"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, June 12, 2012

बीमारी आब 'यमराज' के जेहेन प्रतीत भ रहल अछि

बिहारक मुजफ्फरपुर जिला क औराई प्रखंडक कोरियाही गांवक चार वर्ष आरती क मौत क बाद हुनक घर में मातम पसरल छैन। हुनकर मां क आंखी स नोर रुकी नहीं रहल छैन त हुनकर पैघ भाई अपन पिता क लग ठाड़ भ इ दिलासा द रहल छथिन कि भगवान क  येह मर्जी छलैनी। ई खिस्सा जिलाक कोनो एक प्रखंड क नहीं अछि, लगभग सब प्रखंड क बस्ति में लोग क अज्ञात बीमारीक डर मन में बैसी गेल छईन। हुनका सब के ई  बीमारी आब 'यमराज' के जेहेन प्रतीत भ रहल छैनी आ मन में ई डर बैसल छईन  की कहू ई बीमारी हुनका घर में सेहो नही आवी जाई।

कोरियाहीये गांम में अहि अज्ञात बीमारी स पीड़ित छोटी कुमारी क पिता रामेश्वर कहैत छैथ कि आखिर अस्पताल में जाई स की होयत। ओतयो त बच्चा सब मरीये  रहल अछि। ओ आक्रोश में कहलैथ कि आखिर गर्मी शुरू होई क पहिले सरकार अहि रोगक इलाज किएक नहीं खोजलक  जहैनी की हर साल अहि बीमारी स  सैकड़ों गरीब बच्चा क जान जा रहल छई।

इम्हर, दू  वर्षक अन्नु क मां कहैत छईथ , "सरकार त लापरवाह अछिये संगही भगवान सेहो ई बीमारी खाली गरबे  क देत छथिन। आखिर एकर इलाज कतय होयत। सुनैत छियई कि मच्छर क काट स ई बीमारी होइत अछि त फेर दवा क छिड़काव किएक नहीं होइत अछि।"

बिहार के मुजफ्फरपुर, गया आ पटना क अस्पताल में अहि अज्ञात बीमारी स अहि साल एखन तक 100 स बेसी बच्चाक मौत भ चुकल अछि। किछ चिकित्सक अहि बीमारी क 'एक्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम' कही रहल छैथ जहनी की किछ चिकित्सक अहि बीमारी पर नव शोध हेवाक जरूरत बता रहल छाईथ।

राज्य क स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चौबे कहलैथ की नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ वायरोलॉजी (एनआइवी), पुणे क चिकित्सक सबक  मत अछि कि अहि बीमारीक वायरस क पहचान के लेल सीधे मस्तिष्क स ऊतक क आवश्यकता अछि। आ इ तखने सम्भव होयत जहैनी एकरा महामारी घोषित कायल जाय। ओ कहला कि अहि मामला में ओ केंद्र सरकार स बात करे वाला छाईथ । दुनु सरकार क सहमति क बाद आगाक कदम उठायल जायत। ओ इहो कहला कि अधिकांश मौत एक्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम बीमारी स भ रहल अछि।

चौबे कहलैथ कि इ बीमारी कोनो नव नहीं अछि। हुनक दावा अछि कि 1995 में सेहो अहि अज्ञात बीमारी स500 स बेसी बच्चाक मौत भ चुकल अछि। स्वास्थ्य विभाग के आंकडा क अनुसार 2007 स एखन  धरी अहि बीमारी स 570 बच्चाक मौत भ चुकल अछि।
 
पिछला 27 मई स एखन धरि राज्य में 100 से बेसी बच्चाक मौत भ गेला जहैनी की 97 स बेसी बच्चा  मुजफ्फरपुर, गया आर पटना क अस्पताल सब में भर्ती छैथ। सबस ज्यादा मौत मुजफ्फरपुर जिला क अस्पताल में भ रहल अछि।


इम्हर, नई दिल्ली स मुजफ्फरपुर आयल 'नेशनल वेक्टर बोर्न डिजीज कंट्रोल प्रोग्राम' (एनवीबीडीसीपी) क  टीम श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल (एसकेएमसीएच) में भर्ती भेल मरीजक हालचाल लेलैनी आ हुनक रिपोर्ट के अध्ययन केलैनी।

मुजफ्फरपुर के सिविल सर्जन ज्ञानभूषण कहलैथ कि दल मरीज के ब्लड सुगर, लीवर फंक्शन, रीढ़ क पानी सहित अन्य रिपोटक जांच केलैनी। सूत्र क मुताबिक टीम अहि स्थिति के ल क सबस ज्यादा नाराज नजर आवि रहल छैथ कि आखिर समय रहैत मरीज अस्पताल किएक नहीं पहुंच पावि रहल छैथ। दल टीकाकरण कार्यक्रम के सेहो समीक्षा केलक।

No comments: