"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, December 29, 2012

नवपल्लव अपन पहिल वार्षिक महोत्सव नवश्रुति मनेलक


नवपल्लव आई अपन प्रथम वार्षिक महोत्सव “नवश्रुति” दिल्ली के गाँधी शांति प्रतिष्ठान में मनेलक. अहि अवसर पर नवपल्लव “आयाची छात्रविती योजना” के सेहो शुरुवात केलक. दिल्ली एनसीआर के विभिन्न सरकारी स्कूल के बच्चा सबक बीच लेख प्रतियोगिता करायल गेल. आ दूटा सर्वश्रेष्ट छात्र के नवपल्लव के आयाची छात्रविती योजना के तहत एकसाल तक ५०० रुपया मासिक प्रदान कायल जायत. तीन सत्र के अहि कार्यक्रमक पहिल सत्र विभिन्न स्कुलक छात्रक आलेख प्रतियोगिता स भेल जकर अध्यक्षता नवपल्लव के वरिष्ट सदस्य श्री अनिल झा आ मंच सञ्चालन श्री कृषन कुमार झा केलैनी.
दोसर चरणक कार्यक्रमक शरूवात दीप प्रज्ज्वलित कय क कायल गेल. उक्त अवसर पर मंचक अध्यक्षता बाबा कानपुरी जी केलैनी. नवपल्लव के उपाध्यक्ष श्री गोपाल जी गोपाल नवपल्लव के उद्देश्य के बारे में संक्षिप्त परिचय देलखिन. आ अन्य गणमान्य अतिथि में वरिष्ट साहित्यकार श्री गंजेश गुंजन, मैथिली के महान नाटककार श्री महेंनद्र मलंगिया, श्री मिथलेश सिंह, सुप्रीम कोर्ट वार एशोसिअसन के पूर्व सचिव श्री अशोक अरोरा, एम के प्रसाद, श्री संजय झा आदि वक्ता अपन विचार रखलैनी. आ अहि सत्रक मंच सञ्चालन श्री सत्येन्द्र जी केलैनी. सब अतिथि सब के नवपल्लव के दिश स स्मृति चिन्ह सेहो प्रदान कायल गेल.
आ तेसर चरणक सांस्कृतिक कार्यक्रमक शरूवात श्री आशुतोष जी विद्यापति गीत मोरा रे अंगनवा चानन केर गछिया स केलैनी त श्री सुनील झा पवन अपन मैथिली ग़ज़ल स दर्शक के मंत्र मुग्ध कय देलखिन. आ नवोदिता के सुन्दर नृत्य के दर्शक खूब सराहलखिन.
श्री गंजेश गुंजन जी लेख प्रतियोगिता में चुनल गेल दू टा छात्र के स्मृति चिन्ह प्रदान केलखिन. आ अन्य प्रतिभागी सब के सेहो नवपल्लव के सदस्य सब स्मृति चिन्ह भेट केलखिन.
कार्यक्रम में उपस्थित अन्य गणमान्य व्यक्ति में श्री वसंत सिंह , श्री कुंदन कुमार झा , भवेश नंदन , नीरज पाठक , श्री दीनबंधु जी , श्री अमिताभ भूषण , श्री जयराम विपल्लव, रचना आदि उपस्थित छलैथ. 

Monday, December 24, 2012

देशक युवा छेड़लक इंसाफक जंग


एक बेर जर्मन तानाशाह नाजी प्रताड़ना शिविरक दौरा कय रहल छल । हिटलरक आदेश पर अहि शिविर में यहूदि पर जुल्म ढाएल जा रहल छल , लेकिन मुआयना के वक्त एकटा बच्चाक कराह के सुन क हिटलर शिविर स बाहर चली गेल। शिविर स दूर जाईक लेल ओ रेलक अपन डिब्बा में गेल आ दरवाजा बंद करई आ खिड़कि क परदा गिरावईक आदेश देलक। तानाशाह हिटलर नाजी यातनाक शिकार लोगक चीख स हिल गेल छल आ मौतक मंजर स खुदके अलग महसूस करईक भ्रम में परदा क आभासी दीवारक सहारा लेलक। हिंदुस्तानक हुक्मरान सेहो अहि भ्रमक अहसास क रहल अछि कि पुलिस कारवाई स इंडिया गेट के खाली करेलाक बाद ई चीख बंद भय जायत।
दिल्ली समेत देशक अन्य शहर में युवा वर्ग के स्वत: स्फूर्द प्रदर्शनक एकटा गंभीर निहितार्थ अछि. हाल के दिन में अन्ना आन्दोलन के बाद इ दोसर मौका अछि जहनि देशक युवा स्थापित राजनीतिक दल पर विश्वास नहीं कय क खुद पहल कयला. दुनियाक इतिहास अहि बातक गवाह अछि की छात्रक आन्दोलन हमेशा सरकार पर भारी पड़ल अछि. अन्ना आन्दोलनक प्रति पक्ष – विपक्षक तिरस्कार भाव संभवतः युवा वर्ग के खुद पहल करैक लेल प्रेरित केलक.  इ सब मौजूदा व्यवस्था, सरकार आ स्थापित राजनीतिक जमात के प्रति अविश्वास के सेहो दर्शावइत अछि. आ इ मौजूदा लोकतान्त्रिक व्यवस्थाक लेल खतराक घंटी अछि. राजधानी दिल्ली में भेल नृशंस बलात्कार कांडक बाद लोकसभा में प्रतिपक्ष के नेता सुषमा स्वराज बलात्कारी के लेल फंसीक सजाक मांग केने रहाईथ अहिक बावजूद दिल्लीक छात्र-छात्रा अपन रोषपूर्ण प्रदर्शन में शामिल होईक लेल सुषमा स्वराज या कोनो अन्य नेता के नहीं बजेलैनी. एतय तक की कोनो राजनीति दल स जुड़ल कोनो युवा या छात्र संगठन सेहो अहि आन्दोलन में नेतृत्वकारी भूमिका में नहीं छल. और शायद भारत के इतिहास में इ पहिल एहेन आन्दोलन छल जाही में लड़का स बेसी संख्या में लड़की सब अहि आन्दोलन के नेतृत्व कय रहल छलाईथ.
युवा के ई प्रदर्शन दरअसल देशक सत्ता में रहल विभिन्न सरकारक अनगिनित नाकामीक खिलाफ उपजल गुस्साक मिलल जुलल प्रतिबम्ब छल. साईठक दशक में युवा अपन समस्याक निराकरण वास्ते सरकार लग जाईत छला ओही समय बहुतो नेता युवाक प्रेरणाक स्त्रोत सेहो छला. सत्तर के दशक में युवा अपन समस्या के लय क गुजरात आ बिहार में खुद सड़क पर उतरी क आन्दोलन केने छल. ओही समय राजनीति में गिरावट के दौर शुरू भ गेल छल. ध्यान रहे की ओही आन्दोलनक नेतृत्व जयप्रकाश नारायण सन गैर राजनीतिक हस्ती केने छालईथ नहीं की कोनो दलीय नेता. अस्सीक दशक में त छात्र- युवा आन्दोलन के नेता के असम में अपन राजनीति दल बनावईक जरुरत बुझेलैनी. किएक त मौजूदा राजनीति में कनेको विश्वास नहीं छल. हालांकि ई अलग बात अछि जे असम गण परिषद् या जेपी आन्दोलन स बनल जनता पार्टीक हाल सेहो बाद में ओहिना भ गेल.  
आजुक आन्दोलनकारी युवा राजनीतिक दल स अखन बिलकुल अलग छाईथ बल्कि गैर राजनीतिक छियाईथ. ओ सीधा वैकल्पिक मीडिया यानि फेसबुक , ट्विटर , ब्लॉग के सहारे आपस में संवाद स्थापित करैत छियाईथ आ इंडिया गेट , जंतर मंतर , रामलीला मैदान या कोनो अन्य जगह एकत्रित भय अपन बात सरकार लग राखी रहल छाईथ. अहि युवा पर कोनो राजनीतिक स्वार्थक आरोप नहीं लागायल जा सकैत अछि. हुनक आन्दोलन के सफलताक बाद संभवतः ओ आगा सेहो सक्रीय रहता. आन्दोलनक अहि क्षेत्र में ई नव विकासक सब पक्ष के समझी लेबाक चाही. हुनक मांग सेहो बिलकुल गैर राजनीतिक छियनी. छात्र-छात्रा पर ई आरोप लगा कय ख़ारिज नहीं कायल जा सकैत अछि की ओ चुनाव जीते चाहैत छियाथ.
दिल्ली में भेल सामूहिक बलात्कार कांड स ई बात त साफ़ अछि जे आई राजधानी समेत देशक कोनो ठाम लड़की आ महिला सुरक्षित नहीं छियाईथ. पुलिस लोगक रक्षक स बेसी भक्षक भय गेला.पुलिस के निर्दोष पर लाठी चलावई आ रिश्वत वसूली स फुर्सत नहीं अछि. अंग्रेजक जमाना एक लाठीधारी पुलिस या चौकीदार स बड़का स बड़का गुंडा के में मन में भय छल आजादी के किछु समय बाद तक येह स्थिति छल मुदा वर्तमान समय में गुंडा आवारा त नहीं लेकिन नीक लोगक मन में पुलिस स भय अछि. देश में जेना जेना राजनीतिक स्तर गिरल अछि ताहि ग्राफ में पुलिस प्रसाशनक स्तर सेहो गिरल अछि.
देशक विभिन्न सरकारी क्षेत्र में नीचा स लय क ऊपर तक पसरल भ्रष्टाचारक खिलाफ करवाईक लेल जहैनी अन्ना हजारे सन समाजसेवी जन लोकपालक मांग करैत छियाईथ त पूरा राजनीति जमात हुनका खिलाफ एकजुट भ गेल. आ एकटा एहेन सरकारी जनलोकपाल विधेयक बनेलक जाहि में धन बल वाला भ्रष्ट लोग आसानी स बच निकलई.
की आजुक राजनीति जमात इंडिया गेट पर जुटल आम युवा के आवाज के समझईक कोशिश करत?
राजनीति या कोनो अन्य संगठन के आवाज के आसानी स नज़रअंदाज कायल जा सकैत अछि मुदा आम युवा के आवाज के नजरअंदाज आसन बात नहीं अछि. अहि आवाज के अनसुना केनाई आ एकरा दबावई के लेल जे काज दिल्ली सरकार आ दिल्ली पुलिस केलक एकर गंभीर परिणाम भुगतई पड़तै खास कय सत्ताधारी कांग्रेस सरकार के. 

Tuesday, December 18, 2012

पिलखबार में विजय दिवस पर सैनिक परिजन के सम्मानित कायल गेल

मधुबनी जिलाक पिलखबार गांव में बीतल रविदिन अखिल भारतीय पूर्व सैनिक सेवा परिषदक द्वारा विजय दिवसक अवसर पर भारतीय सेना में वीर गति के प्राप्त सैनिक के परिजन के सम्मानित कायल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता योगी पासवान आ मंच संचालन कर्नल एसबी लाल द्वारा कायल गेल। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि सूबेदार रामअशीष पांडे, एसएसबी 35 वीं वाहिनीक असिस्टेंट कमांडेंट प्रवीण कुमार, नायब सूबेदार सियाराम सिंह, महंथ चिरंजीव गिरि आदि अहि अवसर पर कहलैनी कि 1971 ई. में भारत आ पाकिस्तानक बीच युद्ध में भारतीय सेना पाकिस्तानी सेना पर विजय प्राप्त केने छल। 16 दिसंबर 1971 ई. क पाकिस्तानी सेना भारतीय सेनाक समक्ष आत्मसमर्पण केने छल। अहि युद्धक दौरान भारतीय सेनाक तीन हजार छह सौ 30 सैनिक शहीद भेल छला आ 9 हजार 56 सैनिक घायल भेल छला। शेष दो सौ 13 सैनिक लापता घोषित भेल छल। युद्धक बाद भारत सरकार द्वारा भारतीय सैनिक एवं हुनक विधवा के अनेको पदक स नवाजल गेल छल। 16 दिसंबर के विजय दिवसक रूप में सारा राष्ट्र मनावैत अछि। कार्यक्रमक शुरुआत स्वागत गान स भेल। स्वागत गान पिलखबार मध्य विद्यालयक छात्रा द्वारा गायल गेल। ओतय साहित्याचार्य रघुनाथ झा अभिनंदन पत्र पढ़ला आ आगत अतिथि सब के सौंपला। अहि अवसर पर सूबेदार रामाश्रय पांडे द्वारा झंडोत्तोलन कायल गेल। संगही अतिथियों द्वारा 1971 ई. में भारतीय सेनाक तत्कालीन सेनाध्यक्ष सैम मानिक शॉ एवं मुंबई में आतंकवादी हमला में वीर गति के प्राप्त मेजर संदीप उन्नीकृष्णनक तैल चित्र पर माल्यार्पण कायल गेल। अहि कार्यक्रम में स्मारिकाक विमोचन सेहो कायल गेल। अहि अवसर पर जीवानंद मिश्रा 'जीवन', एसएसबी के विनोद सेन, प्रभाकर झा, भगवान जी झा, गोवानंद झा उर्फ सोनू, काली झा सहित सैनिक सभक विधवा पूर्व सैनिक सहित अन्य गणमान्य लोग उपस्थित छला। धन्यवाद ज्ञापन जीवानंद मिश्र 'जीवन' केलैनी।
अहि अवसर पर अखिल भारतीय पूर्व सैनिक सेवा परिषद द्वारा सैनिक के परिजन के शॉल द क सम्मानित कायल गेल। अहि में दानापुर, पटना आ जिला स अनेको सैनिक के परिजन उपस्थित छला। शहीद उमेश कुमार झा क पत्नी सुनीता देवी, मनोज कुमार झा क पत्नी उषा देवी, हरिवंश सिंह क पत्नी सविता देवी, त्रिवेणी पांडे क पत्नी मालती देवी, उमाकांत राय क पत्नी मीना देवी, इन्द्रजीत सिंह क पत्नी उर्मिला देवी आ सिपाही बी.के. ठाकुर क पुत्री डॉली कुमारी के सूबेदार रामाश्रय पांडे, असिस्टेंट कमांडेंट प्रवीण कुमार योगी पासवान, नायब सूबेदार सियाराम सिंह, महंथ चिरंजीव आदि सम्मानित केलैनी।

Monday, December 10, 2012

मिथिला राज्यक मांगक धरना बदली गेल धमकी में


अलग मिथिला राज्यक मांग के लयक आई दिल्ली के जंतर मंतर पर अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् धरना पर बैसल छल. संस्थाक अध्यक्ष डा.धनाकर ठाकुर के नेतृत्व में अहि धरना के आयोजन कायल गेल छल. डा. धनाकर ठाकुर पिछला २० साल स लगातार अलग मिथिला राज्यक लेल संघर्षशील छाईथ. अहि बीच हुनका संग अनेको लोग जुड़लखिन. हुनक अहि मुहीम में बहुत लोग जुड़लैनी विछुड़लैनी. मुदा ओ अपन प्रयास में लगातार लागल छाईथ.

आई जंतर मंतर पर सेहो ओ अपन मांग के लय क धरना पर बैसल छला. आजुक धरना में बहुत लोग जुटल छलाईथ. हुनक पूर्व सहयोगी आ संस्थाक पूर्व सचिव श्री कृपानाथ झा सेहो आजुक धरना में उपस्थित छलखिन. बतादी जे पिछला साल श्री  कृपानाथ झा अहि संस्था स अपन रिश्ता ख़त्म कय लेने छला. संध्या में कार्यक्रम समाप्त भेलाक बाद सब बैसी आपस में बात करैत छाला. ताहि बीच आपसी बातचीत श्री कृपानाथ झा आ डा. धनाकर ठाकुर के बहसा बहसी में बदली गेल. श्री कृपानाथ झा डॉ, धनाकर ठाकुर पर आरोप लगावैत कहला की हमर संस्था छोड़ैक मुख्य कारण संस्था में भेल ८०००० रुपयाक घोटाला अछि आ ई घोटाला अहाँ केलियई एकर प्रतिउत्तर में डा. ठाकुर कहला की हम संस्था में अपन लाखो रूपया खर्च कय देने छी. श्री कृपानाथ झा धमकी दैत डॉ. ठाकुर के कहला की ज पब्लिक फोरम पर हमरा बदनाम करैक कोशिश करब त  एकर परिणाम बहुत गलत होयत. हमरा स बुरा क्यों नहीं होयत. अहि पर डॉ ठाकुर कहला की अहाँ हमरा जान स मारब त मारी दिय.  

Thursday, December 6, 2012

मिथिलाक विद्यालय में भविष्य में मैथिली पढ़ाई होयत

विधान परिषद में सदस्य विनोद कुमार चौधरी के ध्यानाकर्षण प्रस्तावक जवाब में शिक्षा मंत्री मिथिलांचलक विद्यालय में भविष्य में मैथिली विषयक पढ़ाईक आश्वासन देलैनी हे। श्री चौधरी अहि मामला उठावैत कहला कि मैथिली मातृभाषा के रूप में बाजल जाईत अछि । केन्द्र सरकार मैथिली के संवैधानिक दर्जा देईत संघ आ बिहार लोक सेवा आयोगक पाठ्यक्रम में शामिल केलक अछि, मुदा मिथिलाक प्राथमिक विद्यालयों में मैथिलीक पढ़ाई शुरू नहीं भेला। ओ सभापतिक माध्यम स मैथिलीक पढ़ाई आ शिक्षिकक नियुक्तिक संबंध में सरकार स वक्तव्य दियेवाक मांग केलैनी। चौधरीक प्रश्नका उत्तर दैत राज्यक शिक्षामंत्री प्रशांत कुमार शाही कहला कि प्राथमिक विद्यालयों में बच्चा के हुनक मातृभाषा में पढ़ाईक व्यवस्था हेबाक चाही। अहि बात के ध्यान में रखैत राज्यक प्रारंभिक विद्यालय में स्थानीय शिक्षकक नियोजन कायल जा रहल अछि। अहि स स्थानीय लोक भाषाओंक उपयोग विद्यालय में होईत अछि। कालांतर में हिन्दी आ उर्दू भाषा स प्रारंभिक शिक्षाक व्यवस्था अछि। चौधरी के पूरक प्रश्नक उत्तर में मंत्री भविष्य में मैथिली भाषा में पढाई मिथिलांचल क्षेत्र में शुरू कायल जायत से कहल गेल।

प्रेम नगर किरारी में भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम आ विराट मैथिल समागम"

आगामी 8 दिसम्बर शनि दिन मैथिल स्वयंसेवक संघ, दिल्ली द्वारा दुर्गा चौक प्रेम नगर किरारी में एक दिवसीय मिथिला विभूति पर्व  के आयोजन हुअ जा रहल अछि।



आयोजक श्री सुमन ठाकुर अहि कार्यक्रम के बारे में विशेष जानकारी दैत कहला की कार्यक्रम में मुख्य अतिथि के रूप में श्री कृपानाथ पाठक (भूतपूर्व मंत्री बिहार सरकार), श्री महाबल मिश्रा (सांसद, दिल्ली), श्री अनिल झा (विधायक, किरारी, दिल्ली) , श्रीमती पूनम झा आजाद (उपाध्यक्ष दिल्ली), श्री अशोक झा (अध्यक्ष मिoविकाश परिषद् ,कलकत्ता ), श्री रामेश्वर प्रशाद चौरसिया (विधायक, बिहार), डॉ श्री सुखेश्वर झा (शिक्षाविद) , श्री अभय वर्मा (अध्यक्ष पूo प्रकोस्ट ), श्री रामदयाल महतो (निगम पार्षद, प्रताप विहार) , कल्पना झा (निगम पार्षद संगम विहार दिल्ली ), डॉ सुनील मग्गो (अध्यक्ष जनता पार्टी, दिल्ली प्रदेश) ,डॉ धनाकर ठाकुर ( संस्थापक अंतरास्ट्रीय मैथिल परिषद् ) आदि उपस्थित रहता। अहि अवसर पर सांस्कृतिक कार्यक्रम के सेहो होयत जाही में मैथिली की प्रसिद्द कलाकार श्री आमोद झा, श्री विकाश झा, श्रीमती अंजू झा (रंगीली भौजी ) सुश्री शालिनी जैशवाल, सुश्री पूनम, श्री मोहन बिहारी रसिया, रजा सिंह भाग लेता।


संपर्क सूत्र: श्री नरेन्द्र ठाकुर - 9350988634, श्री सुमन ठाकुर -8750655008

स्थान: - दुर्गा चौक, 40 फूट रोड, प्रेम नगर -2, किरारी, दिल्ली - 110086.

तिथि : शानिवार 8 दिसम्बर, 2012.

समय: 4.30 बजे साँझ सs .

Monday, December 3, 2012

मलंगिया नाट्य महोत्सव

आगामी 26 – 30 दिसम्बर, 2012 तक
मलंगिया नाट्य महोत्सव;
मैलोरंग, दिल्ली द्वारा स्थानीय श्रीराम सेंटर, मण्डी हाउस, नई दिल्ली – 01 मे प्रति दिन
सायं 6.30 बजे स’ आयोजित कयल जायत.

मलंगिया नाट्य महोत्सवमे भारतक संग नेपालक कुल पाँचटा नाट्य संगठन नाटककार महेन्द्र मलंगिया लिखित विभिन्न नाटकक मंचन करत.

मैथिली रंगमंचमे एहि प्रकारक ई पहिल आयोजन थिक जे कि कोनो एक नाटककार पर केन्द्रित होइ.
एहि नाट्य महोत्सवमे नाटककार मलंगियाक चर्चित पाँच नाटक क्रमश:
ओकरा आँगनक बारहमासा, गाम नै सुतैए, छुतहा घैल, जुआयल कनकनीओरिजनल काम चयनित कयल गेल अछि.

आयोजनमे अपने सब स-परिवार आमंत्रित छी...