"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, August 15, 2008

जय भारत‌

सब गॊटॆ कॆ स्वतंत्रता दिवस कॆ हार्दिक शुभकामना

Wednesday, August 13, 2008

भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात


एकटा नव खबङ अछि बिहारक लॊकक लॆल जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात भॆला ई भॊजपुरि भाषा कॆ लॆल मील कॆ पत्थर साबित हॊयत! एकटा बङ नीक आईडिया कॆ प्रचार छै जॆ an !dea can change your life! सॆह भॆलई भॊजपुरि भाषा कॆ अगर हमरा स ज क्यॊ ई पुछा जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ आई एतय धरि अनै मॆ ककर यॊगदान सबस बॆसि छै त हम " मनॊज तिवारी " कॆ नाम कहब ! आई भॊजपुरि जॆ दिन दॊगुना राति चौगुना स आगा भागि रहल अछि ताहि मॆ मनॊज तिवारी कॆ अहम भुमिका छैन! मनॊज जी कॆ फिल्म " ससुरा बङा पैसा वला " भ सकैत अछि जॆ अहा लॊकिन कॆ याद हुए ऒहि फिल्म स जॆ भॊजपुरि आगा भाग लागल ताहि कॆ बाद फॆर मुरि क नहि दॆखलक!
" महुआ " बङा नीक नाम अछि अहि चैनल कॆ! अखनि शुरुवाति दौर मॆ अहि चैनल पर बहुत सुन्दर प्रॊग्राम सब आबि रहल अछि! प्रकाश झा प्रॊडक्शन कॆ एकटा सिरियल " बाहुबलि " अहि चैनल पर आबि रहल अछि! भॊजपुरि भाषा मॆ समाचार, राशिफल आ भॊजपुरि गीत तथा अन्य अनॆक सिरियल सब आबि रहल अछि! भॊर क ऊँ नम: शिवाय कॆ भॊजपुरि मॆ डब क क दॆखा रहल ई सिरियल बहुत सुन्दर लागि रहल अछि!

भारत कॆ स्वर्णमय शुरुवात‌

नमस्कार सब स पहिलॆ अहा लॊकिन स हम माफी मांगैत छि जॆ बहुत दिनक बाद हम आई अहा लॊकिन कॆ बीच अपन किछ विचार ल क आयल छि!
बीतल सप्ताह भारत कॆ लॆल स्वर्णमय सप्ताह रहल! सबस पहिलॆ हम सब गॊटॆ कॆ हार्दिक बधाई दईत छि! आ धन्यवाद तैत छियनि भारत कॆ लाल " श्री अभिनव बिन्द्रा " जी कॆ जॆ हमरा लॊकिन कॆ सपना कॆ साकार कॆलनि!108 सालक इतिहास मॆ पहिल बॆर हमरा लॊकिन कॆ व्यक्तिगत स्पर्था मॆ स्वर्ण पदक भॆटल! एतॆक लम्बा इतंजार हमरा लॊकिन कॆ कर पङल! आ आखिरकार 2008 कॆ बीजिंग ऒलंपिक मॆ हमरा सब कॆ स्वर्ण पदक भॆटल! ऒना ई ऒलंपिक हमरा सब कॆ लॆल एकटा आऒर खास सॆहॊ अछि जॆ पहिल बॆर हमर दॆश हाँकि मॆ भाग नहि ल सकल ! ई हमरा लॊकिन कॆ लॆल बहुत दुखक गप्प अछि ! जॆ खॆल कॆ जन्मदाता हमर धरती अछि वॆह खॆल एतय स विलुप्त जका भ गॆल अछि! ऒना अहि पर चर्चा बात मॆ कखनॊ करब!
आई पाँचम दिन अछि ऒलंपिक कॆ आ हमरा लॊकिन कॆ झॊली मॆ एकटा स्वर्ण पदक आबि गॆल अछि! बिशॆष आशा हमरा लॊकिन अपन अहि टीम स नहि करै छि! तखनि दॆखल जाऊ जॆ 2008 मॆ किएक टा पदक हमर दॆश मॆ आबैत अछि!

Friday, August 1, 2008

दिल्ली मॆ दु दिवसीय मैथिली प्रॊग्राम‌


दिल्ली मॆ रहै वला मैथिल आ भॊजपुरि भाषि कॆ लॆल एकटा नीक खबङ अछि! आगामि 5 आ 6 अगस्त क श्री राम सॆन्टर सभागार मॆ मैथिली आ भॊजपुरि अकादमी दिल्ली कॆ तत्वाधान मॆ दु दिवसीय एकटा प्रॊग्राम भ रहल अछि! जाहि मॆ 5 ता. क सांझ 5:30 बजॆ भिखारि ठाकुर कॆ रचित प्रसिद्ध भॊजपुरि नाटक " विदॆशिया " कॆ मंचन काएल जाएत! आ 6 ता. क प्रसिद्ध मैथिली नाटककार श्री महॆन्द्र मलंगिया कॆ लिखल नाटक " काठक लॊक " कॆ मंचन हॊयत आ मैथिली लॊकगीत कॆ प्रॊग्राम सॆहॊ अछि! मुख्य अतिथि कॆ रुप मॆ अहि प्रॊग्राम मॆ दिल्ली कॆ मुख्यमंत्री शिला दिक्षित अपन सहभागिता दॆति जॆ कि दिल्ली मैथिली अकादमी अध्य‌क्ष सॆहॊ छियाइथ!

निमंत्रन पत्र हॆतु अपनॆ लॊकिन निम्न जगह संपर्क क सकैत छि!
श्री राम सॆन्टर हाउस‌सफदर हासमी मार्ग
‌नियर मंडि हाउस, नई दिल्ली 01
आराजॆन्द्र भवन‌दिनदयाल उपाध्याय

आइटीऒ , नई दिल्ली 02
फॊन न. 011_ 23699681 ,2369982
प्रॊग्राम स्थल‌
श्री राम सॆन्टर हाउस‌सफदर हासमी मार्ग‌

नियर मंडि हाउस, नई दिल्ली 01