"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, February 17, 2012

मोंटेक सिंह जी सॆहॊ बिहार कॆ विशेष राज्य कॆ हमर मांग कॆ समर्थन द रहल छिया:-नीतीश कुमार

बिहार कॆ विशेष राज्य कॆ दर्जा देवाक‌ मांग लगातार उठावई वाला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ग्लोबल बिहार सम्मिट में सॆहॊ एकरा नहीं विसरला। ऒ उद्घाटन समारोह के मौका पर रोचक अंदाज में अहि बात कॆ जिक्र कॆला। ऒ अहि मौका पर उपस्थित‌ योजना आयोग के उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया स एकर‌ निवेदन कॆला कि 'अहि दुर्गम चढ़ाई चढ़ई में हमरा अहांक‌ सहयोग चाहि।'

मुख्यमंत्री जहनि बिहार कॆ विशेष राज्य कॆ दर्जा क मांग क रहल छला, तहनॆ हुनक नजर बगल में बैसल‌ मोंटेक सिंह अहलूवालिया पर चली गॆलनी। श्री अहलूवालिया ताली बजा रहल छला। मुख्यमंत्री बिना मौका गंवॆनॆ कहला‍ 'दॆखु ताली बजा क मोंटेक सिंह जी सॆहॊ बिहार कॆ विशेष राज्य कॆ हमर मांग कॆ समर्थन द रहल छिया।' अहि पर हाल में खूब तालि बाजल‌। मुख्यमंत्री फॆर एक लाईन कहला-'मोंटेक सिंह त हमर‌ हर नव‌ यात्रा पर फ्लैग आफ करै के लॆल आवैत छिया।'

मुख्यमंत्री अपन दु टा सपना पर‌ विस्तार स चर्चा कॆलनी। कहलैनी हमर एकटा सपना अछि कि बिहार के सुदूर इलाका, किशनगंज कॆ कॊनॊ गांव, कैमूर कॆ पहाड़ी या फॆर‌ धनहा कॆ कॊनॊ इलाका स सड़क मार्ग स पटना छह घंटा में पहुंचनाई संभव भ सके। आ हम तेजी स अहि सपना कॆ पूरा करै कॆ दिशा में बढि रहल छी। आ हमरा लगैत अछि कि अहि कार्यकाल में ई पूरा भ‌ जायत‌।' अहि क्रम में एक चुटकुला सॆहॊ ऒ सुनॆला। ऒ कहला‍'पहिलॆ बिहार में सड़क कॆ दूरी किलोमीटर में नहि समझा क घंटा में समझायल जाईत छल। कहल जाईत छल जॆ अहां अपन‌ गाड़ी में झारखंड या फॆर‌ उत्तरप्रदेश स आवि रहल छी, झपकी ल रहल छि आ अचानक गाड़ी हिचकोला खाई लगे त बुझु जॆ बिहार आबि गॆल‌। पर जमाना ऐहॆन‌ बदलल कि आब ई बात बदलि गॆल‌।'

अपन दॊसर सपना कॆ चर्चा करैत कहला कि हर हिंदुस्तानी कॆ थाङी मॆ बिहार कॆ एक व्यंजन हॆवाक चाही। ई सॆहॊ पूरा होयत‌। अक्सर ई बात होईत अछि कि अगला हरित क्रांति देश के पूर्वी हिस्सा मॆ हॊयत‌। बिहार में त हम इंद्रधनुषी क्रांति कॆ बात क रहल छी।

No comments: