"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, January 18, 2012

हम आएल छी अहां कें दरबार में आवेदन लाउ :- नितीश कुमार

सेवा यात्रा के आई तेसर दिन पूर्वाह्न करीब दस बजे अपन पूरा काफिला क संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जनता के समक्ष हाथ जोड़ कर हाजिरी देलखिन। ओ पूरा आत्मविश्वास के संग अहि ठाम छला। ओ अहि ठाम पहुचैत पाहिले महिला दीर्घा दिस गेला आ महिला सब स आवेदन लेला। ओ अहि ठाम अबिते मैथिलि में बजला हम आएल छी अहां कें दरबार में आवेदन लाउ। आहा सब हमरा पर विश्वास राखु सबहक काज होयत। ओ लोग सब के नसीहत देलखिन कि सरकार भ्रष्टाचार के खिलाफ कार्रवाई क रहल अछि आ आहा सब सेहो जागु।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जनता दरबार में कुल पांच घंटा रुकला। ओ दस बजे स्टेडियम में प्रवेश केलिन आ करीब पूर्वाह्न दू बजे स्टेडियम स बाहर आइलैथ। अहि दौरान किछ मिनट के लेल ओ चाय पीवाई लेल गेल छला। ओ हाथ जोरैत जनता दरबार में आयल छला आ हाथ हिलावैत अभिवादन करैत बाहर निकलला। आई मधुबनी में रौद खूब तेज छला। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सिर स पसीना निकली रहल छलैन मुदा तकर बावजूद ओ लोग के फरियाद खूब गंभीर भ सुनी रहल छला।

1 comment:

Rajan jha said...

bahut neek khabar aich