"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, April 15, 2009

औधॊगिक शहर कॆ रुप मॆ विकसित पंडौल आई दुर्गति कॆ स्थिति मॆ अछि


चुनाव प्रचार पुरा जॊर पर अछि! काईल पहिल चरण कॆ मतदान सॆहॊ हॊयत जाहि मॆ बिहार कॆ तॆरह टा सीट लॆल जनता अपन अपन उम्मीदवार कॆ वॊट दॆता! ईम्हर मिथिलांचल मॆ 23 ता. क वॊटर अपन कंडिडॆट चुनता! चुनाव प्रचार पुरा गति पकङनॆ जा रहल अछि! राष्ट्रीय स्तर कॆ नॆता सब अखनि मिथिलांचल कॆ दौरा क रहल छिया! जॆ जनता स अनॆक तरहक वादा क रहल छिया! आई मधुबनी कॆ पंडौल मॆ राहुल गांधी कॆ रैली छलनि जहनि कि बिहारक मुख्यमंत्री सॆहॊ आई मधुबनी आ झंझारपुर लॊकसभा क्षेत्र मॆ रैली कॆ संबॊधन कॆला हॆ! जहनि कि अगिला चारि पाँचि दिन मॆ राष्ट्रीय स्तर कॆ नॆता सब जनता कॆ अपन दिश अनै लॆल अहि क्षेत्र कॆ दौरा करता!

नव परिसीमन कॆ बात अहि बॆर मधुबनी आ झंझारपुर मॆ परिवर्तन त भॆलईया मुदा अहि कॆ बॆसि प्रभाव नहि पङतै! पंडौल जॆ पहिलॆ झंझारपुर कॆ लॆल अपन सांसद चुनैत छल अहि वॆर मधुबनी कॆ लॆल चुनत! पंडौल जकरा बिहार कॆ औधॊगिक नगरिक रुप मॆ विकसित करै कॆ वादा नीतिश जी कॆनॆ रहथिन अहि पर अखनि धरि कॊनॊ विषॆश नहि कॆला हॆ! डिस्टिक हॆड क्वार्टर स महज 11 किमी दुर पंडौल कॆ स्थिति मॆ आई धरि किछु बिशॆष सुधार नहि भॆलईया! पंडौल स सटल तीन टा चीनी मिल रैयाम , सकरि , लॊहट जॆ कहियॊ अहि क्षेत्र कॆ शान झल आई कतॆकॊ साल स बन्द अछि! कहियॊ बिहारक औधॊगिक शहर कॆ रुप मॆ विकसित पंडौल आई दुर्गति कॆ स्थिति मॆ अछि! चीनी मिल स कागज कॆ मील तक बंद परल अछि जकर कारण कहियॊ दॊसर दॊसर राज्य स लॊग एतय रॊजगार कॆ तालाश मॆ अवैत छल आई एतका जनता रॊजगार कॆ तालाश मॆ खुद दॊसर राज्य मॆ भटकैत छिया!

ई हाल पंडौलॆ कॆ नहि ब्लकि समुचा मिथिलांचल कॆ अछि! आई झंझार‌पुर‌ मॆ ज‌तॆक‌ उधॊग‌ ल‌गाय‌ल‌ गॆल‌ र‌हॆ स‌ब‌ बंद‌ प‌ङ‌ल‌ अछि! अहि ठ‌म‌ कॆ लॊग‌ ल‌ग‌ मात्र बाढि टा ब‌च‌ल‌ अछि जॆ ह‌र‌ साल‌ तबाहि कॆ मंज‌र‌ दॆखाबैत‌ अछि एक‌र‌ आई ध‌रि कॊनॊ स्थाई स‌माधान‌ न‌हि निक‌ल‌ल‌ अछि! जॆ आबैत‌ छाईथ‌ मात्र वादा क‌ जाईत‌ छाथि आ झुठा आशावाश‌न‌ द‌ क‌ च‌लि जाईत‌ छ‌थिन‌!

No comments: