"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, February 8, 2012

सदियों पुरान रोटी बेटी के ध्वस्त भेल रिश्ता आई फेर स कायम भ गेल

अकल्पनीय अद्भुत। आई एकटा ऐतिहासिक दिन छल एहेन दिन जकर इंतजार मिथिला के लोग पिछला ७० साल स क रहल छलैथ आई भोरे पौ फटैत दुनु पार के लोगोंक हुजूम महासेतु पर जमा भ रहल छल। एकटा अजीब उत्साह उमंग चारू कात देखाई दैत छल आखिर कियक नै जे सपना सन लागैत छल से ओ मुराद आई पूरा हुअ जा रहल छल । एतय उपस्थित लोग इतिहास के कपाल पर विकास के नव गाथा के गवाह बने चाहैत छलैथ। विस्फारित नेत्र स फोरलेन हाइवे निहारैत मिथिला-कोसी की लोग के इ विश्वासे नहीं भ रहल छल कि बालू उडैत अहि धरती पर कहियो राष्ट्रीय राजमार्ग सेहो गुजरत। चारू कात कौतुहल चरम पर छल आ हाइवे पर गाड़ि के काफिला फर्राटा भरी रहल छल। फुकना स सजल टॉल प्लाजा पर पर्व-त्योहार के मेला सन सजावल गेल छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो लाखों की हुजूम भरल सभा के संबोधित करैत कहला कि कोसी वासि के लेल आई दशहरा, दीवाली आ ईद अछि। मुख्यमंत्री के मुख पर खुशी साफ़ साफ़ झलकैत छल। कहला कि हम सेहो आहा सब के खुशि में शामिल होई लेल आयल छि । ओतय उपस्थित लोग के इ सपना सन लागैत छल। डबडबाईत आंख स ओतय उपस्थित लोग के कहनाम छल जे हमर मिथिला के सदियों पुरान रोटी बेटी के ध्वस्त भेल रिश्ता आई फेर स कायम भ गेल।


No comments: