"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, February 7, 2012

मलेशिया में नव इतिहास लिखई गेली 'मिथिला' के बेटि

दरभंगा, : मिथिला के चारी टा बेटि मंगलदिन एक टा नव इतिहास रचै के लेल पटना होइत मलेशिया के लेल रवाना भ गेली। ओतय 11-12 फरवरी क कराटा के अंतर्राष्ट्रीय प्रतियोगिता में इ सब मिथिलाक संग भारत के अगुवाई करती। मार्शल आर्ट में स्वर्ण आ कांस्य पदक में राष्ट्रीय विजेता इ चारू छात्रा के रवानगी स पूर्व डीएम आर लक्ष्मणन आ महिला सामाख्या के जिला कार्यक्रम समन्वयक अल्पना कुमारी हिनका सब के विदा करैत कहली कि मिथिला के बेटि में प्रतिभा के कमी नहीं अछि। हर क्षेत्र में हमर बेटि अपन मेधा के परचम लहरा रहल छैथ। समाज के सबस निचला पायदान स नाता राखै वाली इ छात्रा सब साबित क देली कि आर्थिक मजबूरि सफलता में बाधक नहीं बनैत छै। महिला सामाख्या द्वारा संचालित रानीपुर कस्तूरबा आवासीय विद्यालय के छात्रा संजीता कुमारी के पिता रामबली मांझी सदर प्रखंड के शीशोडीह में मजदूरी करैत छिया। हुनक मां राधा देवी निरक्षर छैथ। संजीता कहलैनी कि अल्पना कुमारी हुनका पढइ के लेल प्रेरित केलखिन। आ ओतय पढ़ाई के संग जूडो कराटा के प्रशिक्षण के व्यवस्था सेहो केलखिन। सदर प्रखंड के रानीपुर निवासी रूदल यादव आ नीलम देवी के पुत्री कंचन कुमारी राष्ट्रीय स्तर पर कराटा में कांस्य पदक जीत चुकल छियाथ। जाले के नवादा, जोगियारा के निवासी स्व. महेश मांझी आ रंजू देवी की पुत्री पूजा कुमारी दोघरा कस्तू्ररबा विद्यालय में आठवीं कक्षा में पढ़ी रहल छियाथ ओ कहलैनी की पिता के स्वर्गवास भेलाक बाद हमर मनोबल टूट गेल छल लेकिन इ अवसर हमरा नव आत्मविश्वास देलक।

No comments: