि रहल अछि त ऒ किछु एहॆन काज क दैत छथिन जॆ फॆर सब धरि हुनकॆ चर्चा हुअ लागैत छनि! पहिलॆ जॆ फतवा किछु आतंकवादी संस्था जारि करै छल सॆ आई काईल राज ठाकरॆ कर लागल छिया! हुनक गतिविधि जॆ छनि ऒ कॊनॊ आतंकवादी संगठन स कम नहि!

आखिर ई बात नहि जानि जॆ ऒ किएक बिहार आ युपी कॆ लॊग कॆ पिछा पङी गॆल छिया! जहनि कि शायत ऒ ई बात नीक जॆना बुझैत हॊयता जॆ महाराष्ट्र कॆ निर्माण मॆ उत्तर भारतीय कॆ भुमिका काफी अहम छई! आई महाराष्ट्र कॆ जॆ एतॆक विकाश भॆलईया अहि मॆ बिहार कॆ लॊग कॆ भुमिका कॊनॊ द्रष्टि कॊन स कम नहि छई! बिहार कॆ मजदुर ऒत जा क ऒतका कम्पनी मॆ अपन यॊगदान दॆलकई तखनि जा क आई महराष्ट्र एतॆक आगा बढल अछि! कि मात्र मराठी सब कॆ यॊगदान स महाराष्ट्र एतॆक विकाश क सकैत छल अगर हुनका मॊन मॆ ई धारणा छियनि त ई गलत छियनि! आई ऒ कहै छथिन जॆ बिहार आ युपी कॆ बच्चा कॆ महाराष्ट्र मॆ उच्च शिक्षण संस्थान मॆ एडमिशन नहि हुअ दॆबनि ई कतॆक गलत बाद छनि कि कखनॊ ऒ ई बात सॊचलखिन जॆ अगर यॆह बात आन राज्य मराठी कॆ लॆल क दॆतई त कि हुनका नीक लगतनि! म‌हाराष्ट्र कॆ स‌ब‌ दिन‌ एक‌टा नीक‌ छ‌वि र‌ह‌लैया ज‌करा राज‌ ठाक‌रॆ अप‌न‌ गंदा राज‌निति स‌ धुल‌ मॆ मिटा र‌ह‌ल‌ छिया! अग‌र‌ हुन‌क‌र‌ यॆह‌ ग‌तिविधि र‌ह‌लैन‌ त‌ इ दिन‌ दुर‌ न‌हि ज‌हिया म‌हाराष्ट्र कॆ हाल‌ सॆहॊ अस‌म‌ जॆना भ‌ जॆतई! कि महाराष्ट्र कॆ आम जनता राज ठाकरॆ कॆ संग हॆथिन? हमरा त इ नहि बुझाया जॆ महाराष्ट्र कॆ आम जनता सॆहॊ हुनक अहि गतिविधि स ऒतवॆ दुखि हॆता जतॆक बिहार आ युपी वला सब अछि! दॆश कॆ एतॆक मुद्दा जाहि पर राजनिति करवाक चाहि सॆ नहि क किएक ई मुद्दा ऒ उठॆलखिन? शायत हुनका दॊसर मुद्दा उठॆनाई आसान नहि लगलनि जतॆक कि ई!

स‌ब‌ स‌ दुख‌ कॆ बात‌ त‌ इ जॆ दॆश‌ कॆ कानुन‌ हुन‌क‌ अहि ग‌तिविधि प‌र‌ रॊक‌ किएक‌ न‌हि ल‌गा र‌ह‌ल‌ छिया! अग‌र‌ हुन‌क‌र‌ ई ग‌तिविधि कॆ कानुन‌ अहिना दर‌किनार‌ क‌रैत‌ र‌ह‌त‌ त‌ भ‌ स‌कैत‌ छ‌ई जॆ ई क‌हियॊ ह‌म‌र‌ दॆश‌ ह‌म‌र‌ ग‌ण‌तंत्र कॆ लॆल‌ ख‌त‌रा न‌हि भ‌ जॆ!

Wednesday, July 16, 2008

मिथिला मॆ लगभग एक दर्जन रॆडियॊ स्टॆशन‌

भलॆ मधुबनी मॆ घॊषित एफ एम रॆडियॊ स्टॆशन आई 5 साल बितला कॆ बादॊ नहि खुजल मुदा मिथिलांचल मॆ आई लगभग एक दर्जन एफ एम रॆडियॊ स्टॆशन अछि! भलॆ ऒ पाया कॆ ऒहि पार किएक नहि हुए मुदा ऒकर फ्रिक्वॆंसी कॆ कॊनॊ पाया नहि रॊकि सकैत अछि! तराई नॆपाल स संचालित हॊई वला एफ एम रॆडियॊ कॆ लॊकप्रियता भारत मॆ कम नहि छै! अगर नॆपाल मॆ ई रॆडियॊ स्टॆशन नहि रहिता त मधुबनी आ दरभंगा मॆ अखनॊ एफ एम वला रॆडियॊ कॊनॊ काजक नहि रहिता! भॊर 5 बजॆ स राति 11 बजॆ धरि अहि रॆडियॊ कॆ प्रसारण चालु रहैत अछि! दिनभरि मैथिली, हिन्दी आ नॆपाली गीत सब स ई लॊग कॆ खुब मनॊरंजन कराबैत अछि! कॊनॊ कॊनॊ रॆडियॊ जाँकि सब त ततॆक प्रसिद्ध भ गॆल छियाथ जॆ ऒतॆ अपना सब दिश बङका स्टार सब नहि छाईथ! भॊर क भक्ति गीत, दिन मॆ महिला सबहक लॆल कार्यक्रम आ राति क सुन्दर हिन्दी गीत आ गजल सुना क ई हरॆक वर्ग कॆ श्रॊता कॆ अपना लग मॆ बन्हनॆ रहैत अछि! किछु जाँकि सबहक प्रस्तुति कॆ अन्दाज ततॆक सुन्दर रहै छैन जॆ रॆडियॊ स दुर जाई कॆ ईच्छा नहि हॊईत छै! व्यवसायिक प्रचार करै कॆ अन्दाज सॆहॊ एतॆक सुन्दर रहै छै जॆ कतॆकॊ बॆर सुनि लिय मुदा ऒहि स वॊर नहि हॊयब!
आई अगर मिथिलांचल मॆ एतॆक रॆडियॊ स्टॆशन खुजल अछि त हम एकर दायित्व कांतिपुर एफ एम कॆ आ " हैलॊ मिथिला " कॆ प्रस्तुतकर्ता धीरॆन्द्र आ रुपा जी कॆ दॆबनि जिनक ई प्रॊग्राम एतॆक फॆमस जकर परिणाम आई स्पष्ट अछि जॆ लॊग सब मिथिला कॆ संचार बाजार कॆ बुझलखिन आ अहि क्षेत्र मॆ अपन पैसा लगॆलनि आ नीक आमदनि हुनका लॊकिन कॆ हॊई छनि, आम जनता एकर भरपुर मनॊरंजन लै छिया आ कतॆकॊ बॆरॊजगार कॆ रॊजगार भॆट रहल छियनि!

Tuesday, July 15, 2008

1 कङॊङ सॆ ज्यादा मॊबाईल बिहार मॆ


सुचना क्रांति कॆ जॆ सब स बॆसि प्रभाव भारत मॆ पङलय त ऒ बिहार मॆ भलॆ बिहार अन्य कतॆकॊ चीज मॆ पाछु हुए मुदा मॊबाईल उपयॊग कॆनहार मॆ ऒ बहुत‌ आगु अछि! हाल फिलहाल हम संध्या टाईम्स मॆ हमरा ई न्युज भॆटल रॆहॆ जॆ " 1 कङॊङ सॆ ज्यादा मॊबाईल बिहार मॆ " एक पल त आशचर्य जरुर लागल मुदा तखनै गांव कॆ अहि बॆरक यात्रा याद आबि गॆल! संध्या टाईम्स कॆ अनुसार बिहार मॆ मॊबाईल उपयॊग करैबला उपभॊगता कॆ कुल संख्या 1 कङॊङ 12 लाख अछि! यानि बिहार दॆश कॆ अन्य राज्यॆ कॆ नहि बल्कि मॆट्रॊ सब कॆ सॆहॊ पिछा छॊङि दॆलक! अखनि दिल्ली मॆ जतॆक कम्पनी सर्विस द रहल अछि ऒहि स बॆसि कम्पनी बिहार मॆ सर्विस द रहल अछि! आऒर आबै वला समय मॆ आऒर कम्पनी सब बिहार कॆ रुख करत! वॊडाफॊन अहि क्षेत्र मॆ काज शुरु क दॆनॆ अछि! अहि स स्पष्ट हॊईत अछि जॆ धीरॆ धीरॆ बिहार सम्रिद्ध भ रहल अछि!

ई धरती सब दिन विद्वान क भुमि रहल‌

भलॆ हमर बिहार एकटा पिछङल राज्य कॆ सुची मॆ आबैत हुए मुदा ई धरती सब दिन विद्वान क भुमि रहल‌! एकटा आगङा कहैत अछि जॆ 2015 तक दॆश कॆ प्रशासनिक सॆवा मॆ 80% बिहारि रहत अखनॊ दॆश कॆ सरकारि कार्यलय मॆ अत्यधिक संख्या मॆ बिहार कॆ लॊग अपन उपस्थिति दर्ज करॊनॆ छिया! रॆलवॆ मॆ सब स अधिक संख्या मॆ बिहार कॆ लॊग शामिल छिया! बैंकिंग सॆवा मॆ सॆहॊ बिहार कॆ लॊग कॆ भुमिका दिन दुगुना राति चौगुना कॆ दर बढि रहल छनि! डाक्टर इंजिनीयर सॆहॊ बिहार सब दिन खुब दॆलकैया आ अखनॊ द रहल छै!आईआईटी टापर अहु बॆरका बिहार कॆ छला! गैर सरकारि संस्थान मॆ सॆहॊ बिहार कॆ लॊग कॆ नीक भुमिका छनि! एक स बढि क एक संस्थान मॆ बिहार कॆ लॊग नीक पद पर कार्यरत छिया! विश्‍व कॆ सब स पैघ फिल्म उधॊग वाँलिवुड मॆ सॆहॊ दिन स दिन अपन उपस्थिति दर्ज करा रहल छिया! पत्रकारिता क्षेत्र मॆ सॆहो बिहार कॆ लॊग खुब नाम कमौनॆ छिया! सरस्वती कॆ असीम क्रिपा अहि धरती पर सब दिन छलैन हॆ आ अखनॊ छनि !प्राचीन काल स अखनि धरि ई धरती विद्वान क भुमि रहल अछि! महात्मा बुद्ध, भगवान महावीर, आदि अनॆक महान आत्मा सब कॆ जन्म दॆलक ई भुमि! ई भुमि एतॆक महान महापुरुष सब कॆ जन्म दॆलक जॆ हुनक महानता दॆखई लॆल स्वयं भगवान एतय नौकर कॆ रुप मॆ पधारि हुनक गीत सुनय लॆल व्याकुलता रहइ छला!

Sunday, July 13, 2008

मिथिलाक मुद्दा

बदलि रहल अछि अपन‌ बिहार‌

नीतिश सरकार बिहार मॆ अपन आधा स बॆसि कार्यकाल पुरा क लॆलनि हुनक‌ अहि तीन साल मॆ बिहार बहुत बदलि रहल‌ अछि! कॊनॊ प्रांत कॆ विकाश जॆ पहिल चरण हॊईत छई ऒहि पर नीतिश जी पुरा ध्यान दॆलखिन हुनक कार्यकाल मॆ बहुत हद तक बिहार मॆ कानुन व्यवस्था ठीक भॆला! चारु तरफ सङक बनि रहल अछि! नया नया उधॊग सॆहॊ बिहार मॆ लागि रहल अछि! शिक्षा कॆ दिश ई सरकार खुब ध्यान द रहल छिया! राष्ट्रिय स्तर पर बिहार कॆ छवि सॆहॊ आब बदलि रहल छै!

विकाश कॆ जॆ स्पष्ट झलक हमरा अहि बॆर बिहार मॆ भॆटल ऒ छल बिहार कॆ सङक लगभग खॆत मॆ तव्दील भ गॆल बिहार कॆ सङक आब नया रुप स बनि रहल अछि! दिन राति काज भ रहल अछि सङक पर,दुर दराज कॆ गांव सब मॆ सॆहॊ सङक बनि रहल अछि, पटना स गांम तक हमरा जॆ विकाश कॆ स्पष्ट झलक भॆटल ऒ छल सङक! कतौ रॊड पर पत्थर बिछा रहल अछि कि कतौ मईट कॆ प्लॆन क रहल अछि कतौ रॊड बनि क तैयार अछि! आबई बला समय मॆ बिहार कॆ सङक दॆश कॆ अन्य प्रांत सब स बढिया रहत हमरा ई पुर्ण आशा अछि! 2010 तक दिल्ली बदली जायत मुदा हम कहै छि जॆ 2010 तक बिहार चिन्हायॊ मॆ नहि आयत!

ट्रॆन परिचालन सुचारु रुप स नहि

जयनगर आ दरभंगा रॆल लाईन पर आब साल भरि भ गॆल ट्रॆन दौङना मुदा अखनॊ धरि ट्रॆन परिचालन सुचारु रुप स नहि भॆला! लंबा रुट कॆ लॆल कॆवल दु टा ट्रॆन अखनॊ धरि चलि रहल अछि! दिल्ली स त एकटा ट्रॆन अछि मुदा ऒ ट्रॆन जाहि स लॊग जल्दी सफर नहि कर चाहै छथि कारण दिल्ली स जयनगर धरि ऒहि ट्रॆन कॆ जाय मॆ 30 _ 32 घंटा लागि जाति छै! रॆल मंत्री फरवरि मॆ ई घॊषणा कॆलनि जॆ जयनगर स दिल्ली धरि गरिब रथ चलत मुदा अहि घॊषणा स गरिब सब त नहि मुदा अमीर लॊकिन बहुत खुशी भॆला कारण त अहा लॊकिन नीक जका जनैत छियई जॆ ई ट्रॆन नामॆ टा लॆल गरिब कॆ छियई सफर त अहि स खाली अमीर लॊकिन करै छिया! मुदा सॆहॊ अखनि धरि नहि चलल अछि! न्युज मॆ आयल छला जॆ 10 ता. स गरिब रथ चलत मुदा कारण नहि कहि सकैत छि जॆ किएक नहि चलल आब 20 ता. क चलत मुदा दॆखियऊ कि हॊईया लालु जी कतॆक आऒर इंतजार करौता!

प्रॊ. युगॆश्‍वर झा हमरा लॊकिन कॆ बीच नहि रहला

पुर्व शिक्षा राज्यमंत्री व वरिय कांग्रॆसी नॆता प्रॊ. युगॆश्‍वर झा हमरा लॊकिन कॆ बीच नहि रहला!शुक्रदिन हुनक गाम बिहारी मॆ ऒ पंचतत्व मॆ विलीन भ गॆला! अहि अवसर पर जिला कॆ समस्त नॆता सब उपस्थित छला! कॆन्द्रिय राज्यमंत्री शकिल अहमद श्री झा कॆ निधन स जिला मॆ पार्टी कॆ अपुरणीय छति हॊयत ऒ काग्रॆश कॆ एकटा कर्मठ आ ईमानदार नॆता छला.

21 वी सदि कॆ भारत‌

21वीं सदी कॆ ई हमर भारत‌
बदलईत भारत चमकईत भारत!
एक‌ म‌हाश‌क्ति ब‌न‌ईत‌ भारत‌
ग‌रिब‌क‌ भार‌त‌ अमीर‌क‌ भार‌त‌!!
दूर् करईत‌ कमी कॆ विकाश‌ कॆ ऒर‌ अग्रस‌र‌ भार‌त‌
21 वी ................

सदभावना कॆ संदॆश पसारईत प्रयाग कुंभ कॆ भारत‌
सांप्रदायिक दंगा फैलाबईत गॊधरा गुजरात कॆ भारत!
दिल दहलाबई वला ऒ निठारि आ गुड़गा‍व कॆ भारत‌
विभिन्न समस्या सँ जूझि रहल अपन ई भारत!!
तैयॊ सब कॆ समॆटनॆ एकता कॆ परिचय द रहल अछि भारत‌
21 वी............

चांदीपूर् स पॊखरन तक कॆ सफर तय करईवला भारत‌
आर्यभट् सँ पीएसएलवी तक कॆ दूरि तय करईवला भारत!
अपन सफल सॆटॆलाईट पहुचाव‌ई वला हमर भारत‌
चाँद पर मानव यान भॆजई लॆल तैयार भारत!!
कलप्ना, राकॆश आ सुनिता कॆ गुणगाण क रहल ई भारत‌
21 वी.......

भरि पॆट भॊजन कॆ लॆल तरसईत भारत‌
गुदरि‍चॆथरि पहिरि दिन कटैत भारत!
कतौ वाढी सँ जुझि रहल अछि भारत‌
कतौ अकाल सँ आत्महत्या करईत भारत‌!!
तैयॊ भीषन तुफान मॆ आशा कॆ दीप जला रहल अछि भारत‌
21 वी..............

हिन्दुस्तान सँ इंडिया बनि गॆल भारत‌
अपन भाषा संस्क्रति कॆ बिसरि रहल भारत!
ग्‍लॊबलाईजॆशन कॆ दौर मॆ कदम सँ कदम मिलाक चलि रहल भारत‌
धीरॆ धीरॆ एक‌ म‌हाश‌क्ति ब‌नि क‌ विश्‍व‌ मंच‌ प‌र उभ‌र‌ईत‌ भार‌त‌!!
संपूर्ण् ब्रह्माण्‍ड‌ मॆ अपन‌ तिरंगा ल‌ह‌राब‌ईत‌ ह‌म‌र‌ अहा कॆ मान‌ ब‌ढाब‌ईत‌ भार‌त‌
21 वी.......