"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, February 6, 2012

जितवारपुर में मधुबनी पेंटिंग के एग्जीविशन सेंटर खुलत

जितवारपुर में 99 लाख के लागत स मधुबनी पेंटिंग के एग्जीविशन सेंटर खुलत। इ सेंटर 6 माह में बनी क तैयार भ जायत आ एतय पर्यटक के ठहरे के व्यवस्था सेहो कायल जायत। आ अहि सेंटर में हर तरह के सुविधा उपलब्ध रहत। सूबे के ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र सोमदिन रहिका प्रखंड के जितवारपुर गांव स्थित भास्कर कुलकर्णी हस्तकला आश्रम में आर्ट गैलरी के शिलान्यास के बाद उपर्युक्त घोषणा केलैनी।

ग्रामीण आ मिथिला पेंटिंग कलाकार के संबोधित करैत श्री मिश्र कहला कि जितवारपुर गांव महान अछि जतय एक नहीं अनेक विभूतियों अपन कला के प्रदर्शित क विश्व भरी में प्रसिद्धि हासिल केला। ओ कहला कि अहि गांव के सर्वागीण विकास के हर संभव प्रयास कायल जायत। ओ कहला कि मधुबनी पेंटिंग स गहरा लगाव राखै वाला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सौराठ में पेंटिंग प्रशिक्षण केन्द्र खोलै के घोषणा क मिथिलांचल में विकास के नव द्वार खोललैथ हे। कलाकार अहि केन्द्र स नही सिर्फ प्रशिक्षण प्राप्त करता बल्कि हुनका रोजगार के अवसर सेहो देल जेतैनी। स्थानीय विधायक डा. फैयाज अहमद कहला कि जितवारपुर गांव मिथिलांचल के गौरव अछि। एतय विदेशी पर्यटक हमेशा आवैत रहैत छैथ। ओ मंत्री स जितवारपुर के कलाकार आ अहि विधा के बढ़वाई में योगदान के अपील केलखिन। मंत्री श्री मिश्र आ विधायक डा. अहमद के संस्था के सचिव विश्वंभर झा आ अध्यक्ष देवेन्द्र झा पाग, दोपटा आ मधुबनी पेंटिंग स सम्मानित केलखिन।

1 comment:

Unknown said...

बन गया क्या एग्जीविशन सेंटर , एक साल हो गए और कितने लोगों को रोजगार मिला है ?