"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, January 21, 2012

नरक निवारण चतुर्दशी के अवसर शिव मंदिर में भारी भीड़

नरक निवारण चतुर्दशी के अवसर पर आई समूचा मिथिलांचल में महादेव के आराधना के लेल शिव मंदिर में भक्त के भारी भीड़ उमड़ी पड़ल।

मधुबनी जिला के प्रसिद्ध एकादश रुद्र महादेव मंदिर,बाबा दतेश्वर नाथ महादेव मंदिर, कपिलेश्वर स्थान, भवानीपुर के बाबा उग्रनाथ महादेव मंदिर, बिस्फी के भैरवस्थान महादेव मंदिर, बिदेश्वरनाथ महादेव मंदिर सहित सैंकड़ों शिवालय में भोरे स व्रतधारी आ शिव भक्त के भीड़ जुट अ लागल आ हर हर महादेव के जयकारा के संग शिवालय गूंजइ लागल। आजुक दिन महादेव पूजा के विशेष महत्व अछि ।

अहि व्रत के बारे में कहल जायत अछि की रात में चारों प्रहर पूजा के विशेष विधान अछि। अहि व्रत के करै स सहस्त्र अश्वमेघ यज्ञ के फल प्राप्त होयत अछि । संगही अहि व्रत के केला स मनुष्य जतेक पाप केने रहित अछि सब नष्ट भा जायत छै। पूजा विधान के अनुसार आज के दिन निराहार रही क संध्याकाल स्नान क मैट के महादेव बना क गणपत्यादि पंचदेवता, विष्णु आ शिव के पंचोपचार पूजा क आरती करै के विधान अछि। शिव के बैर, अंकुरी, भांग, ईख आदि सामग्री नैवेद्य में चढायल जायत अछि। शाम में व्रती बैर स व्रत तोड़ी क रात में अन्न ग्रहण करै छैथ।

No comments: