"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, February 27, 2012

निधि पार्क के समीप मधुबनी बस स्टैंड ल जाई के प्रक्रिया तेज

काफी समय स मधुबनी बस स्टैंड के स्थान परिवर्तन के ल क तरह-तरह के अटकलबाजि शहर में काफी समय स चल रहल अछि। लेकिन आब लगैत अछि कि जल्दिये अहि अटकलबाजि पर विराम लागत। निधि पार्क के समीप बस स्टैंड ल जाई के प्रक्रिया तेज भ गेल अछि । जिला पदाधिकारी संजीव हंस के पहल पर नगर परिषद मधुबनी के भूमि उपलब्ध करावई में काफी मशक्कत के बाद सफलता हासिल भेलई। नगर परिषद के अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी कहला की नव बस स्टैंड के लेल निधि पार्क स आगा दू एकड़ भूमि लीज पर उपलब्ध करावल गेल अछि। बस स्टैंड खोलई के प्रक्रिया आरंभ शुरु कय देल गेल अछि । नगर परिषद आ जिला प्रशासन के अथक प्रयास आ समन्वय स ई काम संभव भ सकल अछि। ओ कहला कि शहर के मध्य बस स्टैंड रहई स हमेशा अफरा-तफरी के माहौल बनल रहैत छल आ जाम के समस्या स शहर के स्थिति काफी ख़राब छल। बस स्टैंड के स्थानान्तरण भेला स शहर वासी राहत के जाम स मुक्ति भेटतेन। ओतय बाईपास सड़क जे जलधारी चौक स रांटी चौक तक जाईत अछि एकर निर्माण कार्य सेहो अंतिम चरण में अछि। आ एकर निर्माण भेलाक बाद भारी वाहन के परिचालन शहर में कम भ जायत।

No comments: