"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, January 24, 2013

बिहार मे सेहो खुलत निजी विश्वविद्याल, विभाग बना रहल प्रस्‍ताव

पटना। बिहार मे विश्वविद्यालय क कमी कए दूर करबा लेल सरकार निजी विश्वविद्यालय खोलबाक अनुमति देबा पर विचार क रहल अछि। एहि लेल शिक्षा विभाग एकटा प्रस्ताव तैयार क रहल अछि। अधिकारीक कहब अछि जे प्रस्‍ताव तैयार भेलाक बाद जल्‍द स जल्‍द ओकरा कैबिनेट लग स्वीकृति क लेल पठाउल जाएत। मानल जा रहल अछि जे 18 फरवरी स शुरू भ रहल बजट सत्र मे विधानमंडल मे संबंधित विधेयक पेश होएत। एकर अन्तर्गत दोसर राज्‍य मे संचालित निजी विश्वविद्यालय सेहो अपन शाखा बिहार मे खोलि सकत।
सूत्र क कहब अछि जे यदि निजी विश्वविद्यालय कए बिहार मे मंजूरी भेट गेल त ओ प्रदेश क 10 सरकारी विश्वविद्यालय जेकां काज करत। ओकर प्रमाण पत्र आ पाठ्यक्रम कए मान्यता देल जाएत.। यद्यपि, विधेयक मे निजी विश्वविद्यालय पर अंकुश लगा कए रखबा लेल सेहो प्रावधान कैल जा रहल अछि।एखनधरि तीन-चार साल क भीतर राज्य सरकार कए निजी विश्वविद्यालय खोलबा लेल करीब आधा दर्जन प्रस्ताव भेटल अछि। इ विश्वविद्यालय अगर खुलैत अछि त ओ आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय स संबद्ध होएत। आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय क स्थापना एहि उद्देश्य क संग कैल गेल अछि।अधिकारीक कहब अछि जे निजी विश्वविद्यालय लेल किछु मानक तय होएत। पंजीकृत सोसाईटी/ट्रस्ट केवल शिक्षा विभाग कए आवेदन द सकैत अछि। आवेदन क संग शिक्षक, कोर्स, शोध कार्य, आधारभूत संरचना, खर्च आ वित्त क जानकारी देबाक होएत। आवेदन मे देल गेल जानकारी क भौतिक जांच सरकार क कमिटी करत। यूजीसी क मानक क अनुसार विद्यार्थी कए सुविधा देखल जाएत। जे कोर्स चलत ओकरा लेल संबंधित अथॉरिटी स अनुमति लेब जरूरी होएत। पूर्णकालिक योग्य शिक्षक क नियुक्ति जरूरी होएत। जानकारक कहब अछि जे सरकार अगर इ अनुमति दैत अछि त उच्‍च शिक्षा क क्षेत्र में बिहार मे भारी निवेश क संभावना बनत, किया त आन राज्‍यक निजी विश्वविद्याल मे अधिकतर बिहार क छात्र पढैत छथि।
साभार : ईसमाद