"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, April 20, 2009

पचफॊरना कॆ छौंक कॆ विषॆश असर रहत

मधुबनीक चुनाव गतिविधि मॆ " पचफॊरना " कॆ छौंक कॆ विषॆश असर रहत!ऒना अनुमानक हिसाब स कॆ स्वाद भाजपा कॆ लागत कारण पचफॊरना जदयु कॆ फैक्टर मॆ हमॆशा रहैत अछि! मधुबनी मॆ अहि बॆर शकिल अहमद कॆ अपन जीत कायम राखय लॆल काफी मशक्कत कर पङि रहल छनि! ह किछु ब्राह्मण आ मुसलमान वॊटर कांग्रॆस‌ दिश जरुर झुकला हॆ! मुदा बिहार मॆ राजद स हुनक गठबंधन टुटला कॆ कारण हुनकर माय समीकरण मॆ अब्दुलवारि सिद्दकी सॆंध लगॆथिन! एना मॆ ई पचफॊरना कॆ वोट काफी अहम रहतै! पचफॊरना क्यॊट, अमात, धानुक, कुर्मी आ तत्मा हिनक वॊट लगभग एकजुट गिरैत छनि! आ मधुबनी लॊकसभा मॆ ई जीत कॆ फैक्टर सॆहॊ भ सकैत छाथि! मधुबनी लॊकसभा मॆ ब्राह्मण सबस अधिक छथिन मुदा हिनक ज्यादा वॊटर आउट आफ मधुबनी छथिन जॆहॊ छाथि ऒहॊ अखनि धरि सॊच बिचार मॆ लागल छिया! तहनि दॆखि जॆ कि हॊईत अछि!

मधुबनी लॊकसभा मॆ 30 स 39 साल कॆ वीच कॆ वॊटर सब सँ अधिक छथिन ज ई युवा सब विकाश कॆ मुद्दा पर वोट करता त एकर फायदा भाजपा कॆ भॆटतनि! ऒना किछु युवा वर्ग कांग्रॆस कॆ तरफ सॆहॊ झुकाव भॆलनि हॆ!

बांकि बसपा आ सीपीएम दुनु एतय ब्राह्मण उम्मीदवार ढार कॆनॆ छिया मुदा हिनका सब कॆ वॆसी वॊट नहि भॆटथनि मुदा ई सब जॆह वॊट कटथिन ऒ हुकुमदॆव कॆ! तहनि दॆखी ई पचफॊरना कॆ स्वाद कॆ चखई छिया!

No comments: