"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, April 15, 2009

काठमांडू के एक प्रमुख चौराहा पर कवि कोकिल विद्यापति कॆ प्रतिमा ल‌गाय‌ल‌ जाय‌त‌


नेपालक‌ प्रधानमंत्री पुष्प कमल दहल प्रचंड राजधानी काठमांडू के एक प्रमुख चौराहा पर कवि कोकिल विद्यापति कॆ प्रतिमा लगावई कॆ घॊषणा कॆलनि हॆ। काठमाण्डू के स्टाफ कालेज ऑडिटोरियम में आयोजित दु दिवसीय अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक‌ सम्मेलनक‌ उद्घाटन करैत‌ श्री प्रचंड मैथिली भाषियों के समुचित विकासक‌ आश्वासन दॆलनि। 11 एवं 12 अप्रैल को आयोजित दु दिवसीय सम्मेलन में भाग लक वापस एला कॆ बाद‌ परिषदक‌ अध्यक्ष व वरिष्ठ साहित्यकार डा. कमलकांत झा बतॆलनि कि सम्मेलन के पहिल‌ दिन डा. भुवनेश्वर प्रसाद गुरुमैता, डा. कमलकांत झा, डा. अनाकर ठाकुर के नेतृत्व में मिथिला राज्यक‌ स्थापना कॆ लॆल‌ विशाल जुलूस निकालल गॆल! डा. गुरुमैता कॆ अध्यक्षता में आयोजित सम्मेलनक‌ उद्घाटन आ मैथिली के प्रति अपन विशेष लगाव कॆ जिक्र कॆलनि। विशिष्ट अतिथि जयप्रकाश गुप्ता मंत्री नेपाल, महेन्द्र पासवान मंत्री नेपाल डा. रामावतार यादव शिक्षाविद् आदि ई सभ मिथिला राज्य के स्थापना कॆ वकालत कॆलनि। सम्मेलन के दॊसर‌ दिन रामनारायण देव कॆ अध्यक्षता में मिथिला राज्य विषय पर संगोष्ठीक‌ आयोजन कायल गॆल। जाहिमॆ डा. धनाकर ठाकुर अपन आलेख प्रस्तुत कॆलनि। नेपाल में मिथिला राज्य पर कार्यपत्र पर सम्मेलन संयोजक रामरिझन यादव प्रस्तुत कॆलनि। अगिला सत्र के लॆल‌ अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के 55 सदस्यीय नव‌ कार्यकारिणी समितिक‌ गठन सॆहॊ कायल गॆल। अहिमॆ अध्यक्ष डा. कमलकांत झा, उपाध्यक्ष डा. नित्यानंद लाल दास, महासचिव रामरिझन यादव, सचिव कृपानंद झा, कोषाध्यक्ष कपिलदेव कुंवर, संयोजक सह प्रवक्ता डा. धनाकर ठाकुर, अध्यक्ष नेपाल डा. रामावतार यादव बनायल गॆला। इस अवसर पर अगला बैठक आगामी 13-14 जून क जयनगर में आयोजित काय‌ल‌ जाय‌त‌!

No comments: