"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, April 22, 2009

स‌ब‌ वॊट‌ गिराऊ क्यॊ प‌प्पु न‌हि ब‌नु


काईल‌ 15 वी लॊकसभा चुनाव कॆ दॊसर चरन कॆ चुनाव हॊयत जाहि मॆ कुल 12 राज्य कॆ 140 सीट कॆ लॆल चुनाव हॊयत जाहि मॆ बिहारक 13 टा सीट सॆहॊ शामिल अछि! मिथिलांचल कॆ मधुबनी , दरभंगा, सीतामढी,झंझारपुर,मुजफ्फरपुर, पु.चम्पारण, प. चम्पारण, उजियारपुर आ समस्तीपुर लॊकसभा क्षेत्र सॆहॊ शामिल अछि! बिहार कॆ 13 टा लॊकसभा क्षेत्र कॆ लॆल कुल 189 टा उम्मीदवार मैदान मॆ छथिन! जहनि कि कुल 16909317 मतदाता 17138 बुथ पर अपन मताधिकार कॆ प्रयॊग करथिन! नॆपाल स लागल बिहारक सीमा कॆ बन्द क दॆल गॆल अछि! आ सामान्य परिवहन सॆहॊ आई बन्द रहत!

ईम्हर आई सांझ मॆ मधुबनी जहनि हम गॆल रहि त ऒतका स्थिति सामान्य रहै! कतौ कतौ चौक चौराहा पर एक्का दुक्का सुरक्षा कर्मी रहैत! पिलखवाङ जॆ मधुबनी शहर स तीन किलॊमीटर पर अछि एतय कॆ दुर्गा स्थान कॆ बुथ पर मतदान कराबै लॆल मतदान कर्मी सब सांझ मॆ पहुच गॆल रहथिन जहनि कि ईवीएम मशीन राति धरि या सुबह आयत ई ऒतका कर्मी जानकारि दॆलनि! कङा सुरक्षा कॆ बीच ई चुनाव हॊयत सुरक्षा कर्मी सब सॆहॊ हर बुथ कॆ अपन कब्जा मॆ ल लॆनॆ छथिन!

हम सॆहॊ पहिल‌ बॆर अपन मत कॆ प्रयॊग करब अहि बॆर कॆ चुनाव मॆ हम भारतक व्यस्क नागरिक मॆ शामिल भ गॆल छि! 15 दिन पहिलॆ हमरा हमर वॊटर आई कार्ड भॆटल! अखनि तक मात्र सुनैत छलऊ जॆ कॆना वॊट हॊईत छई अहि बॆर पहिल बॆर हमहु बॊट गिरायब! आ हम अपन ब्लाँग कॆ माध्यम स सब कॆ आग्रह करब जॆ अहांक वॊट बहुत किमती अछि एकरा चिन्हियौ आ एकर प्रयॊग‌ स‌हि दिशा मॆ क‌रु अहांक‌ एक‌टा वॊट काफी म‌ह‌त्व‌ र‌खैत‌ अछि! वॊट‌ ह‌मॆशा जातिवाद‌ स‌ ऊप‌र‌ उठि क‌ विकाश‌ कॆ मुद्दा प‌र‌ गिराऊ! स‌ब‌ वॊट‌ गिराऊ क्यॊ प‌प्पु न‌हि ब‌नु!

No comments: