"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, February 16, 2012

शुक्रदिन स प्रारम्भ भ रहल 'ग्लोबल मीट-2012'

राजधानी पटना में शुक्रदिन स प्रारम्भ भ रहल 'ग्लोबल मीट-2012' में 24 देश के प्रतिनिधि आ देश के १८ स्थान के प्रतिनिधि राज्य के विकास के सम्बंध में अपन परामर्श देंता। तीन दिन तक चलई वाला अहि सम्मेलन के उद्घाटन नेपाल के प्रधानमंत्री बाबू राम भट्टाराई करता। अहि सम्मेलन में नहीं केवल आर्थिक आ राजनीतिक विशेषज्ञ शामिल हेता बल्कि समाज के प्रत्येक वर्ग अपन परामर्श देता। नेपाल के प्रधानमंत्री के साथ 18 सदस्यीय प्रतिनिधिमंडल सेहो अहि सम्मेलन में भाग लेता। वर्ष 2007 में सेहो पटना मे ग्लोबल मीट के आयोजन कायल गेल छल जकर उद्घाटन पूर्व राष्ट्रपति अब्दुल कलाम केने छला। राज्य के उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला कि ई सम्मेलन बिहार के 10 करोड़ लोगक आयोजन अछि। ओ कहला कि बिहार विकास के पथ पर अग्रसर अछि आ अहि आयोजन के जरिये राज्य विकासक दोसर पड़ाव पर पहुचत। मोदी के अनुसार ई कोनो निवेशक मीट नहीं बल्कि राज्य के प्रगति के मार्ग पर कोना आगा बढावल जाई ताहि पर मंथन अछि। अहि सम्मेलन के उद्घाटन आ समापन सत्र के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो सम्बोधित करता जहैनी की विभिन्न सत्र में फिल्म, टीवी, पत्रकारिता स जुड़ल लोग सेहो अपन विचार व्यक्त करता।

No comments: