"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, June 5, 2012

अज्ञात बीमारी स अखनि तक २७ स बेसी मौत

बिहार के मुजफ्फरपुर आ गया जिला में अज्ञात बीमारी स पीड़ित बच्चा के मृत्यु के सिलसिला जारी अछि। पिछला 10 दिन के दौरान अज्ञात बीमारी स 20 बछा के मौत भ  चुकल अछि , जहनि की सूत्र २७ बच्चा के मौत के खबर बता रहल अछि। 

मुजफ्फरपुर जिला में स्वास्थ्य विभाग के एक अधिकारी कहला कि मंगलदिन साढ़े तीन वर्ष के सकरा गांव निवासी अभिषेक के मौत भ गेल। सूत्र के अनुसार अखनि तक अहि बीमारी स दुनु जिला में 27 लोग के मौत भ चुकल अछि , जहनि की 50 स ज्यादा बच्चा बीमार पड़ल छैथ।



राज्य स्वास्थ्य विभाग के प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा मंगलदिन कहलैनी कि अखनि तक अहि अज्ञात बीमारी स 20 बच्चा के मौत भ चुकल अछि। अहि में मुजफ्फरपुर के 11 आ गया के नौ बच्चा शामिल अछि। ओ कहला कि वर्तमान समय में गया में पांच आ मुजफ्फरपुर में 31 बच्चा के इलाज चल रहल अछि।



सिन्हा अहि बीमारी को दिमागी बुखार (इंसेफलाइटिस) होई के बात खारिज क देलखिन। ओ कहला कि दुनु जिला में अहि बीमारी के देखैत विशेष कार्य योजना बनायल जा रहल अछि। बीमारी के बारे में जागरूकता पैदा करे के लेल सब गांव में पर्चियां बांटल जा रहल अछि आ प्रचार अभियान चलायल जा रहल अछि।



गया के अनुग्रह नारायण मेडिकल कॉलेज अस्पताल (एएनएमसीएच) के शिशु रोग विशेषज्ञ कहलैनी कि अहि बीमारी स पीड़ित अधिकांश बच्चे गांव के छियाथ, जे गंदगी, गरमी आ गरीबी के कारण अहि बीमारी स ग्रस्त भ रहल छिया। कई दिन तक ओ इम्हर - उम्हर इलाज करावैत छियाथ आ  जहनि  स्थिति बिगड़ जैत अछि त ओ पैघ अस्पताल में आवैत छैथ। अंतिम समय में मरीज के बचा पेनाई  मुश्किल भ जैत अछि।



बतादी कि पिछला साल  एहने बीमारी स दुनु जिला में 150 स  बेसी लोग के मौत भ गेल छल।

No comments: