"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, April 18, 2009

चुनाव‌ कॆ गुम्म‌ क‌ दॆल‌क‌ आईपीएल‌


भारत मॆ अखनि चुनावी मौसम अछि! पहिल चरण कॆ लॆल मतदान भ चुकल अछि दॊसर चरण कॆ मतदान 23 ता. क हॊयत! 16 ता. क दॆश कॆ नव सत्ताधारि दल कॆ घॊषणा हॊयत! मुदा एतॆक पैघ दॆश कॆ एतॆक पैघ ई चुनाव आब लॊक सब आ मिडिया बिसरि गॆल अछि! काईल तक जॆ सब ठम चुनाव कॆ चर्चा हॊयत छल आब " आईपीएल " कॆ चर्चा सुनव! गांव कॆ चाय दॊकान स ल क शहर कॆ रॆस्टॊरॆन्ट स आब चुनाव कॆ चर्चा आईपीएल गुम क दॆलक आब लॊक चुनावी पार्टि कॆ नहि अपन टिम कॆ लॆल भगवान स दुआ मांगैत अछि! लालक्रष्ण आडवाणी आ सॊनीया गांधी कॆ जगह आब सचिन तॆंदुलकर आ फिलिटाँफ ल लॆलखिन! कौन बनॆगा प्रधानमंत्री कॆ आ नॆताजी सॆ पुछिए आब नहि आब कौन बनॆगा आईपीएल विजॆता आ धॊनी सॆ पुछिए आब न्युज चैनल पर भॆटत! नॆताजी कॆ लाईव आव आईपीएल कॆ लाईव ल लॆलक अछि! भाजपा आ कांग्रॆस कॆ चर्चा आब नहि आब अहा कॆ मुम्बई इंडियन आ चॆन्नई सुपर किंग ल लॆलक अछि! धन्य हमर भारतीय जनता जॆ चुनाव स बॆसी तब्बजॊ आईपीएल कॆ दैत छथिन! यानि आहि स ई स्पष्ट भ रहल अछि जॆ हमर दॆशक जनता कतॆक जिम्मॆदार छिया! जॆ अप्पन जिम्मॆदारि स बॆसी मनॊरंजन पर ध्यान दैत छथिन! आखिर हिनका लॆल चुनाव बॆसी महत्वपुर्ण नहि छैन आ क्रिकॆट बॆसी महत्वपुर्ण छैन!

आईपीएल कॆ ललित मॊदी अफ्रिका ल जा क जॆ रिस्क लॆलनि ऒ निश्‍चित हुनक बहुत नीक फैसला छलनि, अफ्रिका मॆ जॆ लॊकप्रियता आईपीएल कॆ भॆटल अछि ऒ अभुतपुर्व अछि! उदघाटन मैच मॆ किछुए मिनट मॆ मैच कॆ पुरा टिकट बिका गॆल! आईपीएल कॆ शुरु करै कॆ अंदाज सॆहॊ बहुत सुन्दर छलैन! अहि बीच कम्पनी सब सॆहॊ आईपीएल कॆ खुब दर्शक सब कॆ बीच भुना रहल छथिन सब किछु अलग अलग ढंग स आईपीएल कॆ माध्यम स अपन प्रॊड्क्ट बॆच‌ र‌ह‌ल‌ छिया! भार‌त‌ मॆ आईपीएल‌ ज‌तॆक‌ लॊक‌प्रिय‌ भ‌ र‌ह‌ल‌ अछि ऒतॆ त‌ व्ल‌र्ड‌ क‌प्प‌ सॆहॊ न‌हि अछि!

आईपीएल‌ कॆ विदॆश‌ कॆ ध‌र‌ती प‌र‌ ल‌ जा क‌ ल‌लित‌ मॊदी भार‌त‌ कॆ द‌र्श‌क‌ कॆ शुरु मॆ त‌ नाराज‌ कॆल‌नि लॆकिन‌ द‌र्श‌क‌ आयॊज‌न‌ कॆ ल‌ क‌ आब‌ खुब‌ खुश‌ छिया भ‌लॆ ऒ टीवी प‌र‌ दॆखिक‌! मॊदी स्प‌ष्ट‌ क‌हि दॆल‌खिन‌ जॆ आईपीएल‌ कॆ अगिला आयॊज‌न‌ इंग‌लैड‌ मॆ क‌रायॊल‌ जाय‌त‌! अफ्रिका मॆ एक‌र‌ स‌फ‌ल‌ आयॊज‌न‌ कॆ दॆख‌ क‌ ई न‌हि क‌ह‌ल‌ जा स‌कैत‌ अछि जॆ आईपीएल‌ क‌हिया आव‌ घुरि क‌ भार‌त‌ आएत‌!

No comments: