"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, February 6, 2012

प्राथमिक स्तर स मैथिली में शिक्षा देवे के व्यवस्था कायल जाय

दरभंगा, प्राथमिक स ल क माध्यमिक स्तर तक मैथिली भाषा के माध्यम स शिक्षा प्रदान करै, परीक्षा में सेहो मैथिली भाषा लागू करै समेत अन्य मांग के ल क सोमदिन अखिल भारतीय युवा मैथिल महासभा आयुक्त कार्यालय पर धरना देलैनी। मौका पर आयोजित सभा के अध्यक्षता करैत प्रो. उदय शंकर मिश्र कहला कि वर्ष 2004 में पटना उच्च न्यायालय मैथिली के पक्ष में न्यायादेश देने छला जकरा विरोध में तत्कालीन राबड़ी सरकार एकर खिलाफ उच्चतम न्यायालय में अपील केने छल। मई 2011 में न्यायालय मैथिली के पक्ष में फैसला सुनने छल। नीतीश सरकार ओही फैसला के आलोक में किछ नहीं क रहल छिया जे चिंता के बात अछि। महासचिव डॉ. राजीव कुमार झा कहला कि मैथिली संविधान के आठवीं अनुसूची में अछि। आ हिन्दी आ उर्दू के अनुरूप मैथिली के सेहो राजभाषा के दर्जा भेटवाक चाहि। अखनी धरी न्यायालय के फैसला के आलोक में राज्य सरकार के मौन धारण हुनका मैथिली विरोधी साबित क रहल छैन। प्रदेश सरकार जल्द अहि पर अमल करैत एकरा लागू करैथ अन्यथा सरकार के मैथिली विरोधी करार देल जेतैनी आ गांव-गांव में जन जागरण अभियान चलाओल जायत। सभा के मैथिली पुत्र प्रदीप सम्बोधित करैत कहला की प्राथमिक स माध्यमिक स्तर तक मैथिली में शिक्षा देवे के व्यवस्था लागू कायल जाय।