
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के अंतर्गत संचालित कई कॉलेज में आव डिग्री आ पीजी के पढ़ाई के शुरुवात करै के प्रक्रिया चली रहल अछी। विद्वत परिषद व सिंडिकेट स अहि लेल अनुशंसा प्राप्त जा चुकल अछि । जहनि की 7 जनवरी क सीनेट के बैठक में सेहो अहि पर विचार होयत। उल्लेखनीय अछि कि सम्बद्ध रामनारायण जनता कॉलेज रामपुर, मधवापुर व सती भरत कॉलेज पड़री में मानवीकी, सामाजिक विज्ञान व वाणिज्य संकाय में तीन सत्रों के लेल अस्थायी संबंधन की अनुशंसा पर विचार होयत। ओतय मधुबनी स्थित आरके कॉलेज में संगीत, गृहविज्ञान व समाजशास्त्र में पीजी की पढ़ाई जहनि की आयाची महिला महाविद्यालय बेनीपुर में संगीत विषय में पीजी पढ़ाई के प्रस्ताव सीनेट में राखल जायत। लनामिवि के अंगीभूत कॉलेज वीएसजे राजनगर में बीएसी व बीकॉम, एमएलएस, सरिसवपाही में बीकाम, जेके कॉलेज बिरौल में बीएससी व बीकॉम, एमआरएम कॉलेज दरभंगा में बीकॉम व एलकेभीडी कॉलेज ताजपुर में बीकॉम की पढ़ाई प्रारंभ करे के प्रक्रिया चली रहल अछि। जानकारी के अनुसार उक्त सब कॉलेज में डिग्री व पीजी के पढ़ाई के लेल सीनेट के बैठक में विचार होयत। अहि के लेल उपरांत सरकार स स्वीकृत के पश्चात पढ़ाई प्रारंभ होयत।
No comments:
Post a Comment