"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, February 17, 2012

मधुबनी मॆ रद्द भ सकैत अछि एसटीईटी परीक्षा

प्रश्नपत्र लीक होई कॆ अफवाह के बीच माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (एसटीईटी) राज्य भरि में किछ‌ केंद्र पर हंगामा आ परीक्षा बाधित होई कॆ छिटपुट वारदात के संग‌ संपन्न भ गॆल‌। मधुबनी कॆ एक सेंटर पर दुनु सीटिंग के बुकलेट खुल जॆबाक‌ कारण पूरा जिला कॆ परीक्षा रद होई के संभावना भए गॆल अछि। ऒतय‌ राजधानी के कालेज आफ कामर्स सेंटर पर हंगामा कॆ वजह स पहिल‌ पाली में परीक्षा नहीं भ सकल जहनि कि विलंब स प्रश्नपत्र पहुंचई के चलते आरपीएस कालेज केंद्र में दॊसर‌ पाली में परीक्षा संपन्न भॆल‌।

परीक्षा के संचालक बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के सचिव ललन झा प्रश्नपत्र लीक संबंधित तमाम अफवाह पर विराम लगावैत कहला कि दुनु पालि कॆ परीक्षा संपन्न हॊई तक कॊनॊ जिला स ऐहॆन कॊनॊ सूचना प्राप्त नही भॆल‌। परीक्षा में लगभग 14 विषय छल, ऒकर‌ बुकलेट कॆ बंडल किछ जगह‌ पर गलती स खुलि जॆवाक‌ सूचना भॆटल मुदा प्रश्न कतौ आउट नहीं भॆला।

समिति के उपसचिव शिवनाथ प्रसाद कहलनि कि मधुबनी के एक केंद्र पर दुनु पालि के बुकलेट कॆ बंडल खुलई कॆ सूचना भॆटला मुदा अखनी धरि एकर पुष्टि नहीं भॆला। अहि मामला में जिला शिक्षा पदाधिकारी पूरा जिला कॆ परीक्षा रद क सकैत छियाईथ। ऒना मधुबनी के जिलाधिकारी कॆ रिपोर्ट अखनी धरि नहीं आयल अछि। ऒहॊ दावा कॆला कि प्रश्नपत्र कॊनॊ ठाम‌ आउट नहीं भॆला।

No comments: