"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, February 18, 2012

हाइडल पावर कॆ विकसित क नॆपाल‌ दक्षिण एशिया कॆ सबस समृद्ध देश बन सकैत अछि

ग्लोबल समिट कॆ आई दॊसर दिन मुख्यमंत्री नीतिश कुमार कहला कि हाइडल पावर कॆ विकसित क नॆपाल‌ दक्षिण एशिया कॆ सबस समृद्ध देश बन सकैत अछि।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला कि बाढ़, बिहार आ नेपाल दुनु के लॆल‌ अभिशाप बनल अछि। आ अहि अभिशाप कॆ वरदान के रूप में परिणत कायल जा सकैत अछि। बाढ़ कॆ माडरेशन कायल‌ जा सकैत अछि लेकिन प्रकृति कॆ पुर्ण रुप स‌ हाथ में कॆनाई नामुमकिन अछि। हाइडल पावर के माध्यम स नेपाल दक्षिण एशिया का सबसे धनी देश बन सकैत अछि। आई ग्लोबल बिहार समिट में भाग लेव आयल‌ नेपाली मीडिया स बातचीत करैत ई कहला।

मुख्यमंत्री कहला कि वाटर मैनेजमेंट के माध्यम स कृषि कार्य के लॆल‌ बाढ़ के पानी कॆ उपयोग कायल जा सकैत अछि। बिहार आ नेपाल कॆ जमीन उपजाऊ अछि आ अहि ठाम कॆ लोग मेहनती छिया। हाइडल पावर प्रोजेक्ट स जॆ बीजली उत्पादन होयत, ऒकरा नेपाल अपने उपयोग कॆ अलावा भारत के हाथ स बेच क दक्षिण एशिया कॆ सबस अधिक धनी दॆश बनि सकैत अछि। भारत आ नेपाल कॆ मिल क बाढ़ कॆ समस्या कॆ समाधान निकालअ पङतै।

मुख्यमंत्री कहला कि बिहार में जॆ विकास भ‌ रहल अछि ऒकर आगा कॆ रास्ता कठिन अछि। बिहार आ नेपाल अहि विकास में साझीदार भ सकैत अछि। ग्लोबल बिहार समिट 2012 के उद्घाटन के लॆल‌ नेपाल के प्रधानमंत्री के आयला स जॆ सकारात्मक संदेश गॆल अछि ऒ दशकों तक याद राखल जायत। हम‌ नेपाल के प्रधानमंत्री कॆ आभारी छी।

No comments: