"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, January 27, 2012

मिथिला के मिट्टी चंदन के समान : प्रतिकुलपति

बेनीपुर : मिथिला विश्वविद्यालय के प्रतिकुलपति डॉ. धु्रव कुमार कहला कि मिथिला के उत्थान के लेल अनवरत डॉ. बैधनाथ चौधरी बैजू जुटल छिया।मिथिला में हिनक योगदान त मुख्यमंत्री होई के योग्य अछि। प्रतिकुलपति गणतंत्र दिवस पर अयाची मिथिला महिला महाविद्यालय के प्रांगण में आयोजित समारोह के संबोधित करैत उक्त बात कहला। ओ कहला कि मिथिला के धरती हमरा लेल कोनो मंदिर स कम नहीं अछि। जाही तरहे लोग चंदन के माथा पर लगावैत अछि ओही तरहे हम प्रतिदिन अहि मिट्टी के तिलक अपन माथा पर लगावैत छि। डॉ. कुमार कहला कि अहि महाविद्यालय में संगीत पोस्ट ग्रेजुएट में नामांकन के घोषणा त कुलपति क सकैत छैथ लेकिन ओ जरूर कहला कि अहि कॉलेज में स्नातकोत्तर गृह विज्ञान आ बीएड के पढ़ाई हेबाक चाही। ओ महाविद्यालय के सब प्रकार के सहयोग देवइ के गप्प कहला। अहि स पूर्व महाविद्यालय के सचिव डॉ. बैधनाथ चौधरी बैजू प्रतिकुलपति श्री कुमार, कुलसचिव डॉ. विजय प्रसाद सिंह, ओएसडी अनिल कुमार के अभिनंदन करैत पाग, माला स सम्मानित केलखिन।

No comments: