मुख्यमंत्री पहुचलैनी उच्चैठ भगवती स्थान
मुख्यमंत्री नितीश कुमार अपन सेवा यात्रा के दौरान कैल छिन्नमस्तिका उच्चैठ भगवती स्थान गेलैनी आ भगवती के दर्शन केलिनी आ पूजा-अर्चना सेहो केलिनी। पूजा के उपरांत मुख्यमंत्री मंदिर परिसर में अवस्थित अन्य मंदिर सब के जानकारी सेहो लेलिनी। संगही मंदिर के बगल में अवस्थित तालाब के निरीक्षण सेहो केलिनी जतय श्रद्धालु स्नान कय माँ भगवती के पूजा आराधना करय छैथ। मंदिर प्रांगण के प्रधान पूजारी स लम्बा वार्ता केलैनी आ उच्चैठ भगवती आ अहि स्थान के महत्ता के विस्तृत जानकारी प्राप्त केलिनी। मंदिर आ कालीदास डीह के देख ओ अवलोकन क मुख्यमंत्री काफी गंभीर भा गेला। अहि मौका पर मुख्यमंत्री संग मधुबनी के जिलाधिकारी रही चुकल अतीशचन्द्रा, चंचल कुमार,जिला पदाधिकारी संजीव हंस, पुलिस अधीक्षक सौरभ कुमार सहितमंत्री, विधायक आ गणमान्य लोग उपस्थित छलखिन। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मुख्य गेट स जखन मंदिर परिसर में प्रवेश केला त सेंट्रल पब्लिक स्कूल के बच्चा सब विभिन्न स्वरूप यथा कालीदास, महाकवि विद्यापति, सीता, राम, दुर्गा, हनुमान सहित अन्य रूप में परिधान धारण क मुख्यमंत्री के स्वागत केलिनी। अहि मौका पर कार्यक्रम के समन्वयक नेमी कुमार आ हुनक पत्नी मुख्यमंत्री के पाग-दोपटा पहिरा क स्वागत केलिनी।
No comments:
Post a Comment